• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

24 कए जयंत सिन्‍हा करताह दरभंगा एयापोर्टक मरम्‍मत काजक शुभारंभ

November 20, 2018
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

ज्‍योति कुमारी
दरभंगा । केंद्रीय नागरिक उड्डयन राज्यमंत्री जयंत सिन्हा 24 नवंबर कए दरभंगा एयरपोर्ट पर सिविल सेवा शुरु करबा लेल निर्माण कार्य सह एयरबेस पर रनवे मरम्‍मतक काज शुभारंभ करताह। सूत्रक कहब अछि जे दरभंगा एयरबेस पर सिविल कार्य शुरु करबा लेल सबटा औपचारिता पूरा क लेल गेल अछि। 24 तारीख कए जयंत सिन्‍हा एकर शुभारंभ करताह आ अगिला छह मासक भीतर एहि काज कए पूरा क लेबाक लक्ष्‍य निर्धारित कैल गेल अछि।
उल्‍लेखनीय अछि जे दरभंगा एयरबेस कए सिविल सेवा लेल उपलब्‍ध करेबा लेल एनओसी वायुसेना पहिने द चुकल अछि जखन कि मोदी सरकार‍क उडान योजनाक तहत दरभंगा एयरपोर्ट स स्‍पाईजेट कंपनी दिल्‍ली, मुंबई आ बेंगलुरु लेल सेवा शुरु करबाक निविदा प्राप्‍त क चुकल अछि। मरम्‍मत लेल निकलल टेंडर मे किछु तकनीकी कारण स भेल गडबडीक कारण टेंडर कई बेर रद्द भ गेल छल, मुदा अंतत: पिछला मास दिल्‍लीक कंपनी पीआरआई प्रोजेक्ट इंफ्रास्ट्रक्टर प्राइवेट लिमिटेड एकर टेंडर प्राप्‍त केलक। कंपनी टर्मिनल भवन निर्माण आ एयरपोर्ट क रनवे अपग्रेडेशन क काज करत जेकर शिलान्यास 24 नवंबर कए होएत।
दोसर दिस करीब 38 साल पर बिहार क मुख्‍यमंत्री विमान स दरभंगा एलाह। नीतीश कुमार स पूर्व जगन्‍नाथ मिश्रा मुख्‍यमंत्रीक रूप मे दरभंगा हवाई जहाज स आयल छलाह। दरभंगा मे नीतीश कुमार दरभंगा एयरपोर्ट खुलबाक जरुरत पर बल देलथि संगहि कहला जे 30 एकड़ जमीन अलग स अधिगृहित क सरकार दरभंगा एयरपोर्ट कए देत जाहि स सिविल टर्मिनल नीक जेका तैयार भ सकै। उल्‍लेखनीय अछि जे मंगल दिन दरभंगा एयरबेस पर वायुसेना अपन जौहर देखेलक जेकर आयोजन बिहार मे पहिल बेर भेल छल।
पिछला 55 साल स सुस्‍त पडल दरभंगा एयरपोर्ट आइ काफी व्‍यस्‍त रहल। भोर मे वायुसेनाक एयरशो भेल जाहि मे हजारों लोग एयरबेस पर जा करतब देखलक। एयरशो खत्‍म भेला‍क किछु काल बाद बिहारक राज्‍यपाल लालजी टंडन अपन विशेष विमान स दरभंगा एयरपोर्ट पहुंचलाह। टंडन स पूर्व बिहारक कौन राज्‍यपाल विमान स दरभंगा आयल छलथि इ ककरो स्‍मरण मे नहि अछि। राज्‍यपालक विमान उतरलाक किछु काल बाद मुख्‍यमंत्री नीतीश कुमार विशेष विमान स दरभंगा एयरपोर्ट पर उतरलाह। हुनका संग जदयू महासचिव संजय झा सेहो छलाह जे एयरपोर्ट लेल लगातार प्रयासरत रहला‍‍‍ह अछि। दरभंगा एयरपोर्ट पर बढल इ सक्रियता स आम लोक मे खुशी अछि आ उम्‍मीद बढल अछि जे शीघ्र एयरपोर्ट पर सेवा विमान सेहो उतरत।

Tags: Darbhanga Airport

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

दरभंगा मेडिकल स्‍कूलक जमीन पर बनत अखिल भारतीय आयुर्विज्ञान संस्‍थान

कोसी तटबंध क ऊंचाई पूरा क्षेत्र लेल ख़तरनाक : दिनेश मिश्र

सामाजिक आ सांस्‍कृतिक मूल्‍य प्रवासी मजदूरक सबस पैघ ताकत : जयराम

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि