• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

वैशाली क स्तूप मे राखल जाएत बुद्ध क अस्थि

January 6, 2013
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे करुणा स्थल मे छह जगह स आनल गेल अस्थि कए राखल गेल अछि। मुदा पटना संग्रहालय मे राखल बुद्ध क मुख्‍य अस्थि कए अतिशीघ्र वैशाली मे एकटा नव स्तूप क निर्माण करा कए ओहि ठाम स्‍थापित कैल जाएत। ज्ञात हुए जे सम्राट अशोक अपन शासनकाल मे ओहि ठाम एकटा स्तूप बनवा चुकल छथि जाहि पर सिंह क मूर्ति अछि। एहन मे राजद नेता रघुवंश प्रसाद सिंह समेत पूरा उत्‍तर बिहार इ मांग करैत रहल अछि जे पटना संग्रहालय मे राखल भगवान बुद्ध क अस्थि कए वैशाली मे स्‍थापित कैल जाए। पटनाक बुद्ध स्‍मृति पार्क मे शुरू भेल तीन दिवसीय अंतरराष्ट्रीय बौद्ध संघ समागम मे मुख्य अतिथि क रूप मे बजैत मुख्यमंत्री कहला जे बिहार केवल 11 करोड़ बिहारवासी क नहि छी, बल्कि दुनिया भरि क बौद्ध धर्मवालंबी क धरती छी। हुनकर इ बयान 17 देश स आयल प्रतिनिधि कए भावविभोर क देलक आ ओ शांति क अदभुत माहौल मे ताली बजेबा स अपना कए नहि रोकि सकलाह। मुख्यमंत्री कहला जे भगवान बुद्ध स संबंधित सबटा स्‍थल कए विरासत मानि हम रक्षा करब। जाहि ठाम खुदाई क जरुरत अछि खुदाई कराउल जाएत। सरकार बौद्ध सर्किट कए विकसित करबा मे लागल अछि। मुख्यमंत्री सब साल भगवान बुद्ध क शिष्‍य सारिपुत्र आ महामोगली क जयंती मनेबाक घोषणा केलथि। कार्तिक पूर्णिमा क दिन सारिपुत्र आ अग्रहण अमावस्या कए महामोगलान क जयंती मनाउल जाएत। इ दूनू बिहार क रहनिहार छथि। मुख्यमंत्री कहला जे भगवान बुद्ध क उपदेश एखनो प्रासंगिक अछि आ सबदिन प्रासंगिक रहत। नीतीश प्रतिनिधि कए बिहार मे स्‍वागत करैत कहला जे बिहार अद्भुत जगह अछि एहि ठाम बुद्ध भेलाह, महावीर भेलाह, सिख आ अन्य धर्म क पीठ सेहो अछि। एहन सांप्रदायिक सद्भाव क वातावरण आर कतहु नहि भेट सकैत अछि। मुख्यमंत्री ताइवान, कंबोडिया, अमेरिका, ब्रिटेन, फ्रांस, जर्मनी, नेपाल, हांगकांग, श्रीलंका, जावा, म्यांमार आ अन्य देश स आयल प्रतिनिधि स बिहार क प्रगति लेल सहयोग क अपील केलथि। 30 मिनट क अपन संबोधन मे मुख्यमंत्री कहला जे 2005 मे जखन ओ दलाइ लामा स बिहार लेल आशिष मंगने छलाह त धर्मगुरु क उत्‍तर छल जखन बिहार कए भगवान बुद्ध क आशीर्वाद अछि तखन बिहार पाछु किया अछि। दलाइ लामा क मर्म कए बुझलाक बाद बिहार लगातार अपना कए आगू बढा रहल अछि। एकर तरक्की मे अहां सबहक सेहो योगदान हेबाक चाही। बिहार फेर विहार योग्‍य बनए, ज्ञानक केंद्र बनए इ बिहारी क इच्‍छा, इ बिहारीक कामना।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

मातृभूमि देख नोरायल राजकेश्वर क आंखि

Esamaad Epaper Website

निर्मल भारत अभियान लेल बिहारक 634 टा पंचायत क भेल चयन

Esamaad Epaper Website

इंदिरा आवास लेल भेटत 70 हज़ार टका

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

by संपादक
November 9, 2013
14
आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि