औरंगाबाद । औरंगाबाद जिला क बड़ेम मे भारतीय रेल आ बिहार सरकार क संयुक्त उपक्रम क रूप मे नेशनल थर्मल पावर कार्पोरेशन क प्रस्तावित दूटा थर्मल पावर परियोजना स क्षेत्र क तस्वीर आ तकदीर बदलि रहल अछि। एहि परियोजना क स्थापना स क्षेत्रीय नागरिक मे खासा उत्साह अछि आओर एखन धरि अति पिछड़ल एहि क्षेत्र क लोक विकास क कल्पना करिकए हर्षित छथि। क्षेत्रीय विकास समिति क अध्यक्ष लव कुमार कहैत छथि जे क्षेत्रीय किसान दूनू परियोजना क स्थापना मे मदद लेल हाथ बढोने छथि आ परियोजना क लेल स्वेच्छा स अपन जमीन देबा लेल तैयार छथि। दूनू परियोजना क स्थापना भेला पर क्षेत्र मे विविध प्रकार क रोजगार क अवसर बढ़त, जाहि स एहि ठामक अर्थ व्यवस्था काफी सुदृढ़ हेबाक उम्मीद है। संगहि एहि परियोजना क स्थापना स बिहार बिजली क मामला मे न केवल आत्मनिर्भर होयत, बल्कि पड़ोसी राज्य आ देश कए बिजली देबा मे सेहो सक्षम होयत। सूत्र कहैत अछि जे भारतीय रेल बिजली कंपनी लिमिटेड कए थर्मल पावर प्रोजेक्ट स्थापित करबा लेल कुल 1544 एकड़ भूमि क आवश्यकता छैक, जाहिमे 800 एकड़ भूमि क अधिग्रहण भ चुकल अछि आ शेष भूमि क अधिग्रहण क कार्रवाई जारी अछि। अधिग्रहित भूमि क बदला मे किसान कए मुआवजा देल जा रहल अछि। संगहि जमीन देयवाला लोकक बच्चा कए आईटीआई मे शिक्षा ग्रहण करबा लेल छात्रवृत्ति क व्यवस्था कैल गेल अछि।
एनटीपीसी क अधिकारी कहैत छथि जे भारतीय रेल क सहयोग स नवीनगर मे एक हजार मेगावाट विद्युत उत्पादन क्षमता वाला सुपर थर्मल पावर प्रोजेक्ट क निर्माण पर लगभग 53 सौ करोड़ टका खर्च होयत। ओ कहला जे भूमि हस्तांतरण भेला स आब एहि परियोजना क निर्माण कार्य गति लेत। संगहि परियोजना स्थल क इर्द-गिर्द गाम क सड़क निर्माण, स्कूल व सामुदायिक भवन क निर्माण, प्रकाश आ पेयजल क आपूर्ति व्यवस्था, तकनीकि शिक्षा क लेल आईटीआई क स्थापना, क्षेत्र मे चलंत अस्पताल क संग-संग स्थाई चिकित्सालय क स्थापना कैल जा रहल अछि। सूत्र कहैत अछि जे परियोजना स्थल स जिला मुख्यालय आ प्रखंड मुख्यालय बारून कए जोड़बा लेल नीक सड़क, सार्वजनिक पार्क क निर्माण आ चौक-चौराह क सौंदर्यीकरण, बारूण स्थित विद्युत सब स्टेशन क गुणवत्ता मे सुधार क लेल आर्थिक व तकनीकि सहायता सेहो क्रमवार उपलब्ध कराउल जाइत। विभागीय अधिकारी कहला जे एहि परियोजना स 2012 तक विद्युत उत्पादन क कार्य प्रारंभ भ जाइत। एहिना परियोजना स्थलक लग मे बिहार सरकार आ एनटीपीसी क सहयोग स एक आओर मेगा थर्मल पावर प्रोजेक्ट स्थापित करबाक योजना अछि। बारूण प्रखंड मुख्यालय स दक्षिण बिहार सरकार क सहयोग स 1980 मेगावाट विद्युत उत्पादन क्षमता वाला सुपर थर्मल पावर परियोजना लगाउल जा रहल अछि। एकरा लेल 660 मेगावाट क 3 इकाई स्थापित भ रहल अछि। एहि परियोजना क स्थापना पर 15 हजार करोड़ टका से अधिक खर्च हेबाक उम्मीद अछि।
aapki website aaj kafi achchhi lagi
layout bhi kafi sundar hai
pahale din thik nahi laga tha
aaj very nice
vikasak khabar ehina dait rahoo