पटना : भाजपा क राष्ट्रिय अध्यक्ष राजनाथ सिंह क टीम मे बिहार क कईटा नेता कए जगह भेटल, मुदा पार्टीक सबस पैघ मंच संसदीय बोर्ड मे बिहार क कोनो प्रतिनिधि कए शामिल नहि कैल गेल। एतबा जरूर जे चुनाव समिति मे भागलपुर क सांसद शाहनवाज हुसैन क जगह सुरक्षित रहि गेल। ओ चारिम बेर एहि समिति क सदस्य बनलाह अछि। हुसैन लग प्रवक्ता पद सेहो बरकरार रहल।
कहबा लेल बिहार क अलग-अलग समुदाय स पांचटा पदाधिकारी कए शामिल कैल गेल अछि। मुदा बिहार स टीम राजनाथ मे ओहि सामाजिक समूह कए वरीयता नहि देल गेल अछि जेकर झुकाव भाजपा क सहयोगी जदयू क प्रति अछि। जेना वैश्य समुदाय कए भाजपा क वोट बैंक मानल जाइत अछि मुदा नव टीम मे बिहार स एहि समुदाय कए भागीदारी नगण्य अछि। बहरहाल, प्रदेश भाजपा अध्यक्ष पद स विदा भेल डा. सीपी ठाकुर कए राष्ट्रिय उपाध्यक्ष बनाउल गेल अछि। नितिन गडकरी क टीम मे उपाध्यक्ष रहल प्रो. किरण घई सिन्हा टीम राजनाथ मे जगह नहि बना सकलीह। सांसद रविशंकर प्रसाद राज्यसभा मे मुख्य विपक्षी दल क उप नेता रहताह। हुनका प्रवक्ता क जिम्मेवारी स मुक्त क देल गेल। संगठन क मोर्चा मे पूर्व मंत्री संजय पासवान कए महत्वपूर्ण जिम्मेवारी देल गेल अछि। ओ अनुसूचित जाति मोर्चा क अध्यक्ष बनाउल गेलाह अछि। एहिना सांसद राधामोहन सिंह कए अनुशासन समिति क अध्यक्ष पद देल गेल अछि। सिंह प्रदेश भाजपा क अध्यक्ष रहि चुकल छथि। युवा नेता रामेश्वर चौरसिया क सक्रियता देखैत पहिल बेर हिनका राष्ट्रिय मंत्री बनाउल गेल अछि। बिहार क रेणु कुशवाहा कए सेहो मंत्री पद भेटल अछि। अगर बिहारी मूल क गप कैल जाए त मध्यप्रदेश कोटा स उपाध्यक्ष बने राज्यसभा सदस्य प्रभात झा संग दूटा बिहारी उपाध्यक्ष बनल अछि। पूर्व मंत्री राजीव प्रताप रूड़ी कए सेहो तरक्की देल गेल अछि। ओे प्रवक्ता से राष्ट्रिय महामंत्री भ गेलाह अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर