100 करोड़ क करत निवेश, एखन होइत अछि असेंबली
नई दिल्ली। पंजाब क ट्रैक्टर निर्माता कंपनी सोनालिका कारोबार क विस्तार करैत बिहार मे 100 करोड टकाक लागत स कारखाना क विस्तार करत। संगहि कंपनी अमेरिकी बाजार मे ट्रैक्टर बिक्री शुरु करबाक तैयारी मे सेहो अछि। कंपनी सालाना पांच हजार करोड क कारोबार क रहल सोनालिका समूह क चेयरमैन एल.डी. मित्तल कहला अछि जे बिहार मे पटना स सटल फतुआ औद्योगिक क्षेत्र मे कृषि उपकरण क संग संग आब ट्रैक्टर कारखाना सेहो लगाउल जा रहल अछि।
ओ कहला जे पटना मे 100 करोड क लागत स कलपुजरा कए जोडबा लेल असेंबली लाइन पहिने स बनल अछि। एहि मे 100 करोड क आओर निवेश कैल जा रहल अछि जाहि स ओहि ठाम पूर्ण रूप स ट्रैक्टर उत्पादन भ सकत। एहि ठाम स सालाना 20,000 ट्रैक्टर तैयार कैल जाएत। फार्ब्स इंडिया पत्रिका क ताजा संस्करण मे मित्तल कए 100 धनी भारतीय व्यावसायी क सूची मे 75म स्थान भेटल छल। हुनकर संपत्ति 78 करोड 50 लाख डालर बताउल गेल अछि।
सोनालिका समूह 2011-12 मे असगर ट्रैक्टर क बिक्री स 2,400 करोड क करोबार केलक अछि आ करीब 300 करोड क मुनाफा कमेलक अछि। पंजाब मे होशियारपुर मे कंपनी क सबस पुरान कारखाना अछि, एकर अलावा हिमाचल प्रदेश मे उना मे सेहो कारखाना अछि। बिहार मे कंपनी इ तेसर कारखाना होएत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna