• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

सांझ 6 बजे स डीडी भारती करत दरभंगा ध्रुपद समारोह क सीधा प्रसारण

February 8, 2013
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter
  • दरभंगा मे विश्‍वस्‍तरीय ध्रुपद समारोह 15 फरवरी स 
  • तीन दिवसीय समारोहक दूरदर्शन करत सीधा प्रसारण 
  • दरभंगा घरानाक तीन पीढी एक संग देत प्रस्‍तुति 
  • डागर बंधु समेत गुंदेजा ब्रदर सेहो होएत आकर्षण क केंद्र 
  • एक बेर फेर अपन रंग मे रंगा जाएत दरबार हॉल 


नई दिल्‍ली । उत्‍तर भारत मे बनारस क बाद शास्‍त्रीय संगीत क सबस पैघ संरक्षक दरभंगा मे एक बेर फेर विश्‍वस्‍तर क कलाकार अपन प्रस्‍तुति देताह। दूरदर्शन, नई दिल्‍ली आ पंडित विदुर मल्लिक अकादमी, इलाहाबाद संयुक्‍त रूप स दरभंगा मे ध्रुपद समारोह आयोजित करबाक निर्णय लेलक अछि। इ ध्रुपद समारोह 2013 क 15 स 17 फरवरी धरि दरभंगा क लक्ष्‍मीविलास पैलेस क दरबार हॉल मे आयोजित होएत। दूरदर्शन एहि तीन दिवसीय समारोह कए विश्‍वस्‍तर पर सीधा प्रसारण करबाक तैयारी शुरू क देलक अछि। पटना दूरदर्शन एहि लेल तकनीकी काज पूरा क चुकल अछि। डीडी भारती पर सांझ 6 बजे स रातिक नौ बजे तक एहि कार्यक्रम कए दरभंगा स सीधा प्रसारण देखल जा सकैत अछि।
तीन दिनक एहि समारोह मे कुल नौटा सत्र होएत। पहिल दिन समोराह क शुरुआत दरभंगा घराना क युवा जोडी प्रशांत मल्लिक आ निशांत मल्लिक (मल्लिक ब्रदर) क प्रस्‍तुति स होएत। ओकर बाद उमाकांत गुंदेजा आ रमाकांत गुंदेजा (गुंदेजा ब्रदर) अपन प्रस्‍तुति देताह। विश्‍व क सर्वश्रेष्‍ठ पखावज वादक आ दरभंगा घरानाक रत्‍न रमाशीष पाठक क प्रस्‍तुति स पहिल दिनक तेसर सत्र संपन्‍न होएत। दोसर दिन क पहिल सत्र मे दरभंगा घराना क रामकुमार मल्लिक आ सुमित मल्लिक क प्रस्‍तुति होएत। दोसर सत्र मे पद्मश्री उस्ताद वसीफुद्दीन डागर क प्रस्‍तुति सुनबा लेल भेट। दरभंगा घरानाक वयोवृद्ध गायक पंडित अभय नारायण मल्लिक क प्रस्‍तुति स दोसर दिन क तेसर सत्र संपन्‍न होएत। तेसर दिनक पहिल सत्र मे राधागोविंद दास क प्रस्‍तुति होएत। दोसर सत्र मे पुष्‍प राज कोस्‍टी आ बहाउद्दीन डागर (रूद्रवीणा) क प्रस्‍तुति होएत। दरभंगा घराना क प्रेम कुमार मल्लिक क प्रस्‍तुति क संग तेसर दिनक आखरी सत्र संपन्‍न होएत।
पंडित विदुर मल्लिक अकादमी क पदाधिकारी आ देशक सबस काबिल युवा ध्रुपद क गायक प्रशांत मल्लिक एहि आयोजन क संबंध मे जानकारी दैत कहला जे इ आयोजन एक प्रकार स विदुर मल्लिक कए श्रद्धांजलि छी। श्री मल्लिक कहला जे केवल दरभंगा लेल नहि बल्कि बिहार लेल इ आयोजन एकटा मीलक पाथर साबित होएत। बिहार मे शास्‍त्रीयसंगीत क सूखाइत रसधार मे इ आयोजन एकटा जलप्रवाह जेकां होएत। ओ कहला जे पटना दूरदर्शन पहिने एहि आयोजन लेल पटना क चुनाव केने छल, मुदा नई दिल्‍ली निदेशालय मे जखन एहि प्रस्‍ताव पर चर्च भेल आ ध्रुपद मे दरभंगा क योगदान आ विदुर मल्लिक क गृह नगर कए रेखांकित कैल गेल त दूरदर्शन क निदेशक त्रिपुरारी शरण एकर आयोजन दरभंगा मे करबा क निर्देश देलथि अछि। पहिने इ आयोजन दिसंबरक आखरी सप्‍ताह मे हेबाक छल, मुदा दरभंगा स सीधा प्रसारण लेल पटना दूरदर्शन लग उपयुक्‍त सर्वर नहि अछि। पटना दूरदर्शन क कहब अछि जे इ सर्वर जनवरी तक लगा लेल जाएत, ताहि लेल एहि आयोजन कए फरवरी मध्‍य तक बढा देल गेल अछि। श्री मल्लिक कहला जे राष्‍ट्रीय स्‍तर पर भ रहल एहि आयोजन मे पंडित विदुर मल्लिक अकादमी, इलाहाबाद कलाकार लेल ठहरबाक, भोजन आ यातायात क व्‍यवस्‍था करत जखन कि बाकी काज दूरदर्शन क जिम्‍मा मे अछि। ओ कहला जे पहिने दिन मे ध्रुपद पर सेमिनार क आयोजन क सेहो प्रस्‍ताव छल, मुदा ओहि पर एखन धरि अंतिम फैसला नहि लेल गेल अछि। ओ दावा केलथि जे इ आयोजन ग्‍वालियर आ जयपुर जेकां शाही अंदाज मे होएत आ दरभंगा क पुरान प्रतिष्‍ठा घुरेबा क प्रयास होएत।
उत्‍तर बिहार मे शास्‍त्रीय संगीत क सूखाइत रसधार
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna
—————–
DHRUPAD DHAM FESTIVAL

Three Days Dhrupad festival at DARBAR Hall, DARBHANGA
Organized by Doordarshan PATNA
In Colloboration with Pandit Bidur Mallick Dhrupad Academy, Allahabad
LIVE Broadcast on DD Bharati Television
Everyday from 6.00 PM to 9 PM, 15th FEB to 17th FEB 2013

Programme Schedule

15 FEB 2013

1. Shri Prashant Mallick and Shri Nishant Mallick – Dhrupad Vocal
Shri Kaushik Kumar Mallick – Pakhawaj Accompaniment
2. Pandit Ramashish Pathak – Pakhawaj Solo
Dr Anil Chowdhery & Shri Sangeet Kumar
Pathak – Pakhawaj support
3. Shri Indra Kishore Mishra – Dhrupad Vocal
Shri Arun Pathak – Pakhawaj Accompaniment
4. Pandit Umakant Gundecha & Pandit Ramakant Gundecha (Bhopal) – Dhrupad Vocal
Shri Shri Akhilesh Gundecha – Pakhawaj Accompaniment

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

16 FEB 2013

1. Pandit Ravishankar Upadhyaya – Pakhawaj Solo
Shri Roshan Ali – Sarangi Lehra
2. Shri Sukhdev Chaturvedi – Dhrupad Vocal
Dr. Rajkhushi Ram – Pakhawaj Accompaniment
3. Shri Ram Kumar Mallick & Shri Samit Kumar Mallick – Dhrupad Vocal
Shri Ramesh Kumar Mallick – Pakhawaj Accompaniment
4. Pandit Abhay Narayan Mallick – Dhrupad Vocal
Shri Sanjay Mallick – Vocal Support, Shri Roshan Ali – Sarangi Accompaniment
Shri Vijay Ramdas – Pakhawaj Accompaniment

17 FEB 2013

1. Shri Uday Kumar Mallick – Dhrupad Vocal
Shri Ashutosh Upadhyay – Pakhawaj Accompaniment
2. Shri Radhagovind Das – Dhrupad Vocal

Shri Tapas Kumar Das – Pakhawaj Accompaniment
3. Shri F.Wasifuddin Dagar – Dhrupad Vocal
Shri Mohan Shyam Sharma – Pakhawaj Accompaniment
4. Pandit Prem Kumar Mallick – Dhrupad Vocal
Shri Santosh Mishra – Sarangi Accompaniment
Shri Anand Kumar Mallick – Pakhawaj Accompaniment

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

प्रणब दा कए धन्‍यवाद, आम लोक लेल खुलल राष्‍ट्रपति भवन

Esamaad Epaper Website

आखिर भेल कुलपति सबहक नियुक्ति, आठ मे स छह टा पुरान नाम

Esamaad Epaper Website

बढल आमदनी, मुदा सुस्त भेल विकास दर

Comments 1

  1. Santoshi Kumar says:
    10 years ago

    ,
    Sabistrit samachar prastut karak lel dhanyabad. Bahud din ke bad Darbhanga (Mithila) ke lel Khusi aa gaurab ke samachar sunba me ayal.Anyatra rahbak karne, darsak dirgha me bais ehi karyakram ke dekhbak saubhagya nahi bhetat muda DD par ham awasya dekhab.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि