• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home फीचर

समानता क अदभुत उदाहरण अछि छठ

November 18, 2012
in फीचर, समाचार
A A
55
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

सुनील कुमार झा
देखल जाइत अछि जे दुनिया उगैत सूर्य कए पहिने प्रणाम करैत अछि, मुदा बिहार मे पहिने डूबैत सूर्य कए प्रणाम करबाक प्रथा अछि, किया त जे डूबैत अछि अगिला दिन ओकर उगब निश्चित अछि। बिहार क लोकआस्था स जुड़ल पर्व “छठ” क पहिल अर्घ नहाय खाय क संग शुरू भ गेल।

दुनिया क सबस कठिन वर्त – चारि दिनक इ व्रत दुनिया क सबस कठिन व्रत मानल जाइत अछि। सूचिता क पर्व पवित्रता क एकटा मिशाल अछि। नहाय-खाय स लकए भोरका अर्घ तक व्रती पूरा निष्ठा क पालन करैत छथि। भगवान् भास्कर कए 36 घंटा क निर्जल व्रत स सब कए धन, धान्य, समृधि आदि भेटैत अछि।
नहाय खाय – 17 नवंबर ( एहि दिन व्रती कद्दू(सजमनि) क तरकारी, चने(बूट) क दाल, आ अरवा चाउर क भात खाइत छथि।)
खरना – 18 नवंबर ( दिनभरि उपवास राखि कए सांझखन व्रती खीर-रोटी खाइत छथि, एकर बाद 36 घंटा क उपवास शुरू भ जाइत अछि।)
संध्या अर्घ – 19 नवंबर ( जल मे ठार भ बिना कोनो मंत्रोच्‍चार कए अस्ताचलगामी सूर्य कए अर्घ देल जाइत अछि।)
प्रातः अर्घ – 20 नवंबर ( उदयीमान सूर्य कए अर्घ क संग लोक आस्था क महापर्व छठ क समापन।)

सामूहिकता क प्रतीक – सामूहिकता क मामला में इ पर्व अपना आप मे असगर अछि। एहन पर्व दुनिया मे शायद नहि भेटत। एहि मे नहि केवल आस्था स सबस ऊपर रहैत अछि बल्कि धर्म आ जाति क कोनो भेदभाव नहि देखाइत अछि। एक संग समूह मे जल मे ठार भ भगवान् भाष्कर क अर्चना सब भेदभाव कए मिटा दैत अछि। के ब्राहमण के दलित सब एक कतार मे ठार भ अर्घ दैत अछि। तहिना के अमीर आ के गरीब सब एक समान जल स अर्घ दैत अछि। के बौक के मुंहगर, के अनपढ, के शिक्षित सब लेल इ पर्व एक समान अछि। नहि कोनो पोथी आ नहि कोनो मंत्र। आडंबर करबाक प्रयास तक एहि पर्व मे दोष क भागी बना दैत अछि। जाहि प्रकार भगवान् आदित्य अपन प्रकाश देबा में कोनो भेदभाव नहि रखैत छथि तहिना हुनक भक्‍त क बीच सेहो कोनो भेदभाव नहि रहैत अछि। सूर्य क रोशनी लेल महल आ झोपडी मे कोनो अंतर नहि होइत अछि तहिना छठ क प्रसाद मे अमीर आ गरीब क अंतर देखार नहि होइत अछि। सच मायने मे छठ एकटा लोक पर्व छी। जाहि मे समाजक हर तबका क लोग एक संग ठार होइत अछि।

आस्था क नाम पर भ रहल व्यापार – छठ पर्व क त्यौहार अंग देश स शुरू भेल छल, एहि कारण स एहि पूजा मे अंग मे पैदा होइवाला फल आ सामग्री क विशिष्ठता रहैत अछि, जेना गन्ना(कुसियार), नेबो, सिंघार आदि। इ सब चीज अंग क्षेत्र मे प्रचुर मात्र मे भेटैत अछि। तहिना दलित क घर बनल बांस आ माटिक सामान अनिवार्य रूप से एहि मे उपयोग कैल जाइत अछि। मुदा बाजारवाद क कारण छठ अपन मूल भावना स हटल जा रहल अछि आ एकर स्‍वरूप बदलल जा रहल अछि। लोक एहि पर्व क आत्‍मा कए मारि आडंबर मे विश्‍वास कए रहल अछि। देसी खुसबू स दूर होइत इ पर्व पूर्ण रूप स ग्लोबलाइजेशन क भेंट चढ़ल जा रहल अछि। दलित त भागीदारी कए खत्‍म करैत लोक बांस क सूप क जगह पीतल, ताम्बा, सोने आ चांदी क सूप क प्रयोग करैत अछि। फल क सेहो रंग बदलि गेल अछि, अंग क फसलक जगह काजू बादाम ल लेलक अछि। सूचिता आ आस्था क इ त्यौहार फैशन आ अंतर्राष्ट्रीय बाजार क कारण सादगी क बदला मे आइ रौनक पूर्ण भ गेल अछि। छठि क घाट पर अमीरी आ गरीबी देखार भ रहल अछि आ बहुत ठाम त जातिभेद देखेबा लेल पुरहित सेहो ठार भ जाइत छथि। कुल मिला कए छठि क जे सबस पैघ आ महत्‍वपूर्ण पक्ष अछि ओ नष्‍ट भ रहल अछि। एकरा बचेबाक जरूरत अछि, नहि त छठि छठि नहि रहत, केवल नाम रहि जाएत आ आत्‍मा खत्‍म भ जाएत।

जखन औरंगजेब सेहो बदलि देलक फैसला – औरंगाबाद जिला क देव सूर्य मंदिर छठ लेल बहुत प्रसिद्ध अछि। कहल जाइत अछि जे मुग़ल शासक औरंगजेब जखन मंदिर कए नष्‍ट करबाक क्रम मे देव पहुंचल त एहि मंदिर कए सेहो तोडबाक आदेश देलक। मुदा भक्‍तसब एकरा नहि तोडबाक अनुरोध केलक। लोक एकर मान्यता आ शक्ति क संबंध मे औरंगजेब कए जानकारी देलक। एहि पर औरंगजेब कहलक जे अगर काल्हि भोर त एहि मंदिर क पट पूरब स पश्चिम दिस भ जाएत त हम मानि लेब जे सूर्य मे शक्ति अछि आ अगर एहन नहि भेल त मंदिर तोडि देब। कहल जाइत अछि जे अगिला भोर जखन देल गेल त मंदिर क द्वार पूर्व क बदला मे पश्चिम मे छल। इ देखकए औरंगजेब एहि मंदिर कए तोडबाक आदेश वापस ल लेलथि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna
Share55TweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

पत्रकार डॉ अनुज नहि रहलाह, रांची स्‍तब्‍ध, पटना में शोक

पटना क भगदड मे हेरा गेल सुशासन

Esamaad Epaper Website

कामेश्‍वर सिंह क जयंती पर जुटताह देश क विद्वान

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

by संपादक
January 15, 2018
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि