राष्ट्रपति भवन स भवेश नंदन
नई दिल्ली। राष्ट्रपति प्रतिभा देवी सिंह पाटिल कहलथि अछि जे मिथिला भारतीय संस्कृति क केन्द्र अछि। मिथिलाक रहन-सहन अदभुत अछि। ओ कहलथि जे मिथिलाक पहचान दुनिया भरि मे सबस अलग अछि। एहि क्षेत्र क कईटा गौरव गाथा अछि। मिथिलाक लोक मृदुभाषी होइत छथि। महामहिम आई राष्ट्रपति भवन क दरबार हॉल मे मधुबनी स्थित भवनाथ-वेदमती चौधरी कॉलेज ऑफ एजुकेशन क सांकेतिक शिलान्यास केलथि। महामहिम एकर संगहि चानपुरा (मधुबनी) स्थित कृषि विज्ञान केन्द्र क नव निर्मित प्रशासनिक आ प्रशिक्षण भवन क सेहो सांकेतिक उदघाटन केलथि। एहि अवसर पर स्व. भवनाथ चौधरी क प्रतिमाक अनावरण सेहो महामहिम राष्ट्रपति क हाथ स भेल।
श्रीमती पाटिल महिला सशक्तीकरण आओर कृषि क विकास पर जोर देलथि। एहि लेल किया त महिला क विकास क बिना समाज क भला नहि भ सकैत अछि। ओ कहलथि जे किसान कए साधन उपलब्ध करेबा क जरूरत अछि। हुनका तकनीकी ज्ञान सेहो विकसित हेबाक चाही। राष्ट्रपति शिक्षा क विकास मे ट्रस्ट क योगदान क सेहो सराहना केलथि।
एहि स पूर्व एसके चौधरी शिक्षा न्यास क अध्यक्ष संत कुमार चौधरी राष्ट्रपति आ आगत अतिथि क स्वागत करैत कहलाह जे अहाँ सभहक सहयोग स न्यास दिनोदिन शिक्षा क क्षेत्र मे प्रगति क रहल अछि। चौधरी राष्ट्रपति कए जानकारी दैत कहला जे ट्रस्ट दिस स देश क विभिन्न हिस्सा मे 47टा शिक्षण संस्था कार्यरत अछि। एहि मे इंजीनियरिंग, प्रबंधन आ सामान्य शैक्षणिक संस्थान शामिल अछि। जल्द एकर संख्या सौ पार भ जाएत।
राष्ट्रपति भवन क दरबार हॉल मिथिला क रंग मे तखन रंगा गेल जखन मधुबनीक सांसद हुकुमदेव नारायण यादव अपन भाषण मैथिली मे शुरू केलथि। मैथिली मे भाषण सुनैत सम्पूर्ण दरबार हॉल थपड़ी क आवाज स गुंजि गेल। श्री यादव मिथिला क गौरवपूर्ण इतिहास क संबंध मे जानकारी दैत महामहिम राष्ट्रपति कए मिथिला दिस स अभिनंदन केलथि।
श्री यादवक भाषण क जिक्र महामहिम राष्ट्रपति अपन उदबोधन मे सेहो केलथि। ओ कहलथि जे हुकुमदेव नारायण जी क भाषण बुझबा मे त नहि आयल मुदा सुनबा मे बड्ड मधुर आ नीक लागल। लागल जेना कोनो पंडित वेदपाठ क रहल छलथि। महामहिम मैथिली भाषा क मिठास क संबंध मे कहलथि जे ई बड्ड मधुर भाषा अछि। मधुबनी (मिथिला) चित्रकला क महानता क संबंध मे सेहो ओ चर्च करैत कहलथि जे एहि मे मिथिलाक महिला क बड्ड पैघ योगदान अछि।
महामहिम जखन मैथिली क मिठास आ महत्व क चर्च करैत छलथि तखन कार्यक्रम मे बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री जगन्नाथ मिश्र सेहो उपस्थित छलाह। हुनक अलावा कार्यक्रम मे सांसद मंगनीलाल मंडल, स्वास्थ्य मंत्री बिहार अश्विनी चौबे, बिहार विधानपरिषद क पूर्व सभापति ताराकांत झा, विधायक विनोद नारायण झा, विधायक फैयाज अहमद, विनोद सिंह विधान पार्षद, पूर्व विधायक हरिभूषण ठाकुर बचौल आ पूर्व विधान पार्षद दिलीप चौधरी सहित अन्य गणमान्य लोक उपस्थित छलाह। समारोह मे कृषि अनुसंधान परिषद क निदेशक डा. एस अय्यपन सेहो उपस्थित छलाह। विधान परिषद सदस्य विनोद कुमार सिंह राष्ट्रपति कए सनेस क रूप मे मिथिला चित्रकला भेंट केलथि। हुनका केंद्र दिस स प्रकाशित पत्रिका क एकटा प्रति सेहो देल गेल। कार्यक्रम क अंत मे कृषि विज्ञान केन्द्र चानपुरा क निदेशक पी.सी चटर्जी धन्यवाद ज्ञापन केलथि।
रपट प्रस्तुति – नई दिल्ली स कल्पना वात्स्यायन
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper
Hukudev Ji ke Maithili me Bhasan dewak lel dhanyabaad a badhaai.