पटना । मिथिला क धरती समेत पूरा देश मे एक बेर फेर मंगलदिन राति सम्मत जराउल जाएत। सम्मत क आगि मे एक बेर फेर होलिका राख हेतीह । सम्मत क छाउर संग होली शुरू होएत। 27 क भोर स होली समस्त देश मे खेलल जाएत। किछु पंडित होलिका दहन क संग संग होली क तिथि सेहो मिलान करबा मे लागल छथि, जखन कि मान्यता अछि जे सम्मत क अगिला भोर होली होइत अछि । शास्त्र क जानकार क कहब अछि जे होली क कोनो तिथि निर्धारित नहि अछि, तिथि केवल सम्मत जरेबाक होइत अछि । होली त सम्मत क आगि क शांत भेला पर स्वत: शुरू भ जाइत अछि, ओकरा कोनो तिथि स संबंध नहि अछि । आचार्य संजीव क कहब अछि जे सामान्य तौर पर सम्मत क अगिला भोर पूर्णिमा होइत अछि, मुदा अगर तिथि आगू घसकि गेल त एकर कोनो आधार नहि जे होली मनेबा लेल एक दिनक बाट ताकल जाए । दरअसल सम्म्त क चाउर स होली खेलेबाक प्रथा आब खत्म भ चुकल अछि। मिथिला समेत सब ठाम रंग स होली होइत अछि । ओना मिथिलाक पुरातन मान्या कए स्वीकार करैत बिहार क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो 27 कए होली मनेबाक फैसला केलथि अछि। मुख्यमंत्री क सरकारी आवास एक अण्णे मार्ग मे 27 कए होली मनाउल जाएत। भोर दस बजे स दुपहरिया एक बजे तक मुख्यमंत्री आवास आम लोक लेल खुलल रहत ।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर