नाटक पैघ नटकिया के बिहार आ उत्तर प्रदेश क माफिया गैंग पर आधारित कथानक अछि जे समाज मे स्वार्थी लोग सबकए देख बैत अछि। बतौर निर्देश प्रकाश झा कहैत छथि जे इ नाटक आजुक समाज लेल प्रासंगिकता अछि, आजुक समय मे स्वार्थी आ खाली अपना बारे मे सोचैत समाज लेल इ नाटक एकटा सही चित्रण अछि। इ नाटक असली-नकली आ असामान्य वर्ग क कहानी अछि जेकरा बड पैघ नाटकीय ढंग स पेश कैल गेल अछि। एकर कथा ग्रामीण आ शहरी जीवन क एकटा दिलचस्प पृष्ठभूमि क इर्द गिर्द घुमैत अछि। प्रकश कहैत छथि जे इ नाटक मानसिक परिवर्तन क कठिनता क सुन्दर रुपंतारण अछि।
विगत दिन भेल एहि नाटक क मंचन क राष्ट्रिय पटल पर खूब वाह-वाही भेटल छल जाहि से उत्साहित मैलोरंग क टीम एकर मैथिली मंचन क मोन बनेलक अछि।
एहि बेरक आयोजन कए व्यावसायिकता क रंग दैत मैलोरंग नाटक देखबाक लेल आतुर लोक स मात्र 100 टका क शुल्क ल रहल अछि जे नाटक क भव्यता क देखैत बहुत कम अछि। दिल्ली क श्री राम सेंटर एक बेर फेर मैथिल क उत्साह आ जोश क गवाह बनत तेकर पूरा संभावना अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर
from where i can entry ticket? from sri ram center or some where else
Contact-9910671203 – Mukesh jee for Entry Tickets