• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहार आयल केंद्रक टीम बाढ़िक स्थितिके मानलक गंभीर, राज्य सरकार मांगत 3328 करोड़क मदति

September 5, 2020
in समाचार
A A

पटना: बाढ़ि स’ भेल क्षतिक आकलन करय आयल छह सदस्यीय केंद्रीय अंतरमंत्रालयी टीम मानलक अछि जे बिहारमे जे बाढ़ि आयल अछि, इ सीवियर फ्लड सिचुएशन अछि. गोपालगंज, दरभंगा आ मुजफ्फरपुर जिलाक दौरा क’ लौटल केंद्रीय टीम राज्य सरकारक अधिकारी लोकनिक संग बैसकमे राहत आ बचाव काजक सराहना कयलक. राज्य सरकार बाढ़ि स’ भेल क्षतिक भरपाइक लेल केंद्र स’ 3328.60 करोड़ टाकाक मदति मांगत. एकरा लेल मेमोरेंडम तैयार कयल गेल अछि, मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक सहमतिक बाद एकरा केंद्र सरकारके सौंपल जायत.

तैयार मेमोरेंडममे नोकसानक चर्चा

तैयार मेमोरेंडममे आपदा प्रबंधन विभागक 1,342.90 करोड़, कृषि विभागक 999.60 करोड़, पशु एवं मत्स्य संसाधन विभागक 2.96 करोड़, पथ निर्माण विभागक 70.01 करोड़, ग्रामीण कार्य विभागक 412.90 करोड़, जल संसाधन विभागक 483.92 करोड़ आ ऊर्जा विभागक 16.31 करोड़क नोकसानक चर्चा अछि.
आपदा प्रबंधन विभागक अपर सचिव रामचंद्र डू बतओलनि जे राज्य सरकार आरंभिक आकलनक आधार पर जे आंकड़ा देने छल, ओकर सम्बन्धमे केंद्रीय टीम एतय आयल छल. छह सदस्यीय टीम द्वारा दू-दू सदस्यक तीन टीम बना क’ गोपालगंज, मुजफ्फरपुर आ दरभंगामे ऑन स्पॉट फील्ड विजिट कयलक. संगहि लोक सभ स’ बात क’ नोकसानक बारेमे जायजा लेलनि. केंद्रीय दलके जे किछु संदेह छल, आधिकारिक बैसकमे ओहि पर विस्तार स’ चर्चा भेल. केंद्रीय दल किछु अतिरिक्त आंकड़ा सेहो मंगलक. राज्य सरकारक अधिकारी हुनका बतओलनि जे एखनहु बहुत ठाम पानि अछि, एहि लेल सड़क आ घरक क्षतिक संबंधमे पानि उतरलाक बादे वास्तविक आकलन क’ आंकड़ा उपलब्ध करायब संभव होयत.

गृह मंत्रालयक संयुक्त सचिव पीयूष गोयलक नेतृत्वमे आयल छह सदस्यीय टीममे सौरभ कुमार दुबे (निदेशक, ग्रामीण विकास मंत्रालय), दीपेंद्र कुमार (निदेशक, वित्त मंत्रालय ), बीरेंद्र सिंह ( निदेशक, कृषि विभाग), संजीव कुमार सुमन ( निदेशक, जल शक्ति मंत्रालय), प्रदीप कुमार लाल ( सुपरिटेंडेट इंजीनियर, भूतल परिवहन एवं राजमार्ग मंत्रालय) शामिल छलाह.

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
Tags: BiharBihar floodcentral teamflood

Related Posts

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Sahitya Samaad : जरूर लिखा रहल अछि साहित्य, मुदा स्तरहीन, नव कथावस्तुक अछि अकाल

Sahitya Samaad : जरूर लिखा रहल अछि साहित्य, मुदा स्तरहीन, नव कथावस्तुक अछि अकाल

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै…

कोनो टोना भलै कि छू मंतर, लाश अर्थी चढल जिया देलियै...

दरभंगाक आसमान में 57 साल बाद देखल गेल कोनो यात्री विमान, स्पाइसजेट केलक एयरपोर्टक मुआयना

दरभंगाक आसमान में 57 साल बाद देखल गेल कोनो यात्री विमान, स्पाइसजेट केलक एयरपोर्टक मुआयना

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि