• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

रिपोर्ट जे लिख नहि सकलहुं

February 1, 2010
in फीचर
A A

दोसरसमाचार

New Maithili Poem, Samtal Prakash, Maithili Poem, Bihar, Bihar news, Bihar Khabar, Bihar Hindi news, Bihar lettest news, Bihar khabar, Bihar hindi news,

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

January 5, 2021

गयाक अलावा 55 तीर्थस्थल अछि पिंडदानक लेल शुभ

September 2, 2020
मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

August 27, 2020

ग्लोबल वार्मिंग स बचबाक अछि त मनाउ जुड़-शीतल

April 14, 2020

तीन साल पहिने बिहार गेल रही। आइ फेर एक बेर बिहार जेबा लेल दिल्ली स्टेशन पर बैसल छी। धुंधक कारण स ट्रेन लेट अछि। हमरा सन अनेक लोक एहि चिंता स ग्रस्त छथि जे आब अगर ट्रेन लेट भेल त 28 जनवरी कए पटना पहुंचब। 28 कए लालू प्रसाद बिहार बंदक एलान केने छथि। बंद महंगाई क विरोध मे अछि। दिल्लीक लोक लेल इ बुझब कठिन अछि जे महंगाई क लेल आखिर बिहार किया बंद भ रहल अछि, जखनकि बिहार स बेसी महंगाई राजधानी दिल्ली मे अछि।
ट्रेन खुलल त आशा छल जे एहि विषय पर खूब बहस होएत। अपन डिब्बा मे सब बैसक लोक कए देखि राजनीतिक बहसक गौरवपूर्ण इतिहास क आगू बढ़बाक उम्मीद जगल। मुदा एहन किछु नहि भ सकल। बिहार जाइवाला ट्रेनक पहचान रहल राजनीतिक चर्चा एहि बेर मोबाइलक तरह-तरह कए घंटीक बीच कतहु सुनबा मे नहि भेटल।
करीब 26 घंटा लेट ट्रेन आखिरकार 12 बजे दिन मे पटना पहुंचल। अंदेशा छल जे स्टेशन पर राजद कार्यकर्ताक उग्र भीड़ स सामना होएत, मुदा स्टेशन परिसर शांत छल। कुली कहलक जे अलसायल कार्यकर्ता आब घर स निकलत आ दू बजे तक हंगामा भ सकैत अछि। राहत भेटल जे ताबत धरि घर पहुंच जायब। समय छल ताहि लेल रिक्शा पर सवार भ गेलहुं। स्टेशन स जखने बाहर निकलैत रही, राजद कार्यकर्ताक हुजूम स्टेशन दिस आबि रहल छल। रिक्शा दोसर रास्ता स आगू विदा भेल।
बाकीपुर जेलक निशान बचल देखी बुझबा मे आबि गेल जे
शांतिक संदेश देबा लेल बनि रहल बुद्घ स्मृति पार्क क एक दिस स हंगामा करैत आबि रहल राजदक कार्यकर्ता जंगल राज क आखरी निशानी छथि। एहि राज मे भ्रष्टाचार, अपराध आ जातीय उन्माद चरम पर छल शेष भारत क नजरि मे लगभग नौ करोड़ क आबादीवाला बिहार क एकटा वीभत्स छवि छल-खून-खराबा, चोरी आ हिंसा क कहानी स भरपूर। एहन धारणा बनि गेल छल जे स्टेशन पर उतरैत संग गोली क आवाज आ बम धमाका सुनाई देत। देश क अन्य भाग क लोक एहि ठाम एबा स घबरा यात्रा कि नौकरी तक छोडि़ दैत छलाह। प्रवासी सेहो बिहारी बनबाक कल्पना स सिहर उठैत छलाह।
रिक्शा धीरे-धीरे आगू बढि़ रहल छल। राजधानी पटना मे अर्थक उछाल स्पष्ट परिलक्षित अछि। महग कार, फ्लाइओवर आ विदेशी पाहुन देखी इ विश्वास करबा मे देरी नहि भेल जे बिहार बदलि रहल अछि। रोड विज्ञापन स पटल छल। विज्ञापन बता रहल छल जे बिहारक विकास कोना भ रहल अछि। परंपरागत अर्थशास्त्रक कोनो फार्मूला बिहारक विकासक आंकड़ा मे फिट नहि बैस सकैत अछि। ‘4सी’ मे नुकायल बिहारक विकासकछवि तकबा लेल हम विज्ञापन पर नजरि जमा लेलहुं। सेल (मोबाइल), कार, क्लीनिक आ कोचिंग। पटनाक सड़क लागल इ चारि तरहकविज्ञापन बता रहल छल जे बिहार विकास मे कोन क्षेत्रक योगदान अछि।
सही मायने मे देखल जाए त इ चारिटा क्षेत्रक विकासक पाछु सरकार क स्तर पर लेल गेल किछु निर्णय अछि, जाहि स बिहारक लोक कए एहि क्षेत्रक विकास करबा मे महत्वपूर्ण सफलता भेटल।
आइ बिहार विहार योग्य बनल एकर पाछु सरकार स बेसी एहि ठामक जनता क भूमिका रहल। जेकर उदाहरण आयकर चौराहा पर देखबा मे आइल। एहि ठाम राजद कार्यकर्ताक भारी भीड़ छल। प्रशासन सेहो सचेत छल। रिक्शा पर सामान देखि एकटा महिला कार्यकता पूछलक,’बाहर से आए हैं?’ हमर उत्तर हां मे छल। पुलिस कए एबा स पूर्वहि ओ हमर रिक्शा बाला कए एक फटका(लाठी) मारि आगू बढ़बाक हुक्म देलक। ओना एहन आंदोलन मे किछु अराजक तत्व अपन हाथ साफ करि लैत अछि, मुदा राजद कार्यकर्ता मे सहो एहि बेर परिवर्तन देखबा मे भेटल।
इ सब देखि उम्मीद जगल जे बिहार जनता 2005 मे नीतीश कुमार कए जाहि विधि क शासन लेल मुख्यमंत्री बनौलक, नीतीश ओहि जंगल राज कए समूल नष्ट करबा लेल बिहारकजनताक संग छथि।
विधि-व्यवस्था कए पुनस्र्थापित करबा लेल बिहारकजनताकए नीतीश सरकारक सहयोग भेट रहल अछि। 2008 मे अपहरण क मात्र 66 घटना एकर प्रमाण अछि। चार वित्तीय वर्ष मे 31 मार्च, 2009 तक राज्य क वार्षिक विकास दर 10. 5 प्रतिशत रहल। इ राष्ट्रीय औसत स बेसी अछि। कृषि हुए या लघु उद्योग, बिहार क अर्थव्यवस्था अत्यंत अस्थिर छल। 1990 क दशक क मध्य क सालों मे इ दर्शनीय रूप स बढ़ल सेहो। लेकिन, वर्तमान उछाल बेसी दीर्घकालिक अछि। एहन हेबाको चाही, कियाकि विस्तार क एहि दर क बाद सेहो प्रति व्यक्ति आय क मामला मे महाराष्ट्र क समान हेबा मे एखन 18 वर्ष क समय लागि जाएत।
रिक्शा बोरिंग रोड स्थित हमर मकानक आगू छल, मुदा सामने बनल मौर्य टीवीक कार्यालय स मोहल्लाक रूप बदलि चुकल छल। नहि बदलल छल त बस हमर मकान। घर ओहने छल।

रिपोर्टाज क शेष भाग काल्हि…..

Tags: Bihar

Related Posts

New Maithili Poem, Samtal Prakash, Maithili Poem, Bihar, Bihar news, Bihar Khabar, Bihar Hindi news, Bihar lettest news, Bihar khabar, Bihar hindi news,

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

January 5, 2021

गयाक अलावा 55 तीर्थस्थल अछि पिंडदानक लेल शुभ

September 2, 2020
मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

मिथिला’क मखान या बिहार’क जी आई टैग बला मखान?

August 27, 2020

ग्लोबल वार्मिंग स बचबाक अछि त मनाउ जुड़-शीतल

April 14, 2020
कविता: फैज अहमद फैजक ‘हमहीं ब्रह्म’ !

कविता: फैज अहमद फैजक ‘हमहीं ब्रह्म’ !

January 12, 2020
कविता : तारानंद वियोगी क विस्मयादि

कविता : तारानंद वियोगीक क्यो नहि पसंद करै छनि हुनका

January 11, 2020
Next Post

बिहार मे ऑल इज वेल

नहि खत्म भेल अछि हुक्का क शान

Esamaad Epaper Website

बयान पर माफी मंगलथि राहुल

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि