पटना । पटना एयरपोर्ट क रनवे आब दरभंगा एयरपोर्ट जेतबाटा बनाउल जायत। एहन भेला स नहि केवल पटना बिहारक सबसे पैघ रनवेवाला दरभंगा एयरपोर्ट क समतुल्य भ जायत बल्कि पटना मे पैघ विमान सेहो आसानी स उतरि सकत। पटना एयरपोर्ट क निदेशक आरएस लहौरिया कहला जे नौ साल क लंबा इंतजार क बाद आखिऱकार पटना एयरपोर्ट कए एरोड्राम हेबाक लाइसेंस भेट गेल। आब हमसब रनवे क लंबाई बढ़ेबा क संगहि ओकर मेंटेनेंस क काज शुरु क देब। लाहौरिया कहला जे एखन पटना एयरपोर्ट क रनवे क लंबाई महज 6500 फुट अछि जखनकि बिहार क सबस पैघ रनवे दरभंगा मे अछि। पटना क रनवे कए सेहो दरभंगा जेना 9000 फुट करबाक प्रयास कैल जा रहल अछि। एकरा लेल जमीन अधिग्रहित करबाक काज शुरु कैल जा रहल अछि।
लहौरिया कहला जे पटना एयरपोर्ट बाकी सबटा मानक कए पूरा क लेलक अछि। ओ कहला जे फ्रिक्शन टेस्ट मे पटना एयरपोर्ट क रनवे क स्थिति देश भरि मे सबस बेहतर अछि। एहि टेस्ट क बाद सिविल एविएशन एयरपोर्ट कए ऑपरेटिंग लाइसेंस द देलक अछि। निदेशक कहला जे रनवे क मामला कए ल कए पिछला साल रबर रिमूवल क काज भेल छल, जेकर बाद विमान कए लैंडिंग मे आबि रहल परेशानी सेहो दूर क देल गेल छल। निदेशक क कहला जे पटना एयरपोर्ट पर व्याप्त समस्या क निदान लेल जोर शोर स काज भ रहल अछि। ओ कहला जे फिलहाल पटना एयरपोर्ट से 21 उड़ान जा रहल अछि मुदा 27 फरवरी स रांची-पटना-कोलकाता-रांची एकटा फ्लाइट कए बंद कैल जायत। उल्लेखनीय अछि जे वर्ष 2000 क जुलाई मे भेल हादसा क बाद पटना एयरपोर्ट कए अघोषित तौर पर क्रिटिकल एयरपोर्ट घोषित क देल गेल छल।