पटना । एक अप्रैल स लागू भ रहल चरणबद्ध शराबबंदी क बाद बिहार मे शराब दुकान क संख्या महज 656 रहि जायत। एहि पाबंदी क बाद आब नगर निगम आ नगर पर्षद क्षेत्र छोडि आर कतहु विदेशी शराब दुकान नहि खुलत। एतबे नहि राज्य क दूटा जिला शिवहर आ बांका मे कोनो शराब दुकान नहि खुलत। एकर मुख्य कारण इ जे एहि जिला मे कोनो नगर निगम क्षेत्र बा नगर पर्षद क्षेत्र नहि अछि। एहि दुनू जिला मे विदेशी शराब दुकान कए खोलबाक योजना फिलहाल सरकार लग नहि अछि। एहि संगहि राजगीर आ वैशाली पर्यटन क्षेत्र हेबाक कारण विदेशी शराब दुकान खोलबाक मांग अछि, मुदा एहन प्रस्ताव पर सरकार फिलहाल सहमत नहि अछि।
एखन बिहार मे देसी, विदेशी आ कंपोजिट शराब दुकान क संख्या 5467 अछि। एहि मे स लगभग 13 प्रतिशत दुकान बचत। बाकी बंद भ जायत। राज्य मे जाहि 656 विदेशी शराब दुकान कए नगर निगम आ नगर पर्षद क्षेत्र मे बिहार राज्य वेबरेज कॉरपोरेशन लिमिटेड (बीएसबीसीएल) चलाउत, ओहिमें स्कॉच, व्हिस्की, रम क अलावा वाइन, टकिला, ब्रिजर सन अन्य किस्म क कम एल्कोहल वाला शराब सेहो भेटत।
शराबबंदी कए सख्ती स लागू करबा लेल उत्पादन आ मद्य निषेध विभाग सभ स्तर पर व्यापक तैयारी क लेलक अछि। उत्पाद विभाग आब शराब निषेध पर बेसी ध्यान रहत। शराब बंद करबा लेल जागरुकता अभियान चलाउल जायत। कला जत्था क टीम भोजपुरी, मगही, वज्जिका, मैथिली आ अंगिका समेत अन्य भाषा मे गीत क मंचन करत आ नुक्कड़ नाटक क जरिये शराब स नुकसान क जानकारी देत।