• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

मैलोरंग देखेलक पैघ नटकिया

April 1, 2013
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

Bada Natkiya Kaun

नई दिल्ली । झूठ, जाल, आ फरेब क एहि दुनिया मे सब अपना आप कए सब स पैघ साबित करबा मे लागल रहैत अछि, मुदा असली विजेता वैह होइत अछि जे एहि संसार रूपी मंच क सबस पैघ नटकिया होयत अछि। दिल्ली क श्री राम सेंटर मे काल्हि मैलोरंग रेपटर्री क प्रस्तुति पैघ नटकिया के मंचन मे किछु एहने समाद देल गेल।
सब दिन जेंका त्य समय स शुरू भेल एहि नाटक क शुरुआत प्रकाश झा ( निर्देशक मैलोरंग) क स्वागत अभिभाषण स भेल, दर्शक क अभिवादन क बाद नाटक क शुरुआत अतिथि स्वागत गान स भेल जे कि नाटक क हिस्सा छल। फेर शुरू भेल नाटक, आ मंच पर एलथि मुकेश आ सोनिया झा दूनू क हँसी ठिठोली क बीच दर्शक कए नाटक की अछि, आ केकरा बारे मे अछि एकर संबंध मे जानकारी देल गेल। ओकर बाद एक एक क कए मंच पर कलाकार आबैत गेलाह आ हँसी क फुहार छुटैत गेल। अनिल मिश्रा आ प्रवीण कुमार साहूकार आ हिसाबी क रोल मे अपन अभिनय क १०० प्रतिशत देलैथि ओतहि राजीव रंजन, दीपक ठाकुर सेहो अपन अभिनय क बेहतरीन प्रदर्शन केलैथि। प्रवीण क एक-एक टा चुटकी आ राजीव क एक एकटा लचक पर दर्शक पेट पकडि कए हसबा लेल मजबूर भ जाएत छल। ओतहि मुकेश क मुन्सियाही प्रवृति, संवाद आ मासूमियत बला संवाद दर्शक क कुर्सी पर से उछलवा स नहि रोकि सकल। नाटक क अंत मे मौउगी बनल मुकेश क अभिनय आ बोल दर्शक क लोट-पोट कए देलक।

सोनिया झाक वस्त्र विन्यास सेहो गज़ब क छल हुनकर रचनात्मकता अभिनय क संग इहो मे अछि से पहिल बेर देखार भेल। फेर ओ चाहे मुकेश क घाघरा चोली मे देखार होए वा राजीव रंजन क पेंट आ टी-शर्ट पर छपल नायिका क फोटो स। राजीव मिश्र क संगीत आ ध्वनि सेहो गज़ब छल एहन बुझायल जे कलाकार लोकनि बहुत दिन स एहि लेल मेहनत क रहल छलाह। रश्मि झा आ राजीव रंजन क स्वर एहि संगीत प्रधान हास्य नाटक मे चारि चान लगा देलक।

ज्ञात हो जे अविनाश चन्द्र मिश्र द्वारा लिखित नाटक बड़ा नटकीया कौन क मंचन कैक बेर विभिन्न प्रेक्षागृह मे होयत रहल अछि। अविनाश चन्द्र मिश्र क बेहतरीन नाटक मे इहो नाटक क नाम आबैत अछि। पैघ नटकिया के क नाम से एकर मैथिली अनुवाद केलैथि अछि मेलोरंग रेपटर्री क चीफ मुकेश झा संगेहि बता दी जे इ मंचन पहिल बेर एहि नाटक क मैथिली मंचन छल। एहि ठाम एकटा संयोग आर छल जे एकहि रेपटर्री द्वारा संभवत: पहिल बेर एकहिं नाटक क हिंदी आ मैथिली मंचन भेल छल।
कर्यक्रम क अंत मे जेना की बुझल अछि मैलोरंग सभ बेर अपन आगामी मंचन क सूचना दैत अछि। एहि बेर मैलोरंग अपन आगामी मंचन क तिथि क घोषणा त नहि केलक अछि मुदा एहि साल तीन टा नाटक क घोषणा केलक अछि जाहि मे विद्यापति क नाटक मणि मंजरी जेकर संभवत: पहिल मंचन होयत, दोसर सेक्सपियर क बहुचर्चित नाटक रोमियो जूलियट आ महेंद्र मलंगिया क देह पर कोठी खसा दिय शामिल अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचारमैलोरंग
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

दरभंगा क विकास लेल होएत 15 कए सब विभागक संयुक्त बैसार

Esamaad Epaper Website

भागलपुर आ सुल्तानगंज क 13टा सड़क होएत चकाचक

Esamaad Epaper Website

पडल रहि गेल कोसी राहत क 467 करोड़

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

गाँधी सेतु नहि आब पीपा पुल स करू गंगा पार

by संपादक
February 18, 2017
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि