लखीसराय : मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जिला क सूर्यगढ़ा स्थित प्रखंड कार्यालय क मैदान स वीडियो कान्फ्रेसिंग क माध्यम स राज्यक 33टा जिला मे एरियल सर्वे कार्य क शुभारंभ केलथि। एहि अवसर पर कुमार कहला जे एकर माध्यम स सर्वेक्षण आ बंदोबस्ती क कार्य तीन साल मे पूरा भ जाएत। फेर अगिला पांच साल मे चकंबदी क कार्य पूरा क लेल जाएत। हवाई सर्वेक्षण क कारण इ काज तीन साल मे पूरा भ सकत। ओ कहला जे एहि काज कए पूरा भ गेलाक बाद बिहार मे भूमि विवाद क समस्या बहुत हद तक समाप्त भ जाएत।
स्थानीय केआरके मैदान मे आयोजित एकटा अन्य जनसभा कए संबोधित करैत ओ कहला जे बिहार क 76 फीसदी आबादी आइ कृषि पर निर्भर अछि आ सरकार कृषि आ किसान कए सुदृढ़ बनेबा लेल कईटा योजना चला रखने अछि। सरकार क प्रयास क परिणाम अछि जे आइ राज्य मे कृषि उत्पादकता तेजी स बढ़ल अछि। ओ कहला जे बिहार क वार्षिक योजना आकार महज 4 हजार करोड़ छल जेकरा राजग सरकार बढ़ा कए 34 हजार करोड़ क देलक अछि।
मुख्यमंत्री प्रदेश क समावेशी विकास क संकल्प लैत कहला जे राज्य क जनता हुनका पर विश्वास केलक अछि, ओ कोनो स्थिति मे एहि विश्वास कए टूटए नहि देताह। मुख्यमंत्री कहा जे आब बिहार जागि चुकल अछि आ विकास क पैघ छलांग लगेबा लेल तैयार अछि। मुख्यमंत्री कहला जे बिहार कहियो नरसंहार, फिरौती, हत्या आ लूट क घटना लेल बदनाम छल, मुदा आइ अमन-चैन आ विकास लेल देश-विदेश मे अलग पहचान बना चुकल अछि। श्री कुमार सभा मे उपस्थित मुंगेर क सांसद आ अपन पुराने सहयोगी राजीव रंजन सिंह दिस तकैत कहला जे श्री सिंह सेहो हुनसा स रूसल छलाह, मुदा कहिया धरि हमरा स रूसल रहि सकैत छलाह। आइ हमर संग छथि। भ सकैत अछि हमरा स कोनो गलती भ गेल हुए, मुदा गपशप स सबटा मामला सुलझैत अछि। ललन सिंह सेहो एहि अवसर पर कहला जे नीतीश संग जे विवाद छल ओ खत्म भ गेल। हम एक दोसर कए बुझबाक कोशिश कैल, आब हम सब एक छी।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa