• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

‘प्रणय पलायन’ स परेशान बिहार पुलिस

March 12, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना । बिहार मे विकास क संगहि युवा मे घर स भागि बियाह करबाक प्रवृति सेहो बढल जा रहल अछि । ‘प्रणय पलायन’ क कारण जतए दूटा परिवार थाना तक पहुंच रहल अछि, ओतहि मधुबनी सन शहर आगि मे झोंकल जा रहल अछि। देखल जाए त बिहार सब दिन ‘प्रणय पलायन’ क नौ टा स बेसी मामला दर्ज भ रहल अछि। पुलिस लेल इ एहन मामला अछि जेकरा ओ चाहियो कए रोकबा मे असमर्थ अछि।
उदारवाद क एहि युग मे बियाह क गप घर अगर नहि मानलक त इ पागलधनी सब एकर परवाह नहि करैत छथि जे घर स भगला पर परिवार आ समाज पर की प्रभाव पडत । कानून हाथ मे लेबा स सेहो हिनका सब कए कोनो हिचकिचाहट नहि । आंकडा कहैत अछि जे राज्‍य मे सब दिन ‘प्रणय पलायन’ क नौ टा स बेसी मामला दर्ज भ रहल अछि। पुलिस प्रशासन इ बुझबा मे असफल अछि जे एकरा कोना रोकल जाए ।
हत्या आ फिरौती लेल अपहरण क घटना कए जोडि देल जाए तखनो प्रणय पलायन क घटना ओकरा स कई गुणा बेसी अछि। आंकडा पर गौर करि त वर्ष 2012 मे प्रेम क चक्कर मे घर स भागबाक 405टा घटना दर्ज कैल गेल। एकरा अगर माहवार देखल जाए त जून मे सर्वाधिक 50टा आ अप्रैल मे सबस कम 21टा मामला सामने आएल।
कुल 405टा घटना मे महज तीनटा अनुसंधान क बाद गलत निकलल। प्रणय पलायन क दोसर रूप क स्थिति आओर बेसी गंभीर अछि। बियाह लेल अपहरण क घटना बिहार मे नव नहि अछि, मुदा पकरूआ बियाह क संग आब बियाह लेल युवती क अपहरण सेहो राज्‍य मे बढल अछि। वर्ष 2012 मे बियाह लेल अपहरण करबाक कुल 3007 घटना दर्ज कैल गेल। एहि मे स अधिकतर मामला प्रेम-प्रसंग स जुड़ल छल।
दूनू कए मिला देल जाए त प्रेम मे अपहरण आ घर स भागबाक कुल 3412टा मामला दर्ज भेल। इ संख्या, हत्या आ फिरौती लेल भेल अपहरण क घटना स तुलना कैल जाए त ओहि स कई गुणा बेसी अछि। बीतल वर्ष हत्या लेल अगवा करबाक 278टा आ फिरौती लेल अपहरण क मात्र 86टा मामला विभिन्न थाना मे दर्ज कराउल गेल, जाहि मे स 24टा गलत पाउल गेल।
पुलिस लेल प्रणय पलायन क घटना न केवल चुनौति बनल अछि बल्कि एकरा रोकबा लेल कोनो बाट नहि देखा रहल अछि। लड़की कए भगा ल जेबाक हालत मे ओकर परिजन सामान्‍यत: अपहरण क मामला दर्ज करेबा मे प्रयास करैत छथि, जाहि स अपहरण मामलाक अनुसंधान प्रभावित होइत अछि।
सब किछु पता रहलाक बावजूद पुलिस युवक क परिवार कए गिरफ्तार करैत अछि जिनका नामजद कैल जाइत अछि। अधिकतर मामला मे किछु दिन बाद प्रेमी-प्रेमिका बियाह क लौट अबैत छथि आ परिवार एकरा अपहरण नहि प्रणय पलायन मानि लैत अछि। मामला किशोरी या युवती स जुड़ल हेबाक कारण पुलिस कए अपहरण क मामला दर्ज करबाक मजबूरी रहैत अछि मुदा इ सब मानैत अछि जे एहन मामला मे काफी सावधानी बरतबाक चाही।
एकर अलावा अनजानी जगह पर प्रेमी-प्रेमिका कए कोनो गलत हाथ मे पड़बाक आशंका सेहो बनल रहैत अछि। आईजी (कमजोर वर्ग) अरविंद पांडेय कहब अछि जे तकनीकी रूप स अपहरण क एहि मामला मे अधिकतर प्रणय पलायन क होइत अछि, मुदा मामला दर्ज भेला पर पुलिस कानूनी प्रक्रिया क तहत कार्रवाई करैत अछि। चाहे, ओ प्रेम प्रसंग स जुडल हो या किछु आओर ।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरकोशीकोशी महोत्सवबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचारसहरसा

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

मैथिली क मसला पर शाही कए घेरलथि सरावगी

मैलोरंग करत 'पैघ नटकिया के' क मंचन

हमर संघर्ष मे नुकायल अछि कार्टूनक गुदगुदी : पवन

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि