• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home चित्रालय

सुर समाद लेल हकार

May 19, 2012
in चित्रालय
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

Esamaad Epaper Website

हंसी ठीठौली

July 30, 2018

फेर एक बेर नीतीश कुमार

November 20, 2015

वैवरेंट दरभंगा क सफल आयोजन

November 29, 2013

बीच बाट मे अस्त भेल अंशु कए श्रद्धांजलि

August 21, 2013

मैथिलीक सुपरिचित गीतकार मे युवा पीढ़ीक प्रमुख हस्ताक्षर छथि सुधीर जी। हिनक गीत विभिन्न माध्यम स’ मैथिलीक प्राय: सभ घर-अँगना, दुरा-दरबज्जा, टोल-परोस, गाम-घर, हाट-बजारमे बजैत- गनगनैत रहैत छनि। कतौ ने कतौ, कोनो ने कोनो क्षण अहाँ ज़रूर हिनक गीत सुनि ठमकल होयब। मोन मे ई विचार हिलकोर मारनहि होयत जे ई मधुर गीतक सुन्दर शब्दक रचना के केने हेताह? मुदा गीत प्राय: गीतकारक नाम स’ नै हम सब गीत के मधुर आवाज़ देनिहारक नाम स’ मोन रखैत छी। मैथिल श्रोता प्राय: गीत कए मधुर आवाज़ देनिहार स’ नीक जेना परिचित छी, मुदा गायक लोकनि कए सुन्दर रचना देनिहार स’ नीक जेना भिज्ञ नै भ’ पबैत छी। मैलोरंग एकर बेगरता स’ नीक जेना अवगत भेल। तेँ एहि बातक खगता कए भरबाक लेल अपन कार्ययोजना मे ‘सुर समाद’ जोड़लक अछि। मैलोरंगक ई सुर समाद आयोजित अछि दिनांक 27 मई, 2012 (रविदिन) क’ सायं 06.30 बजे स’। स्थान अछि : राजेन्द्र भवन ट्रस्ट, 210, दीनदयाल उपाध्याय मार्ग, नई दिल्ली – 110002।
ई जानि आश्चर्य होयत जे मैथिलीक युवा गीत रचनाकार सुधीर क तीन स बेसी गीत क एखन धरि रेकर्डिंग भ’ चुकल छनि, जे हम सब कोनो ने कोनो माध्यम स’ कोनो ने कोनो अवसर पर सुनैत आबि रहल छी। जखन एतेक गीतक रेकर्डिंग भेल अछि तखन शायदे कोनो एहन गायक बा कि गायिका हेता या हेतीह जे सुधीर क सुमधुर गीत कए अपन आवाज नहि देने हेताह वा हेतीह। गीतक ई संख्या इहो सूचित करैत अछि जे एतेक गीत लेल कैसेटक प्राय: सब कम्पनी (मैथिली लेल) कए सुधीर क गीत कए अपना संग लेब’ पड़ल होयतै।
एखन तक एहि तरह क आयोजन प्राय: नै भेल अछि अप्पन भाषा मे, तेँ एहि लेल मैलोरंग प्रथम प्रयास केलक अछि। अपन दिल्लीक प्रेक्षक लेल मैलोरंग एहि रचनाकारक किछु चयनित गीत रचना केँ सुमधुर आवाज़ देनिहार गायक आ गायिका लोकनि कए एक मंच पर अनबाक प्रयास केलक अछि।
सुधीर क गीत कए मैलोरंग मंच पर आवाज देताह मैथिलीक सुपरिचित गायक / गायिका सब, जिनका स’ अहाँ लोकनि नीक जेना परिचित छी: सुरेश पंकज, देवानंद, रश्मि रानी, धनिकलाल मंडल, सुनील पवन, कुमकुम मिश्रा, रिचा ठाकुर, अंजू झा, आमोद झा आ विकाश झा। एहि आयोजन मे उस्ताद जौहर अली खान सन निस्सन वायलिन वादक सुधीर क गीत रचना पर अपन वायलिनक तार स’ ध्वनि तरंगित करताह। दिल्लीक प्रेक्षक गण लेल ई रोमांचक क्षण होयत।
मैलोरंग द्वारा जारी विज्ञप्ति मे कार्यक्रम स्‍थल तक पहुंचबा लेल दिशा-निर्देश देल अछि जाहि मे कहल गेल अछि जे एहि स्थान पर पहुँचबाक लेल मैट्रो माध्यम स’ प्रगति मैदान मैट्रो स्टेशन वा मण्डी हाउस मैट्रो स्टेशन उतरि सकैत छी। एहि दूनू स्टेशन स’ लगभग 10 मिनट पैदल चलला बाद ई स्थान अबैत अछि। अपन गाड़ी स’ सेहो आबि सकैत छी जे कि रास्ता अछि कनाट प्लेस आ आ.टी.ओ दूनू दिस स’। बस स’ सेहो आई. टी.ओ. आयल जा सकैत अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news
ShareTweetPin

Related Posts

Esamaad Epaper Website

हंसी ठीठौली

July 30, 2018

फेर एक बेर नीतीश कुमार

November 20, 2015

वैवरेंट दरभंगा क सफल आयोजन

November 29, 2013

बीच बाट मे अस्त भेल अंशु कए श्रद्धांजलि

August 21, 2013

वाह रे तोहर भाग्य, वाह रे हम्मर भाग्य

August 14, 2013

किछु एहन होएत नालंदा विश्वविद्यालय

May 18, 2013
Next Post
Esamaad Epaper Website

नगर निगम चुनाव क आयल परिणाम, कईटा नव चेहरा

Esamaad Epaper Website

फेर सजत गुलाबबाग

Esamaad Epaper Website

ग्रामीण सडक लेल बिहार कए भेटल 2439 करोड़

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

गाँधी सेतु नहि आब पीपा पुल स करू गंगा पार

by संपादक
February 18, 2017
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि