• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

नीतीश कैबिनेट मे दरभंगा क दबदबा, भेटल खजानाक कुंजी

November 21, 2015
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

CUPgzdIVEAAekavपटना । मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क कैबिनेट मे दरभंगा प्रमंडल क दबदबा अछि। ओना वैशाली आ नालंदा  जिला क सत्‍ता पर आसीन रहत, मुदा खजानाक कुंजी दरभंगा क हाथ आयल अछि। एहन मे दरभंगा क विकास क उम्‍मीद बढल अछि। देखल जाय त वैशाली स लालू प्रसाद क दूनू बेटा तेज प्रताप यादव आ तेजस्वी यादव क अलावा राजापाकड़ क विधायक शिवचंद्र राम मंत्री बनौउल गेलथि अछि। इ तीनू राजद स छथि।  नालंदा स स्वयं मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क अलावा श्रवण कुमार आ राजीव रंजन उर्फ ललन सिंह (विधान पार्षद) कए कैबिनेट मे शामिल कैल गेल अछि। इ तीनू जदयू स छथि। एहन में दरभंगा जिला स महागठबंधन क असली स्‍वरूप देखल जा सकैत अछि। एहि ठाम स अब्दुल बारी सिद्दीकी राजद स, मदन सहनी जदयू स आ मदन मोहन झा (विधान पार्षद) कांग्रेस स मंत्री बनाउल गेलाह अछि। दरभंगा प्रमंडलक अन्‍य जिला देखल जाये त समस्तीपुर स दूटा विधायक कए नीतीश कैबिनेट मे जगह भेटल अछि। जदयू क  महेश्वर हजारी आ राजद क आलोक मेहता कए मंत्री बनाउल गेल अछि। ओना  विजय कुमार चौधरी कए विधानसभा अध्‍यक्ष बनबाक चर्च अछि। एहन में राधानंदन झा क बाद एक बेर फेर दरभंगा कए इ पद भेटबाक उम्‍मीद अछि। मधुबनी स कपिलदेव कामत कए कैबिनेट में जगह भेटल अछि। एहन मे दरभंगा प्रमंडल स कुल छह गोट मंत्री आ विधानसभा अध्‍यक्ष क पद भेटल अछि। कोसी क चर्च करि त सुपौल स विजेंद्र प्रसाद यादव आ सहरसा स डाॅ अब्दुल गफूर कए स्‍थान भेटल अछि।एकर अलावा सारण क गड़खा स राजद क मुनेश्वर चौधरी आ परसा स चंद्रिका राय, रोहतास क दिनारा स जदयू विधायक जयकुमार सिंह आ नोखा स राजद विधायक अनिता देवी कए मंत्री पद भेटल अछि। मुंगेर स शैलेश कुमार, बक्सर स संतोष कुमार निराला, पश्चिमी चंपारण स खुर्शीद उर्फ फिरोज अहमद, पूर्णिया स अब्दुल जलील मस्तान, मधेपुरा स चंद्रशेखर,  मुजफ्फरपुर स रामविचार राय, जहानाबाद स कृष्णनंदन प्रसाद वर्मा, बेगूसराय स मंजू वर्मा, गया स अवधेश कुमार सिंह आ जमुई स विजय प्रकाश सेहो मंत्री बनलाह अछि। शेखपुरा स अशोक चौधरी (विधान पार्षद) मंत्री बनालाह अछि।

जिलावार
वैशाली-3, नालंदा-3, दरभंगा-3, रोहतास-2, समस्तीपुर-2, सारण-2, बक्सर-1, जहानाबाद-1, गया-1, मधुबनी-1, मुजफ्फरपुर-1, बेगूसराय-1, मुंगेर-1, जमुई-1, पूर्णिया-1, सहरसा-1, पश्चिमी चंपारण-1, सुपौल-1, मधेपुरा-1, शेखपुरा-1

एहि स पूर्व  नीतीश कुमार शुक्रदिन पांचम बेर मुख्यमंत्री पद क शपथ लेलथि। ऐतिहासिक गांधी मैदान मे खुलल मंच पर राज्यपाल रामनाथ कोविंद हुनका पद आ गाेपनीयता क शपथ दियौलथि। नीतीश कुमार क संग  कुल 29गोटे कैबिनेट मंत्री क रूप मे शपथ लेलथि। जदयू व राजद स 12-12 आ कांग्रेस स चारटा मंत्री शपथ लेलथि। राजद अध्यक्ष लालू प्रसाद आ पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी क दूनू विधायक बेटा तेजप्रताप आ तेजस्वी यादव क सेहो कैबिनेट मंत्री क रूप मे शपथ दियौल गेल। तेजस्वी यादव कए उपमुख्यमंत्री बनाउल गेल अछि। ओ नीतीश कुमार क बाद दोसर नंबर पर शपथ लेलथि। तेसर नबंर पर  तेज प्रताप यादव शपथ लेलथि। एकर बाद  राजद क वरिष्ठ नेता अब्दुल बारी सिद्दीकी कए राज्यपाल शपथ दियौलथि। शपथ क दौरान कांग्रेस उपाध्यक्ष राहुल गांधी, पूर्व पीएम एचडी देवगौड़ा, पश्चिम बंगाल क सीएम ममता बनर्जी, कर्नाटक क सीएम सिद्ध्ररमय्या  असम क सीएम तरुण गोगोई, दिल्ली क सीएम अरविंद केजरीवाल समेत कई राज्य क पूर्व सीएम सेहो मौजूद छलाह। केंद्र सरकार क प्रतिनिधि क रूप मे एम वेंकैया नायडू, राज्यसभा मे नेता प्रतिपक्ष गुलाम नवी आजाद, लोकसभा में नेता प्रतिपक्ष मल्लिकाजुन खड़गे, केंद्रीय मंत्री व द्रमुक नेता टीआर बालू समेत कश्‍मीर स कन्‍याकुमारी तक कए प्रमुख नेता एहि समारोह मे मौजूद छलाह।

नीतीश मंत्रिमंडल क अन्य सदस्य विभाग

—————————————————
विजेन्‍द्र प्रसाद यादव – ऊर्जा आ वाणिज्य कर
ललन सिंह – जल संसाधन , योजना आ विकास
अशोक चौधरी – शिक्षा आ आइटी
श्रवण कुमार – ग्रामीण विकास आ संसदीय कार्य
जय कुमार सिंह – उद्योग ,  विज्ञान आ प्रौवैद्यिकी
आलोक कुमार मेहता – सहकारिता
चन्द्रिका राय -परिवहन
अवधेश कुमार सिंह – पशु आ मत्स्य संसाधन
कृष्णनंदन प्रसाद वर्मा- लोक स्वास्थ्य अभियंत्रण आ विधि
महेश्वर हजारी- नगर विकास आ आवास
अब्दुल जलील मस्तान- निबंधन, उत्पाद आ मद्य निषेध
राम विचार राय – कृषि
शिवचंद्र राम -कला संस्कृति आ युवा
डा. मदन मोहन झा- राजस्‍व आ भूमि सुधार
शैलेश कुमार – ग्रामीण कार्य
कुमारी मंजू वर्मा-समाज कल्याण
संतोष कुमार निराला- अनुसूचित जाति आ जनजाति
अब्दुल गफूर- अल्पसंख्यक कल्याण
चन्द्रशेखर -आपदा प्रबंधन
खर्शीद उर्फ फिरोज अहमद- गन्ना उद्योग
मुनेश्ववर चौधरी- खान आ भूतत्व
मदन सहनी-खाद्य आ उपभोक्ता संरक्षण
कपिल देव कामत- पंचायती राज
अनिता देवी-पर्यटन
विजय प्रकाश – श्रम संसाधन

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
Tags: bihar electione-samadhanlalunitishsamadhan
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

तेसर फ्यूल कॉन्फरेंस आओर मोज़िला हैकाथन संपन्न

विजय चौधरीक निर्विरोध विधानसभा अध्यक्ष बनब तय

संगीत आ नृत्य क रंग स सराबोर रहल चौरंगी

Comments 1

  1. Jay krishna jha says:
    7 years ago

    Ahan sabhak bahut bahut Dhanyavad je appan Bhasa me appan zaminak khabar da rahal chhi.
    Maa Bhagwati sa prarthana je esamasad aur aaga baedha aur lokpriya k ucchatam shikhar par pahunch ka maithili Bhasa k aur pahchan bheta.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

by संपादक
January 5, 2021
0
Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि