नई दिल्ली । आय सांझ राजकमल चौधरी क 48म पूण्यतिथी पर एक दिस जतय सहरसा क जिला परिषद स्थित रैनबो मेरैज हाउस मे ‘’राजकमल चौधरी – सृजन आ जीवन’’ पर संगोष्ठी भए रहल छल । ओतही दिल्ली क मण्डी हाउस स्थित सभागार मे राजकमल चौधरी क संपूर्ण रचनावली क लोकार्पण भए रहल छल । आठ खंड मे प्रकाशित एहि रचनावली कए देवशंकर नवीन संपादित केने छथि । कार्यक्रम क अध्यक्षता हिन्दी साहित्य क प्रखर आलोचक नामवर सिंह केने छथि । एहि लोकापर्ण क अवसर पर राजकमल प्रकाशन क सत्यानंद निरूपम जी जानकारी दैत कहलाह जे रचनवली पर राजकमल प्रकाशन 15 से 30 जून तक विशेष छूट देने अछि । आठ हजार कीमत क सजिल्द संस्करण बला रचनावली मात्र 4999 आ तीन हजार क कीमत बला पैपरबैक संस्करण मात्र 1999 मे उपलब्ध अछि । एम्हर सहरसा मे सांझखन सांस्कृतिक कार्यक्रम आयोजन भेल जाहि मे मैथिली क सुप्रसिद्ध गायक पवन नारायण क प्रस्तुति पर श्रोता झुमी उठल ।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa