• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

बिहार क बजट मे नीतीशक निश्चय पूरा करबाक वादा

February 27, 2016
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

144696 करोड़ क बजट पेश, पांच टा नब यूनिवर्सिटी खोलबाक प्रस्ताव
युवा क लेल पांच सौ करोड़ क वेंचर फंड गठित, महिला क लेल 35 फीसदी आरक्षण क वादा

Sidiquiपटना । वित्त मंत्री अब्दुल बारी सिद्दीकी बिहार क लेल वित्तीय वर्ष 2016-17 क बजट पेश केलथि‍ । 144696 करोड़ क एहि बजट मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क सात टा निश्चय कए प्राथमिकता देल गेल अछि । वित्तमंत्री कहलथि‍ कि एहि वित्तवर्ष मे राजकोषीय घाटा 3 फीसदी से कम रहत। संगे ओ कहलथ‍ि कि राज्य क राजस्व बचत करीब 14649.46 करोड़ रहबाक अनुमान अछि जे सकल घरेलू उत्पाद कए करीब 2.62 फीसदी अछि।  ओ कहलथ‍ि कि लोक ऋणक अधिशेष सेहो 105564.53 करोड़ रहबाक अनुमान अछि जे सकल घरेलू उत्पाद कए 18.89 फीसदी अछि। ओ कहलथि‍ कि राज्यक पूंजीगत खाता नीक जेंका समृद्ध अछि आओर एहि मामला मे बिहार देश मे दोसर स्थान रखैत अछि। श्री सिद्धकी कहलथ‍ि कि गैर योजना व्यय क बजट 72276.95 करोड़ रहबाक अनुमान अछि, जखनकि योजना व्यय 71501.84 करोड़ रहबाक अनुमान अछि । केंद्रीय योजनागत योजना क लेल बजट मे 917. 48 करोड़ क प्रावधान कैल गेल अछि । वित्तमंत्री कहलथि‍ कि कुल राजस्व प्राप्ति 124590.24 करोड़ अनुमानित अछि, जखनकि आन स्रोत स 29730.27 करोड़ प्राप्त हेबाक उम्मीद अछि। ओ भरोसा दि‍लोलथि‍ कि राज्य अपन स्तर स गैर कर राजस्व क रूप मे 2358.11 करोड़ जुटाओत। एहि क संगे ओ कहलथि‍ कि राज्य अपन रिसोर्सेज कए मजबूत करत। वित्त मंत्री सिद्दीकी कहलथि‍ कि मिठाई मे चीनी कम वाली बात नहि‍ होएत। सरकार क इरादा मजबूत अछि। ओ कहलथि‍ कि प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक बिहार कए देल गया 1.25 लाख क पैकेज खाली मृग तृष्णा अछि। बिहार कए विशेष राज्य क दर्जा देल जाए । ओ कहलथि‍ कि 14वां वित्त आयोग स 45803 करोड़ क नुकसान भेल अछि। केंद्र क अनदेखी क बादो हमार इरादा अटल अछि ।

महागठबंधन सरकार क एहि पहि‍ल आम बजट मे युवा आओर महिला क खास ख्याल राखल गेल अछि। युवा क लेल पांच सौ करोड़ क वेंचर फंड गठित करबाक गप कहल गेल अछि, जखनकि महिला क लेल 35 फीसदी आरक्षण क प्रस्ताव कैल गेल अछि । ओ कहलथि‍ कि युवा कए रोजगार भेटय एहिलेल हरेक जिला मे रोजगार प्रशिक्षण केंद्र स्थापित होएत। ओतय कृषि मजदूर कए प्रशिक्षण देबाक सेहो व्यवस्था होएत। एहिक संग कॉलेज वा स्कूलों कए वाइ-फाइ से जोड़बाक गप सेहो कहल गेल अछि ।

Sidiqueeवित्तमंत्री कहलथि‍ कि राज्य मे पांच टा नब यूनिवर्सिटी खोलबाक प्रस्ताव अछि। किशनगंज मे कृषि विवि खोलबाक प्रस्ताव अछि। एहि क आलावा ओ कहलथि‍ कि अखैन 7टा इंजीनियरिंग कॉलेज, 22टा पॉटेक्निक, 11टा महिला आईटीआई क संचालन कैल जा रहल अछि। सरकार आओर 11टा इंजीनियरिंग कॉलेज, छपरा, समस्तीपुर आओर पूर्णिया मे मेडिकल कॉलेज, हरेक जिला मे एकटा जीएनएम स्कूल, हरेक जिला में एकटा पारा मेडिकल कॉलेज आओर सभटा अनुमंडल मे एकटा एएनएम स्कूल खोलबाक प्रस्ताव रखैत अछि।

बजट मे सबसे बेसी राशि शिक्षा विभाग कए देल गेल अछि। एहि विभाग कए 21,897.02 करोड़ आवंटित कैल गेल अछि। ओ कहलथि‍ कि  5423 माध्यमिक शिक्षक क नियोजन, 686 नृत्य, 686 ललितकला, 2937 संगीत क शिक्षक क नियोजन प्रक्रिया शुरू अछि। हरेक घर बिजली क वादा पूरा करबाक लेल एहि वर्ष ऊर्जा विभाग कए शिक्षा क बाद सबसे बेसी राशि भेटल अछि। कुल बजट क 13 फीसदी राशि बिजली पर खर्च कैल जाएत । ओना वित्तमंत्री दावा केने छथ‍ि कि कृषि क विकास सेहो सरकार क प्राथमिकता अछि। कृषि विभाग कए 2016 17 मे 2,718.13 करोड़ टका आवंटित कैल गेल अछि । एहि साल पीएम कृषि योजना क तहत भूजल कए ऊपर आनल जाएत। सरकार 4350
हेक्टर अतिरिक्त सिचाई क्षमता भूमि क नब सृजन केने अछि । सिद्दीकी कहलथ‍ि कि घर तक पक्की सड़क पहुंचेबा लेल हम संकल्पित छी। पथ निर्माण विभाग कए साल 2016 17 मे 6,599.06 करोड़ आवंटित केल गेल अछि।

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
Tags: Bihar BudgetNew Medical Collageबिहार बजट
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार क विकास दर देश मे सबस ऊपर

ई जे एकटा मिथि‍लानी छलीह - सीता/मैथिली

ई जे एकटा मिथि‍लानी छलीह – लखि‍मा

Comments 1

  1. Bihar Bhai says:
    7 years ago

    asha achi ki poora hoit …

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि