• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मधेपुरा लिखल इंजन तैयार, 28 फरवरी कए चलत पटरी पर

December 26, 2017
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
तिरहुत मे रेल एलाक 144 साल बाद भेटल अपन इंजन
पटना । मधेपुरा मे ग्रीन फील्ड विद्युत रेल इंजन कारखाना मे पहिल इंजन तैयार अछि। मधेपुरा लिखल इ इंजन भारत रेल इतिहास मे एकटा नव अध्याय शुरु करत। महाराजा लक्ष्मीश्वर सिंह क दूरदर्षित नीति स 1874 मे तिरहुत रेलवेक स्थापनाक संग एहि इलाका मे रेल क आगमन भेल आ 19वीं सदीक अंतिम कालखंड मे सर्वाधिक पटरी तिरहुत इलाका मे बिछाउल गेल, मुदा पटरी स ल कए इंजन तक विदेश स आयल छल, 144 साल बाद मधेपुरा मे अपन इंजन तैयार भ चुकल अछि। मिथिलाक चितरंजन अपन पहिल इंजन देश कए सनेस देबा लेल तैयार अछि। मधेपुरा रेल इंजन कारखाना मे 12 हजार हॉर्स पावर क पहिल इलेक्ट्रिक इंजन तैयार भ ट्राइल लेल अगिला मास पटरी पर उतरत। 28 फरवरी, 2018 को प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी हरी झंडी दिखाकर एकरा देश कए लोकार्पित करताह। रेल मंत्री पीयूष गोयल आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एहि अवसर पर उपस्थित रहताह। हालांकि 2007 में तत्कालीन रेल मंत्री लालू प्रसाद यादव मधेपुरा आ मढ़ौरा मे रेल इंजन कारखाना बनेबाक घोषणा केने छलाह, मुदा  रेलवे राशि क अभाव मे इ परियोजना कई साल तक अटकल रहल। आखिरकार प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी एहि परियोजना कए जमीन पर उतारबा मे सफल रहलाह।
रेलवे क आधिकारिक सूत्र कहब अछि जे एहि इंजन कए बनेबा में फ्रांस क एल्सटॉम कंपनी क 35 इंजीनियर आ कर्मी लागल छथि। भारत सरकार संग एल्सटॉम क भेल समझौता क अनुसार एहि कंपनी कए सबटा जरूरी सुविधा  मुहैया करवा देल गेल अछि।  एहि मे कारखाना लेल जमीन, बिजली, रेल पटरी, सड़क कनेक्टिविटी सन आधारभूत संरचना अछि। अधिकारीक कहब अछि जे इंजन कए रवाना करबा लेल कारखाना स स्टेशन तक ट्रैक बिछाउल जा चुकल अछि।
एल्सटॉम क 800 इलेक्ट्रिक रेल इंजन 11 साल क  अंदर तैयार करत। वित्त वर्ष 2017-18 मे केवल एक इलेक्ट्रिक इंजन देश को समर्पित कैल जायत।  संगहि वित्त वर्ष 2018-19 मे चारिटा, जखनकि वित्त वर्ष 2019-20 मे 100 टा इलेक्ट्रिक इंजन देश कए समर्पित कैल जायत। इ इंजन ट्रैक पर 120 किमी  प्रति घंटे क रफ्तार स दौड़त। एखन कारखाना परिसर मे 40 कोठलीक हॉस्टल आ फिटिंग लाइन बनाउल गेल अछि। एहि रेल इंजन कारखाना क लागत करीब 20 हजार करोड़ अछि।
ज्ञात हो जे मधेपुरा मे बीस हजार करोड़ क लागत स रेल विद्युत इंजन कारखान क निर्माण भ रहल अछि। मधेपुरा विद्युत रेल इंजन कारखाना क निर्माण क जिम्मेदारी फ्रांस क सबस पैघ ट्रांसपोर्ट कंपनी ऑल्सटॉम कए देल गेल अछि। इ परियोजना एफडीआइ (प्रत्यक्ष विदेशी निवेश) पर आधारित अछि। इ प्रधानमंत्री क मेक इन इंडिया क एखन धरिक सबस पैघ निवेश अछि।
Tags: madhepuraRail EngineTirhut

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

Esamaad Epaper Website

मिथिला के सरिपहुं एक प्राचीन धरोहर थिक मंगरौनी

बहुरत बिहार क्रिकेटक दिन

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि