• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

54टा आईएएस अधिकारी कए नव जिम्मेदारी

February 11, 2011
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

पटना । पंचायत चुनाव स ठीक पहिने राज्य सरकार  भारतीय प्रशासनिक सेवा क अधिकारीक पैघ पैमाने पर फेरबदल केलक अछि। 54टा आईएएस अधिकारी कए  नव जिम्मेदारी सौंपल गेल अछि। कईटा विभाग क प्रधान सचिव आ कईटा विभाग क सचिव सेहो बदलि देल गेल अछि। 22टा जिला मे नव जिलाधिकारी देल गेल अछि। एहि मे डीएम क पद पर रहल 12 अधिकारी कए कए दोसर जिला क कमान सौंपल गेल अछि। पटना, शिवहर, लखीसराय, अरवल, मधेपुरा, मुजफ्फरपुर, भागलपुर, छपरा, सहरसा, वैशाली, मोतिहारी, बेतिया, गोपालगंज, गया, कैमूर, खगड़िया, दरभंगा, समस्तीपुर, औरंगाबाद, जमुई, मुंगेर आ जहानाबाद मे नव डीएम तैनात कैल गेल अछि।
जारी आदेश क अनुसार गया क डीएम संजय सिंह कए पटना क डीएम, विशेष सचिव पिछड़ा वर्ग आ अति पिछड़ा वर्ग कल्याण जयमंगल सिंह कए शिवहर, जितेंद्र कुमार मुख्यमंत्री सचिवालय कए विशेष सचिव, विशेष सचिव भवन निर्माण हृदय नारायण झा कए लखीसराय, निदेशक समाज कल्याण आशीष कुमार कए अरवल, विशेष सचिव मानव संसाधन मिन्हाज आलम कए मधेपुरा, डीएम दरभंगा संतोष कुमार मल्ल कए मुजफ्फरपुर, डीएम मोतिहारी नर्मदेर्श्वर लाल कए भागलपुर, निदेशक पर्यटन विनय कुमार कए छपरा, निदेशक मध्याह्न भोजन देवराज देव कए सहरसा, डीएम मुंगेर प्रेम सिंह मीणा कए वैशाली, अपर सचिव परिवहन अभिजीत सिन्हा कए मोतिहारी, डीएम वैशाली श्रीधर चिरीबोलू कए बेतिया, राज्य पुल निर्माण निगम क अध्यक्ष पंकज कुमार पाल कए गोपालगंज, उत्पाद आयुक्त वंदना प्रेयसी कए गया, डीएम अरवल असंगबा चुबा आओ कए कैमूर, डीएम जहानाबाद पलका साहनी कए खगड़िया, डीएम सहरसा आर लक्ष्मणन कए दरभंगा, डीएम औरंगाबाद कुंदन कुमार कए समस्तीपुर, डीएम खगड़िया अभय कुमार सिंह कए औरंगाबाद, मुख्य कार्यपालक पदाधिकारी सह निगमायुक्त पटना नगर निगम मनीष कुमार कए जमुई, डीएम सारण कुलदीप नारायण कए मुंगेर आ डीएम गोपालगंज बालामुरुगन डी कए जहानाबाद क डीएम बनाउल गेल अछि। डीएम मुजफ्फरपुर आनंद किशोर कए विशेष सचिव राजस्व आ भूमि सुधार, डीएम भागलपुर राहुल सिंह कए राज्य परिवहन आयुक्त (अतिरिक्त प्रभार मानव संसाधन), डीएम जमुई विपिन कुमार कए अध्यक्ष पुल निर्माण निगम (अतिरिक्त प्रभार एमडी काम्फेड), परियोजना निदेशक एड्स कंट्रोल सोसायटी देवोत्तम वर्मा कए विशेष सचिव स्वास्थ्य, डीएम पटना जितेन्द्र कुमार कए विशेष सचिव मुख्यमंत्री सचिवालय, डीएम समस्तीपुर पंकज कुमार कए विशेष सचिव कृषि, डीएम कैमूर मयंक बरबड़े कए प्रबंधन निदेशक शहरी आधारभूत संरचना निगम, डीएम मधेपुरा वीरेन्द्र प्रसाद यादव कए निदेशक पर्यटन (अतिरिक्त प्रभार संयुक्त सचिव पर्यटन), डीएम लखीसराय दिवेश सेहरा कए पटना नगर निगम क आयुक्त (अतिरिक्त प्रभार एमडी बिहार राज्य जल पर्षद) खान आ भूतत्व विभाग क प्रधान सचिव फूल सिंह कए परामर्शी राज्य योजना पर्षद, पदस्थापना क प्रतीक्षा मे चलि रहल मो. आशिक इब्राहिमी कए अपर सदस्य राज्य पर्षद, पर्यावरण आ वन विभाग क प्रधान सचिव शुभकीर्ति मजूमदार कए प्रधान सचिव खान आ भूतत्व विभाग क अतिरिक्त जिम्मेदारी सौंपल गेल अछि।
मंत्रिमंडल सचिवालय विभाग क प्रधान सचिव अफजल अमानुल्लाह कए प्रधान सचिव जल संसाधन विभाग (राज्यपाल क प्रधान सचिव क अतिरिक्त प्रभार), प्रधान सचिव पशु आ मत्स्य संसाधन विभाग एस के नेगी कए प्रधान सचिव सहकारिता विभाग, नगर विकास आ आवास विभाग क प्रधान सचिव गिरीश शंकर कए प्रधान सचिव विज्ञान आ प्रौद्योगिकी, पदस्थापना क प्रतिक्षा मे चलि रहल अमिताभ वर्मा कए अपर सदस्य राजस्व पर्षद, विज्ञान आ प्रावैधिकी विभाग क प्रधान सचिव रविकांत कए प्रधान सचिव मंत्रिमंडल सचिवालय (सदस्य सचिव राज्य परामर्शदातृ समिति क अतिरिक्त प्रभार), जल संसाधन विभाग क प्रधान सचिव अजय वी नायक कए प्रधान सचिव ऊर्जा विभाग, ग्रामीण कार्य विभाग क प्रधान सचिव शशिशेखर शर्मा कए प्रधान सचिव नगर विकास विभाग, आयुक्त, दरभंगा प्रमंडल क आयुक्त संजीव कुमार सिन्हा कए परियोजना निदेशक बिहार राज्य एड्स नियंत्रण सोसायटी, सचिव कला-संस्कृति आ युवा विभाग क सचिव केपी रमैया कए पटना प्रमंडल क अतिरिक्त प्रभार, प्रबंधन निदेशक बिहार राज्य औद्योगिक क्षेत्र विकास प्राधिकार एस शिवकुमार कए सचिव मानव संसाधन, सचिव लघु जल संसाधन सुधीर कुमार कए सचिव पशु आ मत्स्य संसाधन, भागलपुर प्रमंडल क आयुक्त डा. दीपक प्रसाद कए सचिव लघु जल संसाधन, सारण प्रमंडल क आयुक्त अंशुली आर्या कए प्रबंध निदेशक बिहार राज्य औद्योगिक क्षेत्र विकास प्राधिकार बनाउल गेल अछि। आयुक्त सह सचिव वाणिज्य कर विभाग राजित पुनहानी कए प्रबंधन निदेशक बिवरेज कारपोरेशन क अतिरिक्त जिम्मेदारी, राज्य परिवहन आयुक्त उदय सिंह कुमावत कए सचिव परिवहन विभाग, आईसीडीएस क निदेशक, एन विजयलक्ष्मी कए सचिव समाज कल्याण विभाग (अतिरिक्त प्रभार निदेशक आईसीडीएस आ प्रबंधन निदेशक महिला विकास निगम आ सचिव बाल अधिकार संरक्षण आयोग), पश्चिमी चंपारण क जिलाधिकारी बी राजेंदर कए सचिव ग्रामीण कार्य विभाग, डीएम शिवहर सुरेश प्रसाद सिंह कए निबंधक सहयोग समिति, आ निबंधन सहयोग समिति दयाशंकर पांडेय कए भागलपुर प्रमंडल क आयुक्त, सचिव बिहार लोकसेवा आयोग गोविंद नारायण चौधरी कए आयुक्त दरभंगा प्रमंडल, निदेशक आ भू अर्जन इंद्रसेन सिंह कए आयुक्त सारण प्रमंडल बनाउल गेल अछि। सचिव सूचना आ जनसंपर्क राजेश भूषण कए राज्य परियोजना निदेशक (बिहार माध्यमिक शिक्षा) क अतिरिक्त प्रभार सौंपल गेल अछि।

Tags: Biharbihar governmentनीतीशबिहार
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

मोदी क खिलाफ शिकायत स पल्ला झाड‍ि लेलथि रूपम

Esamaad Epaper Website

21 मार्च कए दरभंगा आउतथि राष्ट्रपति

Esamaad Epaper Website

हुजूर आते-आते बहुत देर कर दी

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Computer probleem

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

मैथिली, मैथिल संस्कृति आओर मिथिला राज्य

by संपादक
July 30, 2010
2

Read more

विद्यापति स्मृति पर्व समारोहमे : जिंस ढ़ीला क’ र’…

by संपादक
August 16, 2015
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि