नई दिल्ली। हिंदी क प्रसिद्ध कवि आ भारत क पूर्व प्रधानमंत्री श्री अटल बिहारी वाजपेयी क प्रसिद्ध कविता संग्रह “मेरी इक्यावन कविता” क श्रीमती कुमकुम झा द्वारा मैथिली अनुदित “हमर एकावन कविता क होएत लोकार्पण। लोकार्पण करथिन भाजपा क पूर्व राष्ट्रीय अध्यक्ष राजनाथ सिंह। एकर लोकार्पण दिल्ली क स्थानीय संविधान क्लब मे दिनांक 25 दिसंबर 2012 कए सांझ 4 बजे होएत। मैलोरंग स भेटल जनतब क अनुसार अटल जीक एहि कालजयी रचना क मैथिली अनुवाद केलनि अछि मैथिली क जानल मानल चेहरा कुमकुम झा। कुमकुम झा साहित्य अकादमी क अनेको कार्यक्रम मे कविता पाठ क चुकल छथि संगहि सामाजिक कार्य लेल अनेको बेर पुरस्कृत भेल छथि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर