जातीय उन्माद पसारबा लेल सब पार्टी जिम्मेदार
जैनेंद्र
पटना । राजद सांसद राजीव रंजन उर्फ पप्पू यादव कहला अछि जे ओ बिहार क बंटवारा क पक्ष मे नहि छथि मुदा मिथिला क संग भ रहल भेदभाव आब बर्दास्त नहि कैल जा सकैत अछि। ओ कहला जे उपेक्षा अगर जारी रहल त अलग राज्य क मांग आओर जोर पकडत। बिहार क सत्ता मे मिथिला क उपेक्षा पर पप़्पू यादव कहला जे मिथिला क लोक जखन चाहत तखन सत्ता अपन हाथ मे ल लेत । ओ कहला जे मिथिला सब दिन स सत्ता क धुरी रहल अछि । मिथिला एखन धरिक सब सरकार मे सबस बेसी विधायक देलक अछि । कांग्रेस हो वा लालू प्रसाद या फेर नीतीश कुमार क सरकार, मिथिला क सर्वाधिक विधायक सत्ता मे रहल। बावजूद मिथिला क उपेक्षा होइत रहल। सांसद पप़्पू यादव शनिदिन इसमाद डाट कॉम संग खास गपशप मे कहला जे नायक आ महानायक बनेबाक अधिकार जनता क हाथ मे अछि। बिहार मे जातीय राजनीति क सवाल पर ओ कहला जे जातीय उन्माद पसारबा मे कमोबेश सब पार्टी आ नेता समान रूप स जिम्मेदार छथि। बिहारक सर्वमान्य नेता बनबाक सवाल पर ओ कहला जे लोकतंत्र मे सबटा बाट जनता तय करैत अछि। अपन भूमिका हमरा पता अछि। हम जाति क राजनीति नहि करैत छी। हम विद्यापति आ दिनकर क आदर्श पर चलै वाला लोक छी । जेना हुनकर रचना सब जाति मे समान रूप स लोकप्रिय अछि, तहिना हम सब जाति कए समान नजरि स देखैत छी। हम गरीब कए सम्मान आओर अधिकार दियेबा मे लागल छी। जनता दल परिवार मे भ रहल महाविलय क बाद अपन भूमिका पर ओ कहला जे आगू क भूमिका पार्टी नेतृत्व तय करत। सांप्रदायिक उन्माद पर ओ कहला जे मजहबी उन्माद क कारण समाज स इंसानियत खत्म होइत जा रहल अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
Hinka prati hum purvagrah s grasit rahi…muda aaab aiy s nikail gelau.
बिहार के राजनिती में १६ अना जातीबाद पसरल य् , एही कारन बिहार के बिकाश नय भेल , जिम्मेदार नेता स् बेसी जनता य् |