नई दिल्ली। नितिन गडकरी 8 फरवरी कए इंदौर मे भाजपा क नवम अध्यक्ष क तौर पर पार्टी क राष्ट्रीय परिषद क स्वीकृति प्राप्त करताह, मुदा राज्य मे संगठन चुनाव हेबाक कोनो सूरसार नजरि नहि आबि रहल अछि। गडकरी क अपन राज्य महाराष्ट्र आ जाहि मध्य प्रदेश मे हुनका अध्यक्ष क मान्यता भेटत दूनू ठाम चुनाव क कोनो माहौल नहि अछि । एकर अलावा झारखंड, राजस्थान आ कर्नाटक मे चुनाव क तैयारी त चलि रहल अछि, मुदा नाम पर सहमति नहि बनी सकल अछि।
ओना मध्य प्रदेश मे आम सहमति अछि जे सांसद आ पार्टी क राष्ट्रीय सचिव प्रभात झा कए अध्यक्ष बनाउल जाए। मुदा अटल बिहारी वाजपेयी क भागिन आ राज्य सरकार मे मंत्री अनूप मिश्रा क दावेदारी खत्म नहि भेल अछि। बिहार मे सबसे बेसी घमसान अछि। रवि शंकर प्रसाद अपन दावेदारी सबस आगू मानि रहल छथि, मुदा भागलपुर क सांसद सैयद शाहनवाज हुसैन क दावेदार दमदारन् अछि। सूत्र कहैत अछि जे पार्टी हुनका प्रदेश अध्यक्ष बना कए अपन मुस्लिम विरोधी छवि स मुक्ति पाबि सकैत अछि। हुसैनक दावेदारी कए देखैत बिहार क पार्टी अध्यक्ष चुनबा लेल एकटा महत्वपूर्ण बैठक शाहनवाज हुसैन क घर पर भेल, जाहि मे बिहार क उपमुख्यमंत्री सुशील मोदी आ वर्तमान प्रदेश अध्यक्ष राधा मोहन सिंह सेहो मौजूद छलाह।
कहल जा रहल अछि जे एहि सालक अंत मे होइवाला विधानसभा चुनाव मे पार्टी अध्यक्ष गडकरी कोनो हाल मे हार नहि देखए चाहैत छथि। एकरन लेल ओ पार्टी नेता स साफ तौर पर कहि चुकला अछि जे कोनो एहन बयान या गुटबाजी नहि हेबाक चाही जाहि स चुनाव मे पार्टी कए नुकसान हेबाक आशंका बनए। एहन मे बिहार मे पार्टीक नव अध्यक्षक लेल शाहनवाजक नाम लगभग तय मानल जा रहल अछि। ओना एहि पर संघ क मुहर लागब एखन बाकी अछि। सूत्र कहैत अछि जे संघ लेल हुसैन रविशंकर प्रसाद स नीक नाम मानल जा रहल अछि। ओना अंतिम फैसला जखन तक नहि अबैत अछि किछु कहब मुश्किल अछि।