• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिजली प्रोजेक्ट कए रोकबा मे लागल अछि वन विभाग

October 20, 2009
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना । राज्य क एकटा विद्युत परियोजना क लेल निवेशक तैयार अछि, मुदा ओकर कार्यान्वयन मे वन एवं पर्यावरण विभाग क कानून बाधक बनि गेल अछि। ऊर्जा विभाग वन विभाग स कैमूर मे प्रस्तावित 2590 मेगावाट क्षमता क पम्प स्टोरेज परियोजना क स्थल कए दर्शेबाक लेल स्फटिक चिह्न लगेबाक अनुमति मंगने छल, मुदा विभाग एहि पर चुप्पी साधि लेलक अछि। बिहार मे निवेश लेल एकटा त कोनो निवेशक सामने नहि अबैत अछि, एहन मे जखन विदेशी निवेशक एकरा लेल तैयार अछि त वन विभाग क अधिकारी ऊर्जा विभाग क अनुरोध कए अनसुना करि देने छथि। जापान पावर बिजली परियोजना क लेल राशि निवेश क प्रति काफी उत्साहित अछि। निवेशक क भ्रम कए समाप्त करबा लेल सरकार पट्टी लगाकए स्थल क सीमा निर्धारित करबाक निर्णय लेलक अछि। एकरा लेल वन विभाग कए राशि सेहो उपलब्ध करा देल गेल अछि, मुदा वन विभाग मामला कए ठंडा बस्ता मे डालि देलक अछि। जखन कि परियोजना स्थापित करबा लेल जापान बैंक आ जापान पावर क अफसर अगिल माह बिहारक दौरा पर आबि रहल छथि। दुर्भाग्य अछि जे कैमूर मे प्रस्तावित पम्प स्टोरेज स्कीम क लेल राशि क कोनो संकट नहि अछि। एकर स्थल कए प्रकृति क वरदान क रूप मे मानल जा रहल अछि। ऊर्जा विभाग क अनुसार जापान क टीम जखन स्थलीय दौरा केने छल त ओकर टिप्पणी छल जे एहन लगैत अछि जे प्रकृति परियोजना क लेल तालाब सहित सबटा आवश्यक संरचना स्वयं निर्माण केने अछि। एहन स्थिति मे किछु स्थल पर बेसी काज क आवश्यकता नहि अछि। जापानक कंपनी एहि लेल बिहार राज्य जल विद्युत निगम क प्रबंध निदेशक क स्तर स अनवरत पत्राचार सेहो क रहल अछि। एहि परियोजनाक तहत कैमूर स्थित हथियादह-दुर्गावती पम्प स्टोरेज स्कीम स 1600, तेलहरकुण्ड स 400 आ पंचगोटिया स 225 मेगावाट पनबिजली क उत्पादन प्रस्तावित अछि। एहि स्थल पर सिनाफदर मे प्रस्तावित 345 मेगावाट क्षमता क परियोजना स्थापित करबा लेल ऊर्जा मंत्रालय राष्ट्रीय जल विद्युत निगम(एनएचपीसी) कए निर्देश देने छल, मुदा राशि कए ल कए पेंच फंसि गेल अछि। एनएचपीसी अपन स्तर स राशि निवेश करबा लेल तैयार नहि अछि। एहन स्थिति मे सबटा परियोजना क भविष्य बाहरी निवेशक पर निर्भर अछि। संयोगवश एहि परियोजना क लेल निवेशक तैयार अछि। देखल जाए जे वन विभाग अपन कार्यशौली स एहि परियोजना कए केतबा क्षति पहुंचबैत अछि।

Tags: bihar hydro power corporationnewspatna

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

200 साल बाद आखिर सच भेल सपना

Esamaad Epaper Website

बिहार क प्रगति मे भागीदार बनय चाहैत छथि एनआरआई

मुजफ्फरपुर मे लागत क्लोज सर्किट कैमरा

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि