पटना : भागलपुर स हवाई सेवा 15 सितंबर स शुरू भ जाएत। एहि सेवा लेल अंतिम बाधा आइ खत्म भ गेल। विमान सेवा उपलब्ध करेनिहार निजी विमान कंपनी स्काइफिशर एयरवेज लिमिटेड आ राज्य सरकार क बीच समझौता पत्र पर हस्ताक्षर कैल गेल। सरकार कंपनी कए विमान सेवा क परिचालन लेल तमाम आवश्यक सुविधा उपलब्ध कराउत। ओतहि स्काइ फिशर राज्य क विभिन्न जिला मुख्यालय कए राजधानी स जोड़बा क संगहि एयर एंबुलेंस आ चार्टर विमान सेवा शुरू करत। फिलहाल कंपनी क योजना वाराणसी- गया-पटना- भागलपुर क बीच वायु सेवा शुरू करबाक अछि। यात्री क रुझान देखला पर अगिला चरण मे राज्य क अन्य शहर आ पड़ोसी राज्य क समीपवर्ती जिला कए सेहो विमान सेवा स जोड़ल जाएत।
सोमदिन कंपनी क दूटा विमान विमान दिल्ली पहुंच जाएत। विमानन संबंधी औपचारिकता पूरा केलाक बाद 15 सितंबर स विमान सेवा शुरू भ जेबाक उम्मीद अछि।
बिहार हैंगर मे राज्य सरकार दिस स सिविल विमानन विभाग क सचिव दीपक कुमार सिंह आ स्काइफिशर क प्रबंध निदेशक ऋषिकेश करार पर हस्ताक्षर केलथि। करार क अनुसार पटना एयरपोर्ट स्थित बिहार हैंगर मे कंपनी अपन विमान पार्क करबाक संगहि एकर मरम्मत आ देखभाल संबंधी काज क सकत। इ सुविधा पहिल बेर कोनो निजी कंपनी कए देल जा रहल अछि। विमानन सचिव दीपक कुमार सिंह क अनुसार इ पहिल मौका अछि जखन कोनो कंपनी पटना कए बेस बनाकए अपन सेवा शुरू करत। कंपनी क प्रबंध निदेशक ऋषिकेश कहला जे आपदा क स्थिति मे सेहो कंपनी राहत काज लेल अपन विमान मुहैया कराउत।
ओ कहला जे कंपनी अपन एकटा विमान कए नियमित सेवा मे लगाउत जखन कि दोसर विमान विशेष सेवा लेल रहत। विशेष सेवा क तहत एहि विमान कए निजी पार्टी, पर्यटन आ निजी यात्रा लेल किराया पर लेल जा सकत। किराया क संबंध मे ओ कहला जे नियमित सेवा और विशेष सेवा लेल किराया क निर्धारण एक दू सप्ताह मे भ जाएत। सूत्रक कहब अछि जे पटना स भागलपुर क किराया दू हजारक आसपास भ सकैत अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa