नई दिल्ली। दिल्लीक राजनीति मे धीरे-धीरे मैथिलक संख्या बढल जा रहल अछि। हाल मे भेल नगर निगम चुनाव मे आधा दर्जन स बेसी मैथिल चुनाव जीत गेलथि अछि। एहि प्रकार स देखल जाए त दिल्ली क राजनीति मे एकटा सांसद आ एकटा विधायक क संगहि करीब आधा दर्जन निगम पार्षद मिथिलाक छथि। प्राप्त आंकडाक अनुसार हाल मे भेल निगम पार्षद कचुनाव मे बिहारी मूलक करीब 25टा उम्मीदवार जीत हासिल केलथि अछि जाहि मे आधा दर्जन स बेसी मैथिल छथि। चुनाव जीतनिहार मैथिल मे सबस रोचक मुकाबला बेगूसराय मूलक सतेंद्र सिंह राणा क रहल ओ चुनाव जीत गेलाह मुदा हुनक जमानत जब्त भ गेल। दरअसल ओहि बार्ड मे एतबा उम्मीदवार छल जे जमानत बचेबा लेल न्यूनतम वोट जीतल उम्मीदवार कए सेहो नहि भेट सकल। ओना त पूरा दिल्ली मे बिहारी क वोट निर्णायक रहल मुदा किछु ठाम बिहारी आ मैथिल उम्मीदवार निर्दलीय रूप मे सेहो जीत हासिल क लेलथि। ओना देखल जाए त दिल्ली स मैथिल पहिल बेर एतबा संख्या मे चुनाव मे जीत दर्ज केलथि अछि। निगम चुनावक बाद जे कांकडा सामने आयल अछि ओकर अनुसार स कुवर सिंह नगर स पंकज कुमार सिंह, सीमापुरी स सरोज झा, संगम विहार स कल्पना झा, नगडीह स सतेंद्र सिंह राणा, पूर्वी दिल्ली स अन्नपूर्णा मिश्र, डाबडी स तिलोत्तमा चौधरी आ सीतापुरी स बिमला मिश्र चुनाव जीत एमसीडी मे पहुंच गेलथि अछि। इ आंकडा और बेसी भ सकैत अछि, किया कि बहुत रास उम्मीदवार सतेंद्र सिंह राणा जेकां अपन उपनाम बदलि लेने छथि जाहि स हुनक मूल राज्यक पता नहि चलि पाबि रहल अछि। मुदा बदलैत बिहारक इ सबस पैघ सबूत कहल जा सकैत अछि जे सतेंद्र सिंह राणा सन लोक लग अपन उपनाम बदलबाक मजबूरी आब खत्म भ चुकल अछि आ ओ अपना कए मैथिल आ बिहारी मूल कए कहबा लेल आब नहि लजा रहल छथि। उम्मीद कैल जाए अगिला दू साल मे प्रस्तावित विधानसभा आ लोकसभा मे सेहो मैथिल केवल निर्णायक वोटर नहि रहत बल्कि किछु संख्या मे उम्मीदवार सेहो रहत आ पहिने स बेसी संख्या मे जीत हासिल सेहो करत।
ATI SUNDAR LAGAL AHANK SAMAD,, DHANYVADAK PATRA CHHI,
एकटा नीक समाज।विजयी उम्मीदवारकेँ शुभकामना।
जीतल उम्मीदवारकेँ शुभकामना।
दिल्लीमे मैथिलक जितबासँ मिथिला राज्य सबल होएत।