• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

सात करोड क रंगदारी प्रकरण : आगि जरूर अछि, मुदा धधरा नहि

October 30, 2012
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

ज्ञानेश्‍वर
पटना।
काफी समय क बाद रंगदारी क मांग फेर स चर्चा मे अछि । केन्द्र मे जेल मे बंद जदयू क पूर्व विधायक मुन्ना शुक्ला छथि । दू करोड़ स शुरु भेल कहानी सात करोड़ क मांग तक जा पहुंचल अछि । समय क हिसाब स इ चार नवंबर कए जदयू क आयोजित रैली स जुडि गेल अछि । मीडिया विशेष क इलेक्ट्रानिक हल्‍ला बोल क भूमिका मे अछि । विपक्ष कए सेहो मुद्दा भेट गेल अछि।
शिकायती संत लाल यादव छथि,जे मुन्ना शुक्ला क प्रभाव वाला क्षेत्र मे एकटा शैक्षणिक संस्थान क निर्माण करा रहल छथि । मुदा पूरा मामला मे किछु झोल सेहो दिखा रहल अछि । पुलिस प्रारंभिक जांच क आधार पर आरोप क पुष्टि केलक अछि,संगहि विस्‍तारित जांच क आवश्‍यकता सेहो महसूस केलक अछि। बिहार क अंडरवर्ल्ड आ एकर किरदार क हैसियत कए बहुत करीब स देखनिहार छी। संत लाल यादव क संपदा कए सेहो हद तक जानैत छी। मांग भेल होएत, एहि स असहमत नहि भेल जा सकैत अछि, मुदा सात करोड़, इ नहि मानल जा सकैत अछि। आओर ओ सेहो अधिकार रैली क खर्चा लेल इ त हजम नहि भ सकैत अछि ।
बिहार क अंडरवर्ल्ड कए जेतबा महारथी एखन धरि भेल छथि, हम नहि जनैत छी जे कियो एखन धरि सात करोड़ क मांग करबाक कूवत रखैत छथि । सात करोड क धन राशि कियो एहिना नहि मांगि सकैत अछि आ नहि कियो एहिना द सकैत अछि। शुक्र अछि जे बिहार मे एखन अपहरण इंडस्‍ट्री बंद अछि,मुदा तहिया चलैत छल तखनो सात करोड़ क फिरौती नहि वसूलल जा सकल छल। अपहरण इंडस्ट्री क चर्चा एहि संदर्भ मे हम एहि लेल केलहुं जे मुंहमांगी राशि अदा करबाक सर्वाधिक मजबूरी मे परिजन तखने होइत छथि। बहुत रास धनाढ्य आ हुनकर कारोबार कए सेहो जानैत छी, से एकर सेहो पता अछि जे सात करोड़ अदा करबाक क्षमता रखनिहार बिहार मे केतबा छथि। फेर संत लाल यादव त हाल क दिन क निकलल तारा छथि,सितारा बनबा मे एखन देरी अछि ।
जहां धरि हमरा भेटल फीडबैक अछि त इ दूनू गोटेक संबंध किछु दिन पहिने तक बहुत बढिया छल। दूनू एक-दोसर क मददगार बनल छलाह । गप कतए बिगडल, पुलिस क विस्‍तारित जांच रिपोर्ट मे एकर राजफाश भ सकैत अछि । गप मुकदमा तक एहि लेल पहुंच गेल किया त मुन्ना् शुक्‍ला क तामस सातम आसमान पर जा पहुंचल अछि। तामस जान पर नहि आबि जाए एहि लेल रिपोर्ट दर्ज भ गेल । अधिकार रैली निकट भेलाक कारण हंगामा मचि गेल । स्वयं नीतीश कुमार कए जांच क आदेश देब मजबूरी भ गेल।
बिहार मे भेल बहुत रास रेला-रैली कए हम करीब स देखने छी । लालटेन आ तेल पिलावन रैली सेहो मोन अछि । अधिकार रैली क तैयारी कए देख एकटा समानता होर्डिंग क कब्जा पर देखा रहल अछि । पूर्व क भांति किस्‍म–किस्म क जीव-जंतु सड़क आ पोस्‍टर-बैनर पर आबि गेलाह अछि । जिनकर नाम काफी अछि, ओ बड़ रुप मे मौजूद छथि। रैली कोनो तमाशा नहि बनि जाए, एहि पर खास सतर्कता जदयू कए रखबाक चाही । नीक गप इ जे रैली रविदिन छी । दुकान सब बंद रहत,से शिकार बनबा स बचि जाएत।
मुन्ना् शुक्ला प्रकरण कए छोडि दी त एखन धरि कोनो ज्ञात स्रोत स कोनो धनाढ्य इ जानकारी नहि देलथि अछि जे रैली लेल कोनो नेता/ दबंग क फोन पैघ राशि कए चुकता करबा लेल आयल अछि। हां, एतबा जरूर जे कईटा सामान्य किस्‍म क विधायक कए इ विलाप करैत जरुर सुनलहुं जे माल त अफसर कमा रहल अछि,खर्च क भार ओ उठा रहल छथि। इ स्वीकारबा मे कोनो संकोच नहि जे एनडीए-1 क तुलना मे एनडीए-2 क पुलिसिंग बेहद कमजोर अछि। तखनो ओ दिन एखन घुरल नहि अछि जे मोबाइल पर कोनो गुमनाम नंबर स फोन एला पर कंपकंपी छूट जाइत छल। जखनकि सच इ सेहो अछि जे न केवल मुन्ना शुक्‍ला, बल्कि सबटा दबंग लग जेलों मे फोन सबदिन मौजूद रहल । हां, मुदा जेल स राति मे घर जेबाक आ दिन मे मार्कट जाकए गदर काटबाक छूट आब नहि अछि । आपराधिक-सह-राजनीतिक बंदी मे यातना त सर्वाधिक शहाबुद्दीन भोगि रहल छथि।
चार नवंबर क रैली शांति स भ जाए इ नीतीश कुमार सेहो चाहैत हेताह। जिला क यात्रा मे हुनका विरोध क सामना करबाक अनुभव अछि। विरोध रोकबाक जे तरीका पुलिस अपनेलक, ओ लोकतांत्रिक नहि छल । ओहुना गुजरात क नतीजा क बाद समीकरण आ मुद्दा बदलत, एहि लेल बहुत हो-हल्‍ला क एखन जरुरत ककरो नहि बुझा रहल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

मैथिली मे प्राथमिक शिक्षाक लेल सशक्त आंदोलनक जरुरत : धनाकर ठाकुर

Esamaad Epaper Website

एवन मार्च स करत बिहार मे साइकिल क उत्‍पादन

Esamaad Epaper Website

मिथिला क्षेत्र मे लागत बिहार क पहिल परमाणु विद्युत संयंत्र

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

एकटा चूक स पिछडि गेल मधेपुरा

by संपादक
August 17, 2015
0

Read more

कटिहारक कोढ़ा मे बनत बिहारक पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड ,बांग्लादेश समेत तीनटा देश मे होयत आपूर्ति

by संपादक
January 7, 2021
0

मधुलता मिश्र पटना । राज्य में पहिल इंटरनेशनल सुपर पावर ग्रिड कटिहार के कोढ़ा प्रखंड में बनत । अहि ग्रिडक...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि