पटना : स्काईफिशर क विमान दिल्ली स पटना पहुंच गेल। पटनाक स्टेट हैंगर मे विमान लागल अछि। बिहार मे स्काईफिशर क विमान सेवा क उद्घाटन 17 सितंबर कए मुख्यमंत्री नीतीश कुमार करताह। उद्घाटन क बाद भागलपुर-पटना-गया क बीच कंपनी ट्रायल सेवा शुरू करत। ओ कहला जे भागलपुर स विमान सेवा लेल नीतिगत फैसला ल लेल गेल अछि। कंपनी नवरात्र क पूर्व तक भागलपुर-पटना क बीच ट्रायल फ्लाइट चलाउत। भागलपुर- पटना बहुप्रतीक्षित यात्री विमान सेवा नवरात्र क पहिल दिन स नियमित शुरू भ जाएत। इ जानकारी स्काईफिशर कंपनी लिमिटेड क जनरल मैनेजर (कॉरपोरेट कम्युनिकेशन) विशाल कश्यप देलथि अछि। ओ कहला जे किराया क निर्धारण नहि भ सकल अछि, मुदा कंपनी क एमडी ऋषिकेश मिश्र समेत निदेशक मंडल क सदस्य, पायलट आ इंजीनियरिंग सेवा क अधिकारी एहि लेल लगातार बैसार क रहल छथि। कश्यप कहला अछि जे डायरेक्टर जनरल सिविल एविएशन (बीजीसीए) लग कंपनी क एयरक्राफ्ट क कागजात पहुंच गेल अछि। ओ कहला जे भागलपुर स विमान सेवा शुरू करबाक मद्देनजर रनवे कए सजेबाक काज पूरा क लेल गेल अछि। राष्ट्रीय उच्च पथ स रनवे तक एबा लेल सड़क निर्माण पूरा भ चुकल अछि। रनवे क सुरक्षा लेल तीन शिफ्ट मे पुलिस बल क तैनाती कैल गेल अछि। ओना मैदान क सफाई क काज भ रहल अछि। इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa