• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मैथिली, मैथिल संस्कृति आओर मिथिला राज्य

July 30, 2010
in विचार
A A

दोसरसमाचार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

May 30, 2020
नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

December 5, 2019

बिहार आ खास कए मिथिलाक विकासक चिंता करनिहार लोकक कमी नहि अछि। मुदा किछु लोक एकरा लेल गंभीर चिंतन टा नहि करैत छथि, बल्कि एकर निराकरण लेल सतत काज करि रहल अछि। ओहने लोक मे स छथि पत्रकार सुशांत झा। बिना संपादित प्रस्तुत अछि हुनकर मिथिला राज्य, मैथिल संस्कृति आ मैथिली पर केंद्रीत इ आखेख जे ओ समादक विशेष आग्रह पर मैथिली मे लिखलथि अछि।

सुशांत झा
समाद पर मिथिला आ बिहार स संबंधित लेख पढि कए ओतए चलै बला विकासपरक गतिविधि के अंदाज लागि पाबैये। इम्हर हमर एहेन मैथिल मित्र क संख्या मे बड तेजी स बृद्धि भेलए जे बिहार या मिथिला क विकास क बारे मे जानए त चाहैत छथि, मुदा जखन समाद पर मैथिली मे लेख पढ़य कहबनि त दिक्कत भय जाय छन्हि। हुनका मैथिली बाजय त अबै छन्हि, लेकिन पढ़य नहि आबै छन्हि। ओ हिंदी बड आराम स पढ़ लैत छथि, मुदा मैथिली पढ़य मे दिक्कत क वजह स ओ मैथिली साईट पढ़िते नहि छथि। ई बड्ड पैघ समस्या अछि।
देखल जाए त अमूमन जे कोनो भाषा के अपन लिपि जीवित छैक ओकरा पढ़ैबला कए कोनो दिक्कत नहि होईत छैक-कारण जे ओ बच्चे स ओहि भाषा कए ओहि लिपि मे पढ़ै कए अभ्यस्त होईत अछि। जेना तमिल, तमिल मे लिखल जाईत अछि, त एकटा औसत अंग्रेजीदां तमिलभाषीयो के ओकरा पढ़ै में कोनो दिक्कत नहि होईत छैक। मुदा कल्पना करु जे अगर तमिल कए देवनागरी मे लिखल जाई त की होएत ? ओ आदमी तमिल त बाजि लेत-चूंकि ओ ओकरा अपन माय या परिवार क अन्य सदस्य कए मुंह स सूनि कए सिखलक अछि-मुदा ओकरा पढ़ै मे बड्ड दिक्कत हेतैक। ओकरा देवनागरी लिपि सेहो सिखय पड़तै। हमर भाषा संगे येह दिक्कत अछि। मैथिली क अपन लिपि त छैक, मुदा ओ देवनागरी मे लिखल जा रहल अछि-जाहि लिपि मे हम सब सिर्फ हिंदी पढ़ै क आदी छी। अधिकांश मैथिली बजै बला कए मैथिली त आबै छन्हि-कियेक त ओ सुनि कय सिखने छथि लेकिन ओ पढ़ि नै सकै छथि, कियेक त पढ़ैके आदत हुनका हिंदी क छन्हि।
ई गप स्वीकार करए मे हमरा कोनो संकोच नहि जे हमर भाषा हिंदी क भाषाई साम्राज्यवाद क शिकार भेल अछि। ई संकट मैथिले टा संग नहि, बल्कि हिंदी क्षेत्र क तमाम भाषा जेना अवधी, भोजपुरी, ब्रज, राजस्थानी सबहक संगे छै। देखल जाए त भोजपुरी कनी नीक अवस्था मे अछि कारण जे एकरा बाजार सेहो सहयता कए रहल छैक। मुदा जेना-जेना शहरीकरण बढ़ि रहल अछि देश मे छोट-छोट भाषा आ बोली क स्पेश खत्म भ रहल अछि। देश क एकात्मक स्वरुप क विकास क लेल हिंदी आ अंग्रेजी अनिवार्य बनल जा रहल अछि। हालांकि दक्षिण क प्रांत आ उत्तर मे बंगाल आ उड़ीसा अहि स बहुत हद तक मुक्त अछि-ओना संकट ओतहु कम नहि। हमर भाषा मैथिली जनसंख्या क आकार, भौगोलिक स्थिति, प्राचीनता आ व्याकरण क दृष्टिकोण स कोनो भाषा स कम नहि, मुदा तइयो हम सब असहाय किए छी-ई एकटा विचारणीय प्रश्न अछि।

हमर दोस्त सब जिनकर जन्म पटना या दिल्ली मे भेलन्हि ओ हिंदी मे गप करैत छथि। हालांकि ओ अपन मां-बाबूजी स मैथिली बाजि लैत छथि, मुदा अन्य मैथिल भाषी स ओ हिंदी मे संवाद करैत छथि। एकर पाछू कोन मानसिकता अछि, कोन कारक एकरा प्रभावित कए रहल अछि, ताहि पर विवेचना आवश्यक।
दोसर गप हीन मानसिकता क सेहो। हम सब अपन संस्कृति कए जेना बिसरि गेलहुं अछि। हमरा सब ज्ञान क मतलब अंग्रेजी क जानकारी मानि लेने छी, आ संस्कारित होई क मतलब हिंदी क नीक ज्ञान यानी खड़ी हिंदी क दिल्ली या टीवी क टोन मे बाजै क ज्ञान मानि लेने छी। हमरा अपन प्राचीन परंपरा क ज्ञान स या त वंचित कएल जा रहल अछि या हम सब खुद अनभिज्ञ भेल जा रहल छी या कएकटा आर्थिक वजह हमरा सबस अमूल्य समय छीन रहल अछि जे हम सब अपन भाषा या संस्कृति क बारे मे सोची। हमर कइटा मैथिल मित्र कए ई ज्ञान नहि छन्हि जे सर गंगानाथ झा या अमर नाथ झा कए छलाह। हुनका उमेश मिश्र क बारे मे नहि बूझल छन्हि। हुनका सरिसव पाही या बनगाम महिसी क भौगोलिक जानकारी तक नहि छन्हि। हुनका मंडन मिश्र या जनक या मिथिला क प्राचीन विद्रोही परंपरा क बारे मे बिल्कुले पता नहि छन्हि। लोरिक या सलहेस एखन तक यादव या दुसाध क देवता किएक छथि ? आ मैथिल क मतलब मैथिल ब्राह्मण किएक होईत छैक ? की हम एकात्म मैथिल क रुप मे कोनो प्रश्न कए सोचैत छी? अहू सवाल स टकरेनाई आवश्यक। इंटरनेट अहि दिसा मे नीक काज कए रहल अछि। एम्हर कइटा वेबसाईट पर मैथिली या मिथिला क बारे मे नीक जानकारी आबि रहल अछि। मुदा की एतबा काफी अछि ?
आखेल जारी अछि

Tags: Biharmaithilimithilasushant

Related Posts

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

मैथिलीपुत्र प्रदीप : मिथिलाक लोकक गीतकार

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मिथिलाक धरोहर छलाह प्रदीप

May 31, 2020
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

May 30, 2020
नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

नीति या हिस्सा आखिर केकरा लेल तमसायल अछि कारोबारी जगत

December 5, 2019
फिल्मक समीक्षा : “गामक घर”  शून्य स अनंत धरि

फिल्मक समीक्षा : “गामक घर” शून्य स अनंत धरि

November 14, 2019
गांधीजी की छलाह ?

गांधीजी की छलाह ?

October 2, 2019
Next Post

रेल संपत्ति क नुकसान पर आब स्पीडी ट्रायल

62 मे सेवानिवृत्ति पर हाईकोर्ट क रोक

राष्ट्रीय नहीं रहल लालूक राजद

Comments 2

  1. प्रकाश झा says:
    15 years ago

    सुशांत जी !
    नमस्कार !
    अहाँक एहि आलेख स’ हम सहमत छी । मुदा, इहो लगैत अछि जे सभटा दोष अपन ओई मित्र मण्डल के नै छनि जिनका मैथिली पढ़ब बा लिखबा मे कठिनाई होइत छनि । एकर प्रमुख कारण अछि पढ़बा योग्य सामग्रीहक अभाव । अहाँ त’ पढ़ैत रहैत छी मुदा मोन पाडू जे सबस’ पहिने कहिया मैथिली पढ़ने रही । निश्चित ध्यान आओत जे वयस्क भेला बाद । हमरा सबहक बच्चाक लेल कोनो सामग्रीहे नै अछि । पढ़बाक अभ्यास कोना हेतैक ? आब किछु प्रकाशक लोकनि शुरू केलाह अछि । जेना श्रुति प्रकाशन, मैलोरंग प्रकाशन । बच्चाक लेल चित्रात्मक कथा/कॉमीक्स प्रकाशित क’ क’ ।

    एकटा बात आर अछि जे कोनो भी समुदायक सभ व्यक्ति अपन भाषाक प्रति एक समान सचेत नहि होइत छथि। हाँ जिनका मे ई सचेचता छनि हुनके सभकेँ आगू आब’ परतैन ।

    अपन जैड़ि स’ काज शुरू क’र’ परतैनि । ई दिल्ली, हैदराबाद, चएन्नै, मुम्बई मे बैसार क’ क’ की हेतैक । मिथिलाक सभ शहरक दोकानदार आ रिक्शा बला आब हिन्दी मे जबाब दैत अछि । अहाँ लाख हुनका संग मैथिली बाजू । ……
    खैर …आगू फेर कहियो ।

    Reply
    • sushant jha says:
      15 years ago

      prakashji ahank baat sa ham sahmat chhi…ekar nidan hamare sab ke sochay padat.

      Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि