उपमुख्यमंत्री सुशील मोदी कहलाह जे मिथिलाक विकास सँ देशक विकास संभव अछि । विद्यापति समारोह क दोसर दिन ओ कहलथि जे विद्यापति अमरकवि छलाह । हुनकर रचना शाश्वत आओर कालजयी छल । सरकार मिथिलांचलक विकास लेल प्रयासरत अछि ।
ओ कहलथि जे अगला साल से विद्यापति स्मृति पर्व समारोह गांधी मैदान मे करबाक आग्रह चेतना समिति से कैल जाएत । संगे विद्यापति स्मृति पर्व पर राजकीय समारोह विद्यापति भवन मे मनेबाक घोषणा केलथि । ओ कहलाह जे एहि संबंध मे ओ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सँ गप करताह । उपमुख्यमंत्री कहलथि जे सौराठ मधुबनी मे 27 करोड़ क राशि सँ मिथिला चित्रकला संस्थान केंद्र क निर्माण भए रहल अछि । ओतय सँ छह महिनाक सर्टिफिकेट कोर्स आ तीन सालक डिग्री कोर्सक प्रशिक्षण भेटत । प्रशिक्षण लेनिहार सर्टिफिकेट कोर्सक छात्र कए हरेक महिना एक हजार आ डिग्री कोर्सक छात्र कए प्रत्येक महिना 1500 टकाक स्कॉलरशिप भेटत । मिथिला ललित कला संग्रहालयक निर्माण सेहो 13 करोड़ टका सँ भए रहल अछि ।
केंद्रीय गृह राज्यमंत्री नित्यानंद राय कहलाह जे ओ मिथिलांचल लेल समर्पित छथि । हम सदिखन एहिक विकास लेल प्रयासरत रहब । पीएचइडी मंत्री विनोद नारायण झा कहलथि जे 66 साल सँ लगातार इ समारोह चेतना समिति की उपलब्धि अछि । सूचना आ जनसंपर्क मंत्री नीरज कुमार घोषण केलथि जे चेतना समिति दिस स प्रकाशित पत्रिका कए बिहार सरकार सँ मदद दिआओल जाएत । विद्यापति पर डॉक्यूमेंटरी फिल्म बनेबाक लेल चेतना समिति कए सभटा साक्ष्य उपलब्ध करेबा लेल कहल गेल अछि ।
एहि अवसर पर एहि विभूती भेटल सम्मान
एहि अवसर पर साहित्यिक ज्योत्सना सम्मान डॉ. विभा कुमारी, भाग्यनारायण झा पत्रकारिता सम्मान प्रशांत कांत, पुरातत्व वैज्ञानिक विजयकांत मिश्र सम्मान प्रो. अयोध्यानाथ झा कए भेटल । पत्रकार मनोज कुमार झा कए सेहो सम्मानित कैल गेल ।
पुस्तक आ कला प्रदर्शनीक उद्घाटन
समारोह मे पत्रकार विकास कुमार झाक संयोजकत्व मे ‘प्रवासी मैथिल संपर्क आ समन्वय’ विषय पर विचार गोष्ठी भेल। एहि मे माधवकांत मिश्र, प्रो ताराकांत झा, प्रो. उदयनाथ झा, प्रो रत्नेश्वर मिश्र, डॉ. रामावतार यादव अपन विचार राखलथि । मिलर स्कूल परिसर मे मिथिला पेंटिंग, हस्तकला उत्पादित वस्तु आ किताबक प्रदर्शनी क उद्घाटन मोहन चौधरी केलथि । समिति क अध्यक्ष ई विवेकानंद झा स्वागत वा सचिव उमेश मिश्र कार्यक्रम क संचालन केलथि ओतहि धन्यवाद ज्ञापन डॉ. प्रेमलता मिश्र प्रेम केलथि ।