• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

लोकार्पित भेल पहिल मेड इन बिहार साइकिल

July 11, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना । भारी मशीनक आवाजक बीच औरंगाबाद क औद्योगिक परिसर मे एकटा इतिहास लिखा गेल। एकटा एहन सपना पूरा भेल जे 1950 क दशक मे देखल गेल छल। बिहार क लोहा, बिहारक मजदूर आ बिहार क बाजार हेबाक बावजूद साइकिल पंजाब स बनि कए बिहार अबैत छल। मुदा आब मेड इन बिहार क ठप्पा लागल साइकिल बाट पर उतरबा लेल तैयार अछि। औरंगाबाद क औद्योगिक परिसर स्थित साइकिल कारखाना मे बुधदिन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार नवनिर्मित साइकिल कए लोकार्पित केलथि। एहि अवसर पर मुख्यमंत्री कहला जे एहि कारखाना क उदघाटन लेल जखन हुनका स आग्रह कैल गेल त ओ कहने चलाह जे कारखानाक उदघाटन नहि, बल्कि उत्पादक लोकार्पण करबा लेल अउताह। मुख्यमंत्री कहला जे आइ कारखाना मे बनल साइकिल सामने अछि। बतौर ट्राइल स्पोक आ अन्य छोट मोट पुर्जाक उत्पादन पहिने शुरू भ गेल छल। मुख्यमंत्री कहला जे आइ साइकिल बदलैत बिहार क पहचान बनि चुकल अछि। 2007 मे जखन सरकार साइकिल योजना शुरू केने छल, तहिया बिहार क गिनल-चुनल शहर मे युवती साइकिल स स्कूल बा कॉलेज जाइत छलीह, मुदा आइ गाम गाम मे साइकिल स स्कूल जाइत छात्रा कए देखल जा सकैत अछि। छात्रा केवल साइकिल स स्कूल नहि जा रहल छथि, बल्कि नियमित पढाई स नीक अक सेहो पाबि रहल छथि। मुख्यमंत्री कहला जे सरकार उद्योग लेल बहुत सुविधा द रहल अछि, निवेश सेहो भ रहल अछि, मुदा हम एतबा पाछु भ चुकल छी जे आन राज्यक बराबर एबा लेल हमरा विशेष छूट चाही, जाहि लेल हम केंद्र स विशेष राज्यक दर्जा मांगि रहल छी। मुख्यमंत्री कहला जे राज्य मे विकास क माहौल बनि चुकल अछि, एकरा कायम राखब हमरा सबहक जिम्मेदारी छी। कोनो हाल मे इ माहौल नहि बदलबाक चाही। अगर हमसब मिल कए विकास करबा लेल आगू बढब त बिहार जरूर देशक अग्रणी राज्य बनत। मुख्यमंत्री कहला जे किछु लोक कए बिहार मे सुइया क कारखाना नहि भेट रहल अछि, हम आग्रह करब जे साइकिल लेल बनल स्कोप कए सुइया क जगह पर हुनका उपहार स्वरूप पठा देल जाए।
गौरतलब अछि जे एखन तक बिहार मे साइकिल या त आयात होइत छल या फेर पुर्जा आयात क ओकरा जोडबाक काज होइत छल। मुदा आब बिहारक पहिल साइकिल निर्माण कंपनी अपन ब्रांड नेम यूएस साइकिलक संग उत्पादन शुरू क देलक अछि। उद्योगपति श्याम किशोर प्रसाद क इ सपना आब जमीन पर उतरि चुकल अछि। उद्योग विभाग सेहो श्री प्रसाद क एहि मे खूब मदद केलक अछि। एहि कंपनी क प्रस्ताव पर 6 नवंबर, 2011 कए विभाग मंजूरी देने छल। एहि कारखाना मे एखन 22 इंच आ 24 इंच मॉडल क साइकिलक उत्पादन होएत। श्री प्रसाद कहला जे यूएस साइकिलक कोनो पुर्जा आयात नहि कैल जाएत। मूल फ्रेम, मडगार्ड, चेन कवर, स्पोक, रीम सहित कुल आठ टा महत्वपूर्ण हिस्सा क निर्माण एहि ठाम पूरा कैल जाएत।
जानकारीक अनुसार एहि कारखाना मे एखन प्रतिदिन एक हजार साइकिलक उत्पादन होएत, लेकिन कारखानाक क्षमता कुल दू हजार साइकिल उत्पादनक अछि। एहि साइकिल कारखाना मे सालाना चारि लाख साइकिल क उत्पादन भ सकैत अछि। श्री प्रसाद क कहब अछि जे कारखाना स उत्पादन शुरू भेलाक बाद क्षमता बढेबा लेल उद्योग विभाग स आग्रह कैल जाएत।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

डीएमसीएच मे शुरू भेल बिहार क पहिल आ पूर्वोत्तर क दोसर बायोसेफ्टी लेवर तीन लैब

Esamaad Epaper Website

बिहार विवि कए 13.72 करोड़

Esamaad Epaper Website

एहन राजनीति स विकास कोना होएत

Comments 1

  1. मुरली धर says:
    12 years ago

    सुखद.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि