• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

थर्मल पावर परियोजना बदलत सासारामक तकदीर आ तस्वीर

September 11, 2009
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

tharmalऔरंगाबाद । औरंगाबाद जिला क बड़ेम मे भारतीय रेल आ बिहार सरकार क संयुक्त उपक्रम क रूप मे नेशनल थर्मल पावर कार्पोरेशन क प्रस्तावित दूटा थर्मल पावर परियोजना स क्षेत्र क तस्वीर आ तकदीर बदलि रहल अछि। एहि परियोजना क स्थापना स क्षेत्रीय नागरिक मे खासा उत्साह अछि आओर एखन धरि अति पिछड़ल एहि क्षेत्र क लोक विकास क कल्पना करिकए हर्षित छथि। क्षेत्रीय विकास समिति क अध्यक्ष लव कुमार कहैत छथि जे क्षेत्रीय किसान दूनू परियोजना क स्थापना मे मदद लेल हाथ बढोने छथि आ परियोजना क लेल स्वेच्छा स अपन जमीन देबा लेल तैयार छथि। दूनू परियोजना क स्थापना भेला पर क्षेत्र मे विविध प्रकार क रोजगार क अवसर बढ़त, जाहि स एहि ठामक अर्थ व्यवस्था काफी सुदृढ़ हेबाक उम्मीद है। संगहि एहि परियोजना क स्थापना स बिहार बिजली क मामला मे न केवल आत्मनिर्भर होयत, बल्कि पड़ोसी राज्य आ देश कए बिजली देबा मे सेहो सक्षम होयत। सूत्र कहैत अछि जे भारतीय रेल बिजली कंपनी लिमिटेड कए थर्मल पावर प्रोजेक्ट स्थापित करबा लेल कुल 1544 एकड़ भूमि क आवश्यकता छैक, जाहिमे 800 एकड़ भूमि क अधिग्रहण भ चुकल अछि आ शेष भूमि क अधिग्रहण क कार्रवाई जारी अछि। अधिग्रहित भूमि क बदला मे किसान कए मुआवजा देल जा रहल अछि। संगहि जमीन देयवाला लोकक बच्चा कए आईटीआई मे शिक्षा ग्रहण करबा लेल छात्रवृत्ति क व्यवस्था कैल गेल अछि।
एनटीपीसी क अधिकारी कहैत छथि जे भारतीय रेल क सहयोग स नवीनगर मे एक हजार मेगावाट विद्युत उत्पादन क्षमता वाला सुपर थर्मल पावर प्रोजेक्ट क निर्माण पर लगभग 53 सौ करोड़ टका खर्च होयत। ओ कहला जे भूमि हस्तांतरण भेला स आब एहि परियोजना क निर्माण कार्य गति लेत। संगहि परियोजना स्थल क इर्द-गिर्द गाम क सड़क निर्माण, स्कूल व सामुदायिक भवन क निर्माण, प्रकाश आ पेयजल क आपूर्ति व्यवस्था, तकनीकि शिक्षा क लेल आईटीआई क स्थापना, क्षेत्र मे चलंत अस्पताल क संग-संग स्थाई चिकित्सालय क स्थापना कैल जा रहल अछि। सूत्र कहैत अछि जे परियोजना स्थल स जिला मुख्यालय आ प्रखंड मुख्यालय बारून कए जोड़बा लेल नीक सड़क, सार्वजनिक पार्क क निर्माण आ चौक-चौराह क सौंदर्यीकरण, बारूण स्थित विद्युत सब स्टेशन क गुणवत्ता मे सुधार क लेल आर्थिक व तकनीकि सहायता सेहो क्रमवार उपलब्ध कराउल जाइत। विभागीय अधिकारी कहला जे एहि परियोजना स 2012 तक विद्युत उत्पादन क कार्य प्रारंभ भ जाइत। एहिना परियोजना स्थलक लग मे बिहार सरकार आ एनटीपीसी क सहयोग स एक आओर मेगा थर्मल पावर प्रोजेक्ट स्थापित करबाक योजना अछि। बारूण प्रखंड मुख्यालय स दक्षिण बिहार सरकार क सहयोग स 1980 मेगावाट विद्युत उत्पादन क्षमता वाला सुपर थर्मल पावर परियोजना लगाउल जा रहल अछि। एकरा लेल 660 मेगावाट क 3 इकाई स्थापित भ रहल अछि। एहि परियोजना क स्थापना पर 15 हजार करोड़ टका से अधिक खर्च हेबाक उम्मीद अछि।

Tags: Bihardevelopmentelectricitylaloolalumithilanavinagarnitishpatnaprojectsasaramthermal power

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

पटना मे खुलत राष्टीय राजमार्ग प्राधिकरण क क्षेत्रीय कार्यालय

दरभंगा मे लागत मारुति उद्योग क परियोजना !

नरेगा लेल लेबर बजट मे संशोधन

Comments 2

  1. amit kishor says:
    16 years ago

    aapki website aaj kafi achchhi lagi
    layout bhi kafi sundar hai
    pahale din thik nahi laga tha
    aaj very nice

    Reply
  2. गजेन्द्र ठाकुर says:
    16 years ago

    vikasak khabar ehina dait rahoo

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि