सहरसा। पूर्णिया क बाद आब सहरसा स सेहो विमान सेवा शुरू होएत। सहरसा एयरपोर्ट क निरीक्षण केलाक बाद बेंगलुरू क कंपनी स्प्रीट एयर एंड डीटीडीएस टूर एंड ट्रेवल्स प्लानर क प्रतिनिधि कहला अछि जे एहि ठाम स विमान सेवा शुरू करबाक कंपनी फैसला लेलक अछि, मुदा ओ इ जरूर कहला जे इ सेवा अगिला साल तक शुरू होएत।
उत्तर बिहार मे परती बनल एयरपोर्ट क रनवे क संबंध मे इ’समाद तीन साल स लगातार लिख रहल अछि आ एहि आधारभूत संरचनाक आम आदमी लेल उपयोग करबाक मांग उठबैत रहल अछि। इ’समाद क एहि पहल क बाद किछु ठामक प्रशासन आ जनप्रतिनिधि सक्रिय भेलाह जेकर परिणाम धीरे धीरे सामने आबि रहल अछि। पूर्णिया क बाद भागलपुर आ सहरसा क प्रशासन आ जनप्रतिनिधि सबस बेसी सक्रिय भेला आ जखन एयरपोर्ट क निरीक्षण लेल प्रतिनिधि सहरसा पहुंचलथि त स्थानीय विधायक डॉ आलोक रंजन आ जिला प्रशासन क प्रतिनिधि हुनक संग छलथि आ सहयोग क आश्वासन दैत रहलाह। कंपनी क जमशेदपुर एयरपोर्ट मैनेजर सचिन प्रसाद आ संदीप सिन्हा एहि संबंध मे कहला जे बिहार मे कईटा रनवे पर बिना कोनो मरम्मत कए छोटे विमान उतारल जा सकैत अछि। छोट विमान क उड़ान लेल एयरपोर्ट क जे मानक क्षमता होइत अछि ओ सहरसा मे उपलब्ध अछि। मुदा विमान क लैंड क सुरक्षा क दृष्टि स एयरपोर्ट कए क्लीन करबा लेल पौने इंच क मेटेरीयल हॉट मिक्स स लेयर भ जाए त विमान कए लैंड करबा मे बेसी सुविधा होएत।
ओ संगहि जिला प्रशासन आ विधायक स एयरपोर्ट क सेफ्टी लेल एंबुलेंस आ फायरबिग्रेड क सुविधा क आवश्यकता जतेलथि अछि संगहि यात्री लेल एकटा छोट सन पैसेंजर लॉन क सेहो मांग केलथि अछि।
विधायक श्री रंजन कंपनी क प्रतिनिधि कए आश्वस्त करैत 990 मीटर लंबा रनवे कए क्लीन करबा लेल आ सेफ्टी व्यवस्था क संग पैसेंजर लॉन उपलब्ध करबाक आश्वासन देलथि अछि आ आशा केलथि अछि जे बहुत जल्द एहि ठाम इ सब तैयार भ जाएत। ओ कहला जे सहरसा स छोट सरकारी विमान सेवा शुरू करेबा लेल सेहो ओ प्रयासरत छथि। एहि संबंध मे ओ सरकार कए पत्र लिखलथि अछि।
श्री प्रसाद कहला जे जल्द पूर्णिया स पैघ विमान सेवा शुरू होएत। ओ कहला जे कंपनी सहरसा कए सिटी टाउन कोलकाता, पटना स जोड़बा लेल तैयार अछि आ इ सेवा शुरू करबा लेल केना की करबाक अछि ताहि लेल विशेष तौर पर एयरपोर्ट क निरीक्षण लेल ओ सहरसा आयल छथि। श्री प्रसाद कहला जे सेवा शुरू भेला पर 20 मिनट मे सहरसा स पटना आ पौने दू घंटा मे कोलकाता क दूरी तय क लेल जाएत।
ओ कहला जे पूर्णिया स रिस्पॉन्स कए देखैत टाटा आ दिल्ली लेल सेहो विमान सेवा निकट भविष्य मे शुरू कैल जा सकैत अछि। निरीक्षण क मौका पर ओएसडी सच्चिदानंद चौधरी, जिला योजना पदाधिकारी संजय कुमार गंगवाल सहित अन्य मौजूद छलाह।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna