• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

शोभा अहोतकर बैक टू बिहार

August 5, 2012
in समाचार
A A
3
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

ज्ञानेश्‍वर
पटना। सचमुच ‘हंटरवाली’ शोभा ओहतकर क बिहार वापसी राज्‍य क पुलिस लेल नीक समाद अछि। 1990 बैच क आईपीएस अधिकारी शोभा पिछला किछु साल स अपन गृह राज्‍य महाराष्‍ट्र मे प्रतिनियुक्ति पर छलीह। ओ एहि दरम्‍यान पुणे मे विभिन्‍न पद पर तैनात रहलीह। जानकारक कहब अछि जे शोभा पूणे मे सेहो अपन छाप छोडलथि अछि।
इ मानल जाए जे अपन कैडर मे पुनर्वापसी क बाद शोभा ओहतकर कए बिहार मे कोनो महत्‍वपूर्ण जिम्‍मेवारी भेटत। ओ आईजी क पोस्‍ट पर तैनात भ सकैत छथि। शोभा ओहि पुलिस अधिकारी मे स छथि जे सर्वाधिक चुनौतीपूर्ण स्थिति स निपटबा आ सब कीमत पर अपराध कए नियंत्रित करबा लेल तैयार रहैत छथि। क्राइम-कंट्रोल क मामले मे लेफ्ट-राइट क बाधा कए ओ सख्‍ती स निपटैत छथि।
दरभंगा-मधुबनी मे आईएसआई/आईएम क गतिविधि पर आइ जे हो-हल्‍ला मचल अछि, ओहि पर सबस पहिल दरभंगा क पुलिस कप्‍तान क रुप मे शोभा कर खुलासा केने छलीह। लगातार चलल आपरेशन स पाकिस्‍तान तक बैसल आतंक क बाप बौखला गेल छल। तखन दिल्‍ली पुलिस राठी स्‍टील क मालिक क बेटा क अपहरण मे पकडल गेल अपराधी स एकर राज खुलबेने छल जे शोभा ओहतकर कए मारबाक सुपारी सेहो लेल जा चुकल अछि। दाउद क गिरोह आपरेशन कए अंजाम देबा मे लागल अछि। तत्‍कालीन एकटा केन्‍द्रीय मंत्री सेहो साजिश मे शामिल बताउल गेल छलाह। एकर तुरंत बाद शोभा क तबादला दरभंगा स क देल गेल। सूत्रक कहब अछि जे शोभा ओहतकर कए तखन दरभंगा स नहि हटाउल गेल रहिते आ आपरेशन कए खुलल छूट भेटल रहिते त आइ इ नौबत नहि अबिते जाहि स पूरा मे दरभंगा माड्यूल क चर्चा भ रहल अछि। आइ बेर-बेर दोसर प्रदेश क पुलिस दरभंगा स आतंकी कए दबोचि रहल अछि।
दरभंगा टा नहि शोभा ओहतकर क कड़कमिजाजी क चर्चा हजारीबाग क कोल माफिया मे आइ धरि अछि। शोभाक नाम सुनि एखनो ओ कांपि जाइत छथि। अखंड बिहार मे हजारीबाग कए एहन जिला मानल जाइत छल जाहि ठाम पोस्टिंग क बोली धनबाद क बाद सबस बैसी लगैत छल। खुद अधिकारी मानैत छथि जे हजारीबाग क कमाई कई पुश्‍त कए विलासिता प्रदान क दैत अछि। एहि ठाम कियो ईमानदार जाइत छल, तखन पहिने त दू-चारिटा क लूट स चौतरफा फजीहत करा देल जाइत छल। शोभा ओहतकर क हजारीबाग पोस्टिंग सेहो शायद एहि परिस्थिति क देन छल।
चुनाव क समय छपरा मे शोभा ओहतकर छलीह। एकटा मंत्री बहुत उछल-कूद मे लागल छलथि। मुदा वोट क दिन एहि मंत्री जी क हालत त कोनो लायक न बचल। हेकड़ी कोना गुम होइत अछि,टीवी पर पूरा दुनिया देखलक। हाजीपुर मे सेहो इ दबंग आईपीएस अधिकारी अपराध जगत कए चूलें हिला कए राखि देलथि। ओना देखल जाए त शोभाक एएसपी क रुप मे रंगत पटना सिटी मे देखै लागल छल।
काफी सालक बाद हिनकर कार्यकुशलता कए फेर स देखबाक समय आयल अछि। ओना इ सही अछि जे आईजी क हैसियत मे अपराध-नियंत्रण क सीधा डंडा त हुनका लग नहि रहत मुदा लचर अधिकारी कए हांकबाक अधिकार जरूर रहत। सबस पैघ गप इ जे राजनीतिक दखल कए नहि बर्दाश्‍त करबाक तेवर नवका सरकार क व्‍यवस्‍था क संग कोना संतुलन बैसा रखैत छथि, इ देखबाक गप होएत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news
Share3TweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

कोलकाता मे होएत 'गीतगाइन' प्रतियोगिता

Esamaad Epaper Website

दू अक्‍तूबर कए पटना मे लागत गांधी क सबस पैघ प्रतिमा

Esamaad Epaper Website

राजगीर मे खाद्य प्रसंस्करण इकाई क उदघाटन

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

by संपादक
January 15, 2018
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि