• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

सपना भेल साकार, छपरा रेल चक्‍का कारखाना मे उत्‍पादन शुरू

July 28, 2012
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना। सारण जिलाक दरियापुर स्थित बेला रेल चक्का कारखाना मे पहिया क उत्पादन शुरू भ गेल। एहि कारखाना स पहिल खेप मे छहटा पहिया जखन तैयार भ निकलल त एकटा पैघ सपना पूरा भ गेल। मुख्य मेकेनिकल इंजीनियर एके सिंह कहला जे एहि ठामक सबटा यूनिट कए एक संग चलबा पर काज क विस्‍तार होएत। ओ कहला जे एखन छह दिन धरि इ ट्रायल चलत जाहि मे करीब 12-13 सौ पहिया क उत्‍पादन होएत।
ज्ञात हुए जे शनिदिन वैदिक मंत्रोच्चारण क बीच निर्माण काज क शुभारंभ भेल छल। चिमनी स जखन धुआं निकलल त ओहि ठाम उपस्थित कईटा मजदूरक आंखि नोरा गेल। करीब तीन-चारिटा अधिकारी भोर दस बजे दहकैत भट्ठी मे लोहा कए गलेबाक काजक शुरूआत केलथि। एकर बाद अधिकारी आ एलएनटी क इंजीनियर अपन-अपन काज मे लागि गेलाह। 15 हजार करोड़ क लागत स तैयार रेल कारखाना मे पहिया क उत्पादन काज फिलहाल ट्रायल क रूप मे शुरू कैल गेल अछि। पहिल खेप मे तैयार छह टा पहियाक संबंध मे अधिकारीक कहब अछि जे सबटा पहिया सब तरह स ठीक अछि। पहिया क ढांचा आ गुणवत्‍ता देख इंजीनियर आ कर्मी मे काफी उल्लास अछि।
जानकारी क अनुसार बेला रेल चक्का कारखाना स गत 19 जुलाई कए पहिया उत्‍पादन सुनिश्चित छल, मुदा कोनो कारणवश काज शुरू नहि भ सकल। एकर बाद 21 जुलाई क तिथि निर्धारित कैल गेल। 21 कए मशीन मे किछु तकनीकी खराबी आबि गेल जाहि स काज क शुभारंभ नहि भ सकल। एकर बाद जर्मनी स एक्सपर्ट बजाउल गेल। एक्सपर्ट काफी प्रयास क मशीन कए ठीक केलथि। एकर बाद कारखाना स पहिल खेप मे छहटा सही पहिया निकालल गेल। एहि संबंध मे आरएलबीयू क असिस्टेंट इंजीनियर सुजय कुमार सिंह क कहब अछि जे सबटा पहिया मानक पर ढार उतरल अछि। ओ कहला जे एखन एक दिन मे कम स कम 30टा पहिया निकालबाक उम्मीद अछि। ओ कहला जे सबटा मशीन ठीक तरह स काज क रहल अछि। जर्मन एक्सपर्ट क देखरेख मे फिलहाल मशीन क संचालन भ रहल अछि। ज्ञात हुए जे जुलाई 2009 मे तत्कालीन रेल मंत्री लालू प्रसाद एकर शिलान्यास केने छलाह।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिजली क्षेत्र मे बिहार कए भेटल ‘महासनेस’

Esamaad Epaper Website

बिहार कए चाही एकटा आओर एम्‍स : कीर्ति

मैथिलक कासी-कावा मे गुंजल कलरव

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

by संपादक
June 4, 2021
0
कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

पटना : कोरोना मामलाक सुनवाई क दौरान राज्य सरकार दिस स देल गेल हलफनामा मे हाईकोर्ट कए कहल गेल अछि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि