मुख्यमंत्री देलथि कांटी थर्मल कए सुपर थर्मल बनेबाक आश्वासन
कांटी : एनटीपीसी आ विद्युत बोर्ड क संयुक्त उपक्रम कांटी थर्मल स आखिरकार 13 साल बाद उत्पादन शुरू भ गेल। कांटी थर्मल क 110 मेगावाट क पहिल इकाई (यूनिट नं.1) क लोकार्पण क संग उत्तर बिहार मे बिजली उत्पादन एक बेर फेर स शुरू भ गेल। अगिला साल मार्च तक यूनिट नंबर 2 स सेहो 110 मेगावाट बिजली क उत्पादन शुरू भ जाएत। इ दूनू इकाई1985 मे थर्मल क स्थापना क समय शुरू भेल छल। बंद भेलाक बाद समझौता क तहत एनटीपीसी एहि दूनू इकाई क जीर्णोद्धार केलक अछि। एकर अलावा फेज टू क तहत निमार्णाधीन 195-195 मेगावाट क दूटा आओर इकाई चालू कैल जाएत। मुख्यमंत्री कांटी थर्मल क 110 मेगावाट क पहिल इकाई (यूनिट नं.1) क लोकार्पण क बाद कहला जे कांटी स 1100 मेगावाट बिजली क उत्पादन होएत। ओ 500 मेगावाट क नव इकाई क शुरूआत करबाक घोषणा सेहो केलथि। नीतीश कहला जे ऊर्जा क मामला मे बिहार आत्मनिर्भर भ रहल अछि। बिहार जल्द शक्ति क केंद्र बनत। बिजली वर्तमान समय क जनाकांक्षा अछि। रोजगार, कृषि स ल कए घर तक बिजली क जरूरत अछि। एहि लेल बिजली सुधार कए ओ चुनौती क रूप मे स्वीकार केलथि अछि। ओ कहला से अगिला चारि साल मे राज्य मे छह हजार मेगावाट बिजली क आपूर्ति होएत। ओ कहला जे एनटीपीसी स बिजली खरीद तखने संभव अछि जखन जनता बिजली बिल समय पर जमा करबा लेल तैयार हेतथि। ओ कहला जे बिजली मुहैया करेबा लेल ओ हर संभव प्रयास क रहल छथि, जाहि मे हुनका धीरे-धीरे सफलता भेट रहल अछि। इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
सुखद समाचार। उम्मीद अछि नीक जेकां