नई दिल्ली। नक्सलग्रस्त इलाका मे सडक निर्माणक गति आन नक्सग्रस्त राज्यक मुकाबले बिहार मे सबस बेसी अछि। केंद्र सरकार दिस स जारी एकटा सर्वे रिपोर्ट मे कहल गेल अछि जे बिहार क नक्सलग्रस्त इलाका मे सडक आन राज्य क मुकाबले काफी तेजी सबनल अछि। ज्ञात हुए जे नक्सलग्रस्त आठटा राज्य कए विकास क मुख्य धारा मे अनबा लेल एहि राज्य क एक लेन राजमार्ग कए दू लेन मे करबाक कार्यक्रम केंद्र क मदद स शुरू कैल गेल अछि। एहिमे राष्ट्रीय आ राज्य राजमार्ग दूनू शामिल अछि। एहि काज मे प्रगति क हिसाब स बिहार आओर आंध्र प्रदेश सबस आगू अछि, जखनकि झारखंड आ उत्तर प्रदेश सबस पाछु।
योजना क पहिल चरण मे नक्सलग्रस्त 82टा जिला मे स मात्र 34टा जिला कए लेल गेल अछि। जाहि ठाम 5477 किमी राजमार्ग चौडा करबाक अछि। एहि मे 1126 किमी राष्ट्रीय राजमार्ग आ 4351 किमी राज्य राजमार्ग शामिल अछि। प्रोजेक्ट पर 7300 करोड़ टका क लागत एबाक अनुमान अछि।
सबस बेसी 2092 किमी राजमार्ग क चौड़ीकरण छत्तीसगढ़ मे हेबाक अछि, एहि मे स 452 किमी क चौड़ीकरण भ गेल अछि। जखनकि 1500 किमी क ठेका जारी क देल गेल अछि। दोसर स्थान झारखंड क अछि। एहि ठाम 753 किमी राजमार्ग मे एखनधरि केवल 64 किमी क चौड़ीकरण भ सकल अछि। बाकी 645 किमी क ठेका देल गेल अछि, मुदा ओहि पर काज शुरू नहि भ सकल अछि।
रिपोर्ट क अनुसार सबस नीक काज बिहार मे भ रहल अछि। बिहार मे नक्सलग्रस्त इलाका मे सड़क सुधार योजना क तहत 674 किमी राजमार्ग क पहचान चौड़ीकरण क लेल भेल अछि। एहि मे स एखन धरि 527 किमी चौड़ीकरण भ गेल अछि। बाकी सेहो अगिला साल-डेढ़ साल मे पूरा भ जेबाक उम्मीद अछि। उत्तर प्रदेश मे नक्सलग्रस्त जिला क संख्या केवल तीन (मिर्जापुर, चंदौली आ सोनभद्र) अछि। लिहाजा केवल 64 किमी राजमार्ग क चौड़ीकरण हेबाक अछि। एहि मे स 19 किमी क काज पूरा भेल अछि। शेष अगिला साल-डेढ़ साल मे पूरा भ जेबाक उम्मीद अछि। मध्य प्रदेश क 237 किमी नक्सल ग्रस्त राजमार्ग मे स 72 किमी चौड़ा भ चुकल अछि। बाकी 144 किमी क ठेका जारी कैल जा चुकल अछि। जाहि पर दू साल मे काज पूरा भ जेबाक उम्मीद अछि। बाकी 21 किमी क ठेका शीघ्र देबाक उम्मीद अछि। बिहार जेकां आंध्र प्रदेश सेहो नीक काज केलक अछि आ ओहि ठाम 620 किमी मे स 428 किमी राजमार्ग चौड़ा भ चुकल अछि। बाकी पर काज चलि रहल अछि। महाराष्ट्र मे 420 किमी मे स 209 किमी क काज पूरा भ गेल अछि। ओडिशा मे 614 किमी मे स महज 94 किमी क चौड़ीकरण भ चुकल अछि।
कोन ठाम केतबा बनल सडक
राज्य…: कुल काज- काज पूरा
——————–
- बिहार…… 674… 527
- आंध्र…… .620… 428
- छत्तीसगढ़….2092.. 452
- झारखंड…..753.. 64
- मध्य प्रदेश…237… 72
- महाराष्ट्र…..420… 209
- ओडिशा……614… 94
- उत्तर प्रदेश….67… 19
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna