दरभंगा । डीएमसीएच क गायनिक वार्ड मे अत्याधुनिक सुविधा स लैस आईसीयू तैयार त तीन मास पहिने भ गेल, मुदा आब उद्घाटन क बाट तकैत तकैत एकर खंडहर हेबाक आशंका प्रबल भ गेल अछि। काज स बेसी राजनीति मे व्यकस्तल अस्पेताल प्रशासन कए तीन मास स एहि मे लटकल ताला कए खोलबा लेल तारीख तय नहि कैल भ रहल अछि। एहन मे प्रसूता कए गंभीर स्थिति मे आईसीयू क सुविधा रहैत नहि भेट पाबि रहल अछि। निर्माता एजेंसी एजीएस कंपनी सितंबर 2012 मे छह बेड क आईसीयू बनाकए अस्पताल अधीक्षक कए रिपोर्ट सौंप देलक। करीब 40 लाख क लागत स एहि आईसीयू क निर्माण भेल अछि, मुदा दरभंगा क इ दुर्भाग्य रहल अछि जे एहि ठाम बनल चीज उपयोग क बिना जर्जर भ जाइत अछि। अस्पछताल प्रशासनक एहि प्रकारक लापरवाही क कारण स मरीज कए एखन धरि एकर लाभ नहि भेट सकल अछि। जानकारक कहब अछि जे अगर इ समय स चालू भ गेल रहिते त कम स कम किछु जान कए बचाउल जा सकैत छल। निर्माता एजेंसी एजीएस कंपनी क एकटा अधिकारीक कहब अछि जे एहि आईसीयू मे ओ सबटा सुविधा अछि जे आन कोनो उन्नछत जगह पर होइत अछि। ओ कहला जे एहि ठाम फिटल मॉनिटरिंग सिस्टम लगाउल गेल अछि। गंभीर मरीज कए डिलेवरी क पूर्व पेट मे पला रहल नवजात शिशु क स्थिति क पता लगेबा मे इ मशीन उपयोगी होइत अछि। बच्चा जीवित अछि बा मृत, ओकर धड़कन तेज अछि बा धीमी। डिलेवरी नार्मल बा सर्जरी स हो। एहि सब गपक जानकारी एहि स भेटैत अछि। जच्चा-बच्चा दूनू लेल इ एकटा जीवनदान दैत अछि।
तहिना ऑक्सीजन सेपरेटर रहबा स एहि मे जीवन बचेबाक संभावना बढि जाइत अछि। एकरा लगला स ऑक्सीजन सिलेंडर आ गैस पाइप लाइन क झंझट स गंभीर मरीज कए मुक्ति भेट जाइत अछि। इ वायुमंडल स 21 प्रतिशत ऑक्सीजन लैत अछि आ 40 प्रतिशत आपूर्ति अपने करैत अछि । मरीज कए जेतबा ऑक्सीजन क जरूरत होइत अछि ओतबा इ आपूर्ति करैत अछि।
ओ कहला जे एहि मे लागल डिफिवलेटर कोनो प्रसूता क पल्स रेट अनियमित भेला पर ओकरा नियंत्रित करबा मे काफी मददगार होएत। एहि मशीन स मरीज कए कार्डियोजेनिक शॉक सेहो देल जा सकैत अछि।
एकर संगहि एहि मे जीवन रक्षक बेड लागल अछि। सब बेड क संग मोनिटर, ब्लड स्लाइन चढेबा समेत कईटा जीवन रक्षक मशीन लागल अछि। सबटा बेड परदा स घेरायल अछि। कीटनाशक फ्लोर आ हाइजेनिक पेंट दीवार पर लगाउल गेल अछि।
ओ कहला जे निर्माणकर्ता एजीएस कम्पनी आईसीयू क व्यवस्था 13 मास धरि करत। व्यवस्था सुदृढ़ रखबा लेल एजीएस क कर्मी हरदम ओहि ठाम तैनात रहताह।
तीन मास स बनि कए तैयार एहि आइसीयू कए अस्पताल उपाधीक्षक डा. एसके मिश्रा क अध्यक्षता मे गठित कमेटी सेहो क्लीन चीट द चुकल अछि। कमेटी मे एनेस्थेसिया विभाग क अध्यक्ष डा. एसएन राय आ गायनिक वार्ड क विभागाध्यक्ष डा. एसके सिन्हा शामिल छलाह। मुदा अधीक्षक डा. सूरज नायक क एखनो बस एतबे कहब अछि जे गायनिक वार्ड क अध्यक्ष डा. सिन्हा स गप करि कए आईसीयू कए शुरू करबाक तिथि जल्द तय क लेल जाएत। देखबाक चाही जे इ तय करबा मे आओर केतबा मास लगैत अछि। किया त आवंटन क बाट तकैत खंडहर होइत दुकान हुए बा परिचालनक बाट तकैत पोखरि मे सडि रहल नौका, दरभंगा मे बनलाक बावजूद जनता लेल उपलब्धप करेबाक संस्का र प्रशासन मे कम देखल जाइत अछि। जनता क सुविधा लेल बनल चीज नष्टख भ जाइत अछि, मुदा ओकरा जनता क उपयोग मे नहि लगाउल जाइत अछि। हां, अगर नामांकरण क मसला सामने आउत, त पता नहि केकर केकर नाम पर ओकर नाम राखबा मे राजनीति शुरू भ जाएत। आखिर कहिया धरि डीएमसी आ डीएमसीएच अनेरक काज मे अपन ऊर्जा नष्ट करैत रहत। आखिर एहन राजनीतिक इलाज कौन वार्ड मे होएत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर