• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

छाप छोड़बा मे सक्षम रहल मुक्तिपर्व

August 31, 2011
in फीचर
A A

दोसरसमाचार

New Maithili Poem, Samtal Prakash, Maithili Poem, Bihar, Bihar news, Bihar Khabar, Bihar Hindi news, Bihar lettest news, Bihar khabar, Bihar hindi news,

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

January 5, 2021

गयाक अलावा 55 तीर्थस्थल अछि पिंडदानक लेल शुभ

September 2, 2020
मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

August 27, 2020

ग्लोबल वार्मिंग स बचबाक अछि त मनाउ जुड़-शीतल

April 14, 2020

 

समीक्षा – किसलय कृष्ण
“भाषाक पानि जखन जैड मे ढरेतइ , त’ मैथिली’क झंडा अकास मे फहरेतई ” मैथिली रचनाकार स्व. मनोरंजन झा’क ई पांति तखन सार्थक लागल जखन नई दिल्ली’क श्रीराम सेंटर’क प्रेक्षा गृह मे विगत 29 ,अगस्त,2011  कें मैथिली मे अविनाश चन्द्र मिश्र’क चर्चित नाटक ‘मुक्तिपर्व’क मंचन आरम्भ भेल | दर्शक सँ भरल प्रेक्षा गृह मे जखन मंच पर सँ पर्दा हटल आ तेथ सुमिरन आरम्भ भेल रंगकर्मी सभ द्वारा त’ सांचे मैथिली’क झंडा अकास मे लहरैत बुझायल | दिल्ली’क सक्रिय रंग संस्था मैलोरंग द्वारा प्रस्तुत आ युवा रंग निर्देशक प्रकाश झा द्वारा निर्देशित ई नाटक कैक दृष्टियें महत्वपूर्ण रहल | खास कय सूत्रधार (निलेश दीपक) आ बिपटा (संतोष झा) ‘क अभिनय’क कोलाज़ बनैत छल जे दर्शक के आनंदित करैत एकटा छाप छोड़बा मे सक्षम रहल | ई बात अलग अछि जे हिनका सबहक संवाद गायन मे पार्श्व संगीत आ स्वरक तारतम्य’क आभाव अंत धरि खटकैत रहल जे पूर्वाभ्यास’क कमी दिस सेहो संकेत करैत अछि आ ध्वनि उपकरण’क गड़बड़ी दिस सेहो | मुदा सूत्रधार-बिपटा’क गायन शैली मे निर्देशक’क परिकल्पना एहि कारणे स्मरणीय आ अनुकरणीय रहत जे मिथिलाक विभिन्न लोक गायन शैली’क अद्भुत समावेश कयल गेल छल |
ई नाटक एक आओर कारण सँ ऐतिहासिक अछि जे अछि मैथिली रंगमंच पर एकटा नव प्रयोग ” नटुवा नाच”क प्रारंभ शिल्प’क स्तर प्रायः पहिल बेर भेल अछि | किर्तनिया , विदापत  आदिक बाद एहि शैली कें ‘नटुवा नाच’ कहब कते समीचीन अछि , एहि विन्दु पर इतिहासकार आ आलोचक लोकनि सोचि सकैत छथि | पूर्वी मिथिला क्षेत्र’क सहरसा,सुपौल,पुरनिया आदि मे नटुवा आ नाच दुनू सँ क्रमशः दू तरहक मनोरंजक कार्यक्रमक बोध होइत अछि आ से प्रकाश झा निर्देशित एहि नाटक मे एक दिस जतय बिपटा आ सूत्रधार’क अभिनय आ संवाद नटुवा कें जीवंत करैत छल त’ दोसर दिस आन अभिनेता सबहक आंगिक अभिनय आ संवाद नाच मोन पाड़बा मे सक्षम | अस्तु कोलाज़ रूप मे नटुवा-नाच नाम देले जा सकैत छल | मैलोरंग’क पुरान अभिनेता मुकेश झा ‘चुड़क’ के भूमिका मे एक बेर फेर अपन अभिनय क्षमता’क छाप छोड़लनि आ अपन अद्भुत आंगिक आ वाचिक अभिनय सँ चुगला’क लोक चरित्र कें जीवंत केलनि | चारुवक्र (राधाकांत), साम्ब(अनिल मिश्र ),
नारद (प्रवीण झा),सामा (स्वप्ना) आदिक अभिनय प्रशंसनीय छल , त’ श्रीकृष्ण’क भूमिका मे भास्कर केर संवाद वाचन सुन्दर | सामान्य मंच सज्जा पर गोविन्द सिंह यादव’क प्रकाश संयोजन बेर-बेर अपन कमाल देखा रहल छल | मिथकीय कथा कें समकालीन सन्दर्भ सँ जोड़ी मंच पर उपस्थापित करब एकटा दुष्कर काज थिक आ तकरा युवा निर्देशक प्रकाश जाहि सहजता आ बोधगम्यताक संग मंच पर प्रस्तुत केलनि से अभूतपूर्व छल | हाँ एहि बेर संगीत’क स्तर पर गुंजन झा निराश क’ रहल छलाह आ अनुभवी राजीव मिश्र सेहो ध्वनि’क तारतम्य बैसेबा मे पहिलुक प्रस्तुति सभ सँ झूस छलाह , जकरा आगामी प्रस्तुति सभ मे सुधारल जा सकैत अछि |
सम्पूर्ण रूप मे मैलोरंग आ प्रकाश झा एहि लेल बधाई आ प्रशंसा’क पात्र छथि जे ओ सभ एक बेर फेर राष्ट्रिय रंग क्षितिज पर मैथिली’क झंडा फहरेबा मे सफल भेलाह आ विश्वास अछि जे हुनका सबहक रंगयात्रा मैथिली मंच कें समृद्ध करत |

Tags: मुक्तिपर्वमैलोरंग

Related Posts

New Maithili Poem, Samtal Prakash, Maithili Poem, Bihar, Bihar news, Bihar Khabar, Bihar Hindi news, Bihar lettest news, Bihar khabar, Bihar hindi news,

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

January 5, 2021

गयाक अलावा 55 तीर्थस्थल अछि पिंडदानक लेल शुभ

September 2, 2020
मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

August 27, 2020

ग्लोबल वार्मिंग स बचबाक अछि त मनाउ जुड़-शीतल

April 14, 2020
कविता: फैज अहमद फैजक ‘हमहीं ब्रह्म’ !

कविता: फैज अहमद फैजक ‘हमहीं ब्रह्म’ !

January 12, 2020
कविता : तारानंद वियोगी क विस्मयादि

कविता : तारानंद वियोगीक क्यो नहि पसंद करै छनि हुनका

January 11, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

सर्वाधिक भ्रष्‍ट नहि रहल बिहार

Esamaad Epaper Website

खत्‍म भेल गतिरोध, सुधरत हालात

Esamaad Epaper Website

पटना एम्स क संस्थापक निदेशक बनलाह डा जीके सिंह

Comments 5

  1. ashutosh jha says:
    14 years ago

    dhanyvaad kislay krishna jee.muktiparv natak’k samiksha nik lagal.

    Reply
  2. kumar Ashish says:
    14 years ago

    nik lagal samiksha…..

    Reply
  3. vineet jha says:
    14 years ago

    maine muktiprave ke bare me pradha h. mujhe accha laga…

    Reply
  4. नरेश मिश्र says:
    14 years ago

    मुक्तिपर्व नाटक हिन्दी में कई बार देखने छी, काश दिल्ली
    में मैथिली में देख पबितो. कृष्ण जी क धन्यबाद

    Reply
  5. sanjay mishra says:
    14 years ago

    vakai….prakas ji natak sanyojan gajab ka kiya tha.badhai fir se

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि