पटना । मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क कैबिनेट मे दरभंगा प्रमंडल क दबदबा अछि। ओना वैशाली आ नालंदा जिला क सत्ता पर आसीन रहत, मुदा खजानाक कुंजी दरभंगा क हाथ आयल अछि। एहन मे दरभंगा क विकास क उम्मीद बढल अछि। देखल जाय त वैशाली स लालू प्रसाद क दूनू बेटा तेज प्रताप यादव आ तेजस्वी यादव क अलावा राजापाकड़ क विधायक शिवचंद्र राम मंत्री बनौउल गेलथि अछि। इ तीनू राजद स छथि। नालंदा स स्वयं मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क अलावा श्रवण कुमार आ राजीव रंजन उर्फ ललन सिंह (विधान पार्षद) कए कैबिनेट मे शामिल कैल गेल अछि। इ तीनू जदयू स छथि। एहन में दरभंगा जिला स महागठबंधन क असली स्वरूप देखल जा सकैत अछि। एहि ठाम स अब्दुल बारी सिद्दीकी राजद स, मदन सहनी जदयू स आ मदन मोहन झा (विधान पार्षद) कांग्रेस स मंत्री बनाउल गेलाह अछि। दरभंगा प्रमंडलक अन्य जिला देखल जाये त समस्तीपुर स दूटा विधायक कए नीतीश कैबिनेट मे जगह भेटल अछि। जदयू क महेश्वर हजारी आ राजद क आलोक मेहता कए मंत्री बनाउल गेल अछि। ओना विजय कुमार चौधरी कए विधानसभा अध्यक्ष बनबाक चर्च अछि। एहन में राधानंदन झा क बाद एक बेर फेर दरभंगा कए इ पद भेटबाक उम्मीद अछि। मधुबनी स कपिलदेव कामत कए कैबिनेट में जगह भेटल अछि। एहन मे दरभंगा प्रमंडल स कुल छह गोट मंत्री आ विधानसभा अध्यक्ष क पद भेटल अछि। कोसी क चर्च करि त सुपौल स विजेंद्र प्रसाद यादव आ सहरसा स डाॅ अब्दुल गफूर कए स्थान भेटल अछि।एकर अलावा सारण क गड़खा स राजद क मुनेश्वर चौधरी आ परसा स चंद्रिका राय, रोहतास क दिनारा स जदयू विधायक जयकुमार सिंह आ नोखा स राजद विधायक अनिता देवी कए मंत्री पद भेटल अछि। मुंगेर स शैलेश कुमार, बक्सर स संतोष कुमार निराला, पश्चिमी चंपारण स खुर्शीद उर्फ फिरोज अहमद, पूर्णिया स अब्दुल जलील मस्तान, मधेपुरा स चंद्रशेखर, मुजफ्फरपुर स रामविचार राय, जहानाबाद स कृष्णनंदन प्रसाद वर्मा, बेगूसराय स मंजू वर्मा, गया स अवधेश कुमार सिंह आ जमुई स विजय प्रकाश सेहो मंत्री बनलाह अछि। शेखपुरा स अशोक चौधरी (विधान पार्षद) मंत्री बनालाह अछि।
जिलावार
वैशाली-3, नालंदा-3, दरभंगा-3, रोहतास-2, समस्तीपुर-2, सारण-2, बक्सर-1, जहानाबाद-1, गया-1, मधुबनी-1, मुजफ्फरपुर-1, बेगूसराय-1, मुंगेर-1, जमुई-1, पूर्णिया-1, सहरसा-1, पश्चिमी चंपारण-1, सुपौल-1, मधेपुरा-1, शेखपुरा-1
एहि स पूर्व नीतीश कुमार शुक्रदिन पांचम बेर मुख्यमंत्री पद क शपथ लेलथि। ऐतिहासिक गांधी मैदान मे खुलल मंच पर राज्यपाल रामनाथ कोविंद हुनका पद आ गाेपनीयता क शपथ दियौलथि। नीतीश कुमार क संग कुल 29गोटे कैबिनेट मंत्री क रूप मे शपथ लेलथि। जदयू व राजद स 12-12 आ कांग्रेस स चारटा मंत्री शपथ लेलथि। राजद अध्यक्ष लालू प्रसाद आ पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी क दूनू विधायक बेटा तेजप्रताप आ तेजस्वी यादव क सेहो कैबिनेट मंत्री क रूप मे शपथ दियौल गेल। तेजस्वी यादव कए उपमुख्यमंत्री बनाउल गेल अछि। ओ नीतीश कुमार क बाद दोसर नंबर पर शपथ लेलथि। तेसर नबंर पर तेज प्रताप यादव शपथ लेलथि। एकर बाद राजद क वरिष्ठ नेता अब्दुल बारी सिद्दीकी कए राज्यपाल शपथ दियौलथि। शपथ क दौरान कांग्रेस उपाध्यक्ष राहुल गांधी, पूर्व पीएम एचडी देवगौड़ा, पश्चिम बंगाल क सीएम ममता बनर्जी, कर्नाटक क सीएम सिद्ध्ररमय्या असम क सीएम तरुण गोगोई, दिल्ली क सीएम अरविंद केजरीवाल समेत कई राज्य क पूर्व सीएम सेहो मौजूद छलाह। केंद्र सरकार क प्रतिनिधि क रूप मे एम वेंकैया नायडू, राज्यसभा मे नेता प्रतिपक्ष गुलाम नवी आजाद, लोकसभा में नेता प्रतिपक्ष मल्लिकाजुन खड़गे, केंद्रीय मंत्री व द्रमुक नेता टीआर बालू समेत कश्मीर स कन्याकुमारी तक कए प्रमुख नेता एहि समारोह मे मौजूद छलाह।
नीतीश मंत्रिमंडल क अन्य सदस्य विभाग
—————————————————
विजेन्द्र प्रसाद यादव – ऊर्जा आ वाणिज्य कर
ललन सिंह – जल संसाधन , योजना आ विकास
अशोक चौधरी – शिक्षा आ आइटी
श्रवण कुमार – ग्रामीण विकास आ संसदीय कार्य
जय कुमार सिंह – उद्योग , विज्ञान आ प्रौवैद्यिकी
आलोक कुमार मेहता – सहकारिता
चन्द्रिका राय -परिवहन
अवधेश कुमार सिंह – पशु आ मत्स्य संसाधन
कृष्णनंदन प्रसाद वर्मा- लोक स्वास्थ्य अभियंत्रण आ विधि
महेश्वर हजारी- नगर विकास आ आवास
अब्दुल जलील मस्तान- निबंधन, उत्पाद आ मद्य निषेध
राम विचार राय – कृषि
शिवचंद्र राम -कला संस्कृति आ युवा
डा. मदन मोहन झा- राजस्व आ भूमि सुधार
शैलेश कुमार – ग्रामीण कार्य
कुमारी मंजू वर्मा-समाज कल्याण
संतोष कुमार निराला- अनुसूचित जाति आ जनजाति
अब्दुल गफूर- अल्पसंख्यक कल्याण
चन्द्रशेखर -आपदा प्रबंधन
खर्शीद उर्फ फिरोज अहमद- गन्ना उद्योग
मुनेश्ववर चौधरी- खान आ भूतत्व
मदन सहनी-खाद्य आ उपभोक्ता संरक्षण
कपिल देव कामत- पंचायती राज
अनिता देवी-पर्यटन
विजय प्रकाश – श्रम संसाधन
Ahan sabhak bahut bahut Dhanyavad je appan Bhasa me appan zaminak khabar da rahal chhi.
Maa Bhagwati sa prarthana je esamasad aur aaga baedha aur lokpriya k ucchatam shikhar par pahunch ka maithili Bhasa k aur pahchan bheta.