पटना/जमालपुर (मुंगेर) : बिहार मे प्रस्तावित अंतरजिला हवाईसेवा लेल एयरपोर्ट आ रनवे क मरम्मत क काज जारी अछि। भागलपुर एयरपोर्ट क मरम्मत अंतिम चरण मे अछि त मुंगेर आ बेगूसराय क लोक क हवाई सफर क सपना सेहो जल्द साकार होए जा रहल अछि। सरकार मुंगेर आ बेगूसराय स शीघ्र हवाई सेवा प्रारंभ करबाक योजना बना रहल अछि । सबकिछु ठीक रहल, त शीघ्र सफियाबाद हवाई अड्डा स हवाई जहाज उड़ान भरत। मुंगेर स हवाई सेवा प्रारंभ करबा लेल सफियाबाद हवाई अड्डा क कायाकल्प कैल जाएत जाहि मे दू करोड टकाक निवेश होएत। मुंगेर क जिलाधिकारी नरेंद्र कुमार सिंह कहला अछि जे सफियाबाद हवाई अड्डा क रनवे कए विकसित कैल जा रहल अछि। एहि लेल पटना स पायलट मिस्टर भगत आयल छथि। ओ 13 मई कए मुंगेर भवन प्रमंडल क कार्यपालक अभियंता राजेश कुमार क संग हवाई अड्डा क सर्वेक्षण केलथि। हवाई अड्डा क सर्वे भ गेल अछि आब शीघ्र प्रस्ताव तैयार क पटना पठाउल जाएत। दोसर दिस कैप्टन भगत कहला जे सरकार राज्य क सबटा पुरान एयर रनवे कए हवाई सेवा क माध्यम स देश क अन्य शहर स जोड़बा लेल प्रयासरत अछि । एहि लेल सफियाबाद हवाई अड्डा क सर्वे भेल अछि । सफियाबाद हवाई अड्डा स हवाई सेवा आरंभ करबा स पहिने एकर रनवे क लंबाई-चौड़ाई आओर बढ़ाउल जाएत। 10 सीटर हवाई जहाज लेल सुरक्षित लैंडिंग आ टेकऑफ लेल कम स कम तीन हजार वर्ग फीट जमीन चाही। जखनकि, जमीन सर्वेक्षण क अनुसार सफियाबाद हवाई अड्डा 2520 वर्ग फीट क दायरा मे अछि । एहि लेल एयरपोर्ट क रकबा बढेबा लेल जमीन अधिग्रहण कैल जाएत जाहि लेल शीघ्र टेंडर होएत। कैप्टन श्री भगत कहला जे मुंगेर क संगहि बेगूसराय कए सेहो हवाई मार्ग स जोडबा लेल स्थानीय एयरपोर्ट क मरम्मत क काज शुरू कैल जा रहल अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa