• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

29 दिसम्बर कए देल जाएत अयाची छात्रवृत्ति

December 23, 2013
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

नयी दिल्‍ली : समाजिक क्षेत्रक संस्था नव पल्लव वार्षिकोत्सव ‘नवश्रुति-2013’ केर आयोजन 29 दिसम्बर 2013केँ कान्स्टिटूशन क्लब रफ़ी मार्ग स्पीकर हॉल दिल्लीमे आयोजित करबाक निर्णय लेलक अछि। एहि अवसरपर ‘अयाची छात्रवृत्ति’ प्रदान कएल जाएत। ई छात्रवृत्ति कार्यक्रम दू श्रेणीमे दू चरणमे आयोजित होएत। पहिल श्रेणीमे दिल्ली एवं एनसीआर केर सरकारी विद्यालय सभमे अध्यनरत कक्षा 9 एवं 10 केर छात्र-छात्रा भाग लऽ सकता। दोसर श्रेणीमे दिल्ली एवं एनसीआर केर सरकारी विद्यालयमे अध्ययनरत कक्षा 11 एवं 12 केर छात्र- छात्रा अपन भागिदारी निश्चित कऽ सकैत छथि। चरण एकमे देल गेल विषयपर छात्र लोकनिकेँ हिन्दीमे एकटा निबन्ध लिखबाक होएत। पहिल श्रेणीमे शब्द सीमा 350-400 आ द्वितीय श्रेणीमे 550-600 शब्द होएत। निबन्ध केर विषय पहिल श्रेणी लेल ‘मेरे सपनों का भारत – मैं करूं भारत निर्माण’ आ द्वितीय श्रेणीमे ‘भ्रष्टाचार- कारण और निवारण’ अछि। दोसर चरणमे देल गेल विषयपर व्याख्यान निश्चित समय सीमापर देबाक अछि। विषय पहिल श्रेणी लेल ‘यत्र नार्यस्तु पुज्यते, रमन्ते तत्र देवता:’ आ द्वितीय श्रेणी लेल ‘नारी के साथ दुर्यव्यवहार- कैसे हो इसका उपचार’ अछि। एहि चरण लेल समय सीमा प्रथम श्रेणी लेल 3.5 मिनट प्रति प्रतियोगी आ द्वितीय श्रेणी लेल 5 मिनट प्रति प्रतियोगी रहत। दुनू श्रेणीमेसँ सर्वश्रेष्ठ निबन्ध लिखऽ वला 10-10 छात्र/छात्राकेँ व्याख्यान प्रतियोगिता लेल नव श्रुति आयोजन स्थलपर 29 दिसम्बरकेँ बजाएल जाएत। आयोजन सचिव कृष्ण कुमार झा जनौलनि जे एहि प्रतियोगितामे भाग लेबा लेल कोनो फीस नहि लागत। व्याख्यान प्रतियोगितामे भाग लेबऽ वला छात्रमेसँ दू सर्वश्रेष्ठ छात्र/छात्राकेँ 500 प्रति मास एक बरख धरि छात्रवृत्ति देल जाएत। अन्य प्रतियोगीकेँ प्रोत्साहन पुरस्कार देल जाएत। ओ जनौलनि जे ओ निबन्ध जे डाक, स्पीड पोस्ट, कूरियर अथवा अपने लऽ कऽ 23 दिसम्बर सायं छओ बजेसँ पहिले पहुँचि जाएत ओहि सभ निबन्धकेँ प्रतियोगितामे शामिल कऽ लेल जाएत। आयोजन सचिव विशेष रूपसँ कहलनि जे प्रत्येक प्रतिभागी अपन निबन्ध केर अन्तमे अपन नाम, कक्षा, रोल नम्बर, विद्यालय केर नाम एवं सम्पर्क हेतु मोबाइल वा फोन नम्बर देब नञि बिसरथि, आ निबन्ध विद्यालय केर प्रधानाध्यापक द्वारा सत्यापित हेबाक चाही। निबन्ध पठेबाक पता : कृष्ण कुमार झा (आयोजन सचिव), नव पल्लव‘अयाची छात्रवृत्ति योजना- 2013 प्लॉट न. 78-79, पॉकेट-सी 5, सेक्टर-11, रोहिणी, दिल्ली-110085, मोबाइल न. – 9950098757.

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

ऑन लाइन परीक्षाक क्षेत्र मे दरभंगा क पैघ डेग

Esamaad Epaper Website

महानगरमे नारीक अस्मिता सुरक्षित नहि

Esamaad Epaper Website

गंगा स बूढ़ी गंडक कए जोड़बा क डीपीआर तैयार

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

by संपादक
February 23, 2019
1

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि