• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

समान अवसर देबा मे जाति नहि जरुरत देखबाक चाही : पाठक

April 20, 2015
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना । सुलभ अंदोलन क जनक डॉ0 विन्देश्वर पाठक कहला अछि जे दू गोट मानव क बीच विषमता त दूर कैल जा सकैत अछि, मुदा ओकर बीच जे अंतर अछि ओ मिटायब संभव नहि अछि । श्री पाठक शुक्रदिन मैथिली साहित्य संस्थान व पटना संग्रहालय क संयुक्त तत्वावधान मे आयोजित संगोष्ठी मे मुख्यधारा मे वंचित समाज विषय पर बाजी रहल छलाह । सरकार क नीतिक आलोचना करैत श्री पाठक कहला जे सरकार मे बैसल लोक विषमता आ अंतर में फर्क नहि बुझि रहल अछि आ विषमता दूर करबा लेल अंतर मिटेबाक निअर्थक प्रयास मे लागल अछि । श्री पाठक कहला जे छुआछूत एकटा विषमता अछि । जीव निर्माण करनिहार तत्व हमरा एक दूसर स अलग करैत अछि, हमरा आ अहां क बीच एहि अंतर कए कियो नहि मिटा सकैत छी, हम प्रकृति कए नहि बदलि सकैत छी । मुदा विषमता प्रकृतिक देन नहि अछि । लोक क मानसिकता बदलि कए समाज स छुआछूत मिटाउल जा सकैत अछि । विषमता क कारण आइ समाज मे सब कए समान अवसर नहि भेट रहल अछि । सबकए समान नजरि स देखबा लेल सरकार क नीति क आलोचना करैत श्री पाठक कहला जे ज्योतिषक काज केनिहार कए गाय देला स कोनो फायदा नहि अछि, ओकरा गाय स बेसी पंचांग क जरुरत अछि, मुदा लंदन मे पढल नौकरशाह दिल्ली मे जे समान अवसर देबाक योजना तैयार करैत छथि ओहि मे सबकए गाय देबाक प्रावधान क दैत अछि । समान अवसर देबा मे धर्म बा जाति क भेद नहि,  बल्कि ओकर जरुरत देखबाक नीति हेबाक चाही । बिहार रिसर्च सोसायटी के सभागार मे आयोजित एहि कार्यक्रम मे श्री पाठक कहला जे समाज मे विषमता कए दूर करबा लेल कोनो एक वर्ग कए तिरस्कार क दोसर कए ओकर समान नहि बनाउल जा सकैत अछि । दूनू कए संग अगर बैसेबाक अछि त इ शांति आ समझौता स संभव अछि । आइ एकटा वाल्मिकी समाज क महिला अगर एकटा क्षत्रिय मंत्री राजनाथ सिंह कए अपन आठि खुएबाक हिम्मत देखा रहल अछि त इ सब शांति आ समझौता स संभव भ सकल अछि । इ बदलाव सामान्य सोच क परे अछि । एहन बदलाव अहिंसा टा स संभव अछि । जे सुधार समाज क हर वर्ग स्वीकार करे, वैह सुधार युग बदलि सकैत अछि, विषमता दूर क सकैत अछि । गांधीवाद क चर्चा करैत श्री पाठक कहला जे गांधीवाद हुनकर खादी, मांस निषेद बा बकरीक दूध मे नहि अछि । इ सब तत्व हमरा आ गांधी मे अंतर करैत अछि । गांधीवाद गांधी क विचार कए आत्मसात करब अछि । सुलभ आंदोलन गांधी क विचार कए आत्मसात केलक आ हुनकर विचार क सबस पैघ व्यावहारिक प्रयोग केलक । हम अहिंसा स पांच हजार साल पुरान प्रथा कए खत्म क देल । आइ सुलभ क प्रयास स 80 फीसद अछूत मुख्यधारा मे शामिल कैल जा चुकल अछि । जे हुनका छूबा स परहेज करैत छल, ओ आइ हुनकर बनाउल भोजन खा रहल अछि ।  श्री पाठक कहला जे कोनो समस्या क अध्ययन क उपसंहार तखन होइत अछि जखन अहां ओकर व्यावहारिक निराकरण करैत छी । किताब मे लिखब आ शोध पत्र से आगू समाज मे जमीन पर ओकर उतारबा लेल हम सुलभ क खोज कैल । अगर सुलभ शौचालय क खोज नहि भेल रहितए त आइ गांधी क इ सपना पूरा नहि भ सकैत छल । हम समस्याक निराकरण लेल तकनीक तकलहुं आ अछूत क आगू अवसर आ विकल्प रखलहुं । समाज क अन्य वर्ग जेकां आकर सेहो संस्कार देलहुं । ओ आब पढाई क रहल अछि, मंदिर जा रहल अछि, भोजन पका रहल अछि । जेना हम अहां जीव रहल छी, तहिना ओ सेहो जीव रहल अछि । इ सबकिछु एहि लेल भेल किया त जाहि कारण स हुनका मे आ समाज क अन्य वर्ग मे विषमता छल हम ओहि कारण कए समाप्त करबा लेल तकनीक क सहारा लेलहुं । जखन ओ कारण खत्म भ गेल, त फेर विषमता सेहो अपने आप खत्म भ गेल । एहि स पहिने श्री पाठक क पुष्पगुच्छ स पटना संग्रहालय क निदेशक जेपीएन सिंह स्वागत केलथि । तदुपरांत स्वागत भाषण दैत मैथिली साहित्य संस्थान क अध्यक्ष इंद्रकांत झा कहला जे इ खुशी क गप जे श्री पाठक आइ हमरा सबहक बीच छथि । श्री पाठक बिहारक आ खास क मिथिलाक एहन पुत्र छथि जे दुनिया भरि मे एहन काज लेल प्रसिद्ध छथि जे काज पांच हजार वर्ष स कियो नहि क सकल छल । अपन अध्यक्षीय भाषण मे प्रसिद्ध समाजशास्त्री डा0 हेतुकर झा कहला जे श्री पाठक सन लोक कए सुनब किछु ने किछु नव जानकारी प्राप्त करब अछि । श्री पाठक मैथिली साहित्य संस्थान मे आबि एहि संस्थान कए अंतर्राष्ट्रीयता प्रदान क देलथि । धन्यवाद ज्ञापन करैत बिहार रिसर्च सोसाइटी क शोध सहायक डॉ0 शिवकुमार मिश्र कहला जे मैथिली साहित्य संस्थान क जखन स्थापना भेल छल तखन दरभंगा क कुमार शुभेश्वर सिंह, लक्ष्मीपति सिंह, जस्टिस सुशील कुमार झा जइसन लोक एकर संरक्षक छलाह । आइ ओहन लोकक समाज मे कमी देखि रहल छी। एहन मे डॉ0 पाठक अगर संस्थान क संरक्षक क भूमिका स्वीकार करतथि त इ सामाजिक विकास लेल एकटा पैघ आयाम खुलत । मंच का संचालन संस्थान क सचिव भैरव लाल दास केलथि । श्री दास अपन संबोधन मे सूचिता पर विश्वस्तर पर भेल काज क संग संग श्री पाठकक काज पर सेहो प्रकाश देलथि । एहि अवसर पर सभागार पूरा भरल छल ।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

दरभंगा मे लागत सुलभ जल क पहिल विधिवत प्लांट

Esamaad Epaper Website

संस्कृत शिक्षा कए बढावा देबा लेल 66 लाख क दान

Esamaad Epaper Website

तीनटा ट्रांसमिशन लाइन स जुडत उत्तर आ दक्षिण बिहार

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि