• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

गुनहगार नहि छथि प्रवासी बिहारी

December 29, 2010
in विचार
A A

गौरीशंकर राजहंस

गृह मंत्री पी चिदंबरम हमर नीक मित्र छथि। देश क समस्या क प्रति ओ पूरा जागरूक छथि। दिक्कत इ अछि जे ओ संवेदनशील मामला मे सेहो एकटा राजनेता जेकां व्यवहार नहि करैत छथि, बल्कि अपन अफसर पर निर्भर भ जाइत छथि। केंद्र आ राज्य सरकार गुप्तचरी क मामला मे अफसर पर निर्भर होइत अछि आ इ अफसर अपन मातहत छोट-छोट इंस्पेक्टर पर आश्रित रहैत अछि। एहि तरह स पूरा आ सही खबर ककरो नहि भेट पबैत अछि जाहि स अक्सर गलत निर्णय भ जाइत अछि। शायद अपन अधीनस्थ अफसर क सलाह पर चिदंबरम इ बयान द देलथि जे दिल्ली मे जे अपराध बढ़ल अछि ओ प्रवासी द्वारा अंजाम देल जा रहल अछि।

दिल्ली आ मुंबई जइसन महानगर मे प्रवासी क मामला अत्यंत संवेदनशील अछि। जेना चिदंबरम इ बयान देलथि, राजनीतिक आ गैर-राजनीतिक हलका मे तूफान उठब स्वभाविक छल। पहिने सहो कई बेर विभिन्न दल क राजनेता इ टिप्पणी केने छलाह जे दिल्ली क समस्या क जड़ि मे बिहार स आयल प्रवासी मजदूर अछि। दिल्ली क एकटा पूर्व मेयर त एतबा धरि कहि देलक जे बिहार स आयल प्रवासी मजदूर कए ढंग स रहब नहि अबैत अछि। ओ पूरा दिल्ली कए गंदा करि द रहल छथि। हुनकर एहि बयान पर घोर विरोध भेल। अंततः मेयर साहब कए माफी मांगए पड़ल।

कोनो प्रवासी कोनो हालात मे दोसर जगह जाकए जीवन-यापन नहि करबा चाहैत अछि, किया जे ओकरा भाषा क दिक्कत होइत छै। नव वातावरण मे अपना कए ढालबा मे कठिनाई होइत छै। फेर मौसम आओर माहौल क सेहो फर्क पड़ैत छै। बिहार मे रहनिहार कोनो व्यक्ति क लेल दिल्लीक ठंड कए बर्दाश्त करब आसान नहि होइत छै, मुदा पेट क भूख ककरो प्रवासी कए कतहू जाकए रोजी-रोटी कमेबा लेल मजबूर करि दैत छै आ एहि सिलसिला मे अनेक लोक क जान सेहो चल जाइत छै, मुदा मुआवजा ककरो ककरो भेटैत अछि आ प्रवासी मजदूर क परिजन अपन तकदीर पर कानि अपन काज फेर शुरू करि दैत अछि। पूरा देश मे जतए-जतए बिहार क प्रवासी मजदूर अछि, ओतए एहि तरहक घटना आए दिन घटैत रहैत अछि।

प्रवासी मजदूर क स्थिति, चाहे ओ कोनो प्रांत क अछि, अत्यंत दयनीय अछि। दिल्ली मे त ओ गंदा बस्ती मे रहबा लेल मजबूर अछि। सरकार बेर-बेर स्थिति सुधारबाक गप केलक मुदा कोनो सुधार नहि केलक।

दोसरसमाचार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

May 30, 2020
नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

December 5, 2019

एहन मे मजदूर कए बढै़त अपराध क लेल जिम्मेदार ठहरा सरकार अनुचित काज केलक अछि। कौन समुदाय मे आ कौन राज्य मे अपराधी नहि होइत अछि? मुदा अनकर तुलना मे बिहार स दिल्ली आयल मजदूर बेसी सभ्य छथि। ओ चुपचाप अपन काज करैत छथि आ टका कमा कए ओकर एकटा हिस्सा एहि राज्य मे खर्च कए दैत छथि आ बाकी ल कए बिहार लौट जाइत छथि। आइ दिल्ली आ एनसीआर मे गगनचुंबी इमारत ठार अछि। एक-एक फ्लैट क दाम एक करोड़ टका स बेसी अछि, मुदा जे प्रवासी मजदूर अपन जान लगाकए एकरा बनेलक अछि, ओकरा इ ईनाम कोना द सकैत छी, ओकरा आखिर की भेटल, एकर चर्चा कतहू नहि भ रहल अछि।

जहां धरि दिल्ली मे बढै़त अपराध क प्रश्न अछि, त ओ नवधनाढय़ युवक क कारस्तानी छी, जे अपन मन बहलेबा लेल पैघ-पैघ गाड़ी स गरीब राहगीर कए कुचलैत रहैत छथि।

इ बड़ संतोष क गप अछि जे पी चिदंबरम सेहो अपन बयान वापस ल लेलाह। इ देखल गेल अछि जे दिल्ली सन जगह पर अपमान क घाव ल बिहार लौटल युवक नक्सली बनि जाइत अछि। एहि प्रवृत्ति कए रोकबाक लेल इ आवश्यक अछि जे बिहार स आयल प्रवासी कए अपमानित करबाक परंपरा बंद कैल जाए।

लेखक झंझारपुर स सांसद रहि चुकल छथि।

Tags: Biharगौरीशंकर राजहंस

Related Posts

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

May 30, 2020
नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

December 5, 2019
फिल्मक समीक्षा : “गामक घर”  शून्य स अनंत धरि

फिल्मक समीक्षा : “गामक घर” शून्य स अनंत धरि

November 14, 2019
गांधीजी की छलाह ?

गांधीजी की छलाह ?

October 2, 2019
Next Post

विक्रमशिला देख बौद्ध गुरु क नोरा गेल आंखि

Esamaad Epaper Website

राज्य मे निवेश अपार संभावना: एसोचेम

Esamaad Epaper Website

अधिकारी सब स मांगल गेल अर्जित सम्पत्ति क ब्योरा

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि