
एखन बिहार मे देसी, विदेशी आ कंपोजिट शराब दुकान क संख्या 5467 अछि। एहि मे स लगभग 13 प्रतिशत दुकान बचत। बाकी बंद भ जायत। राज्य मे जाहि 656 विदेशी शराब दुकान कए नगर निगम आ नगर पर्षद क्षेत्र मे बिहार राज्य वेबरेज कॉरपोरेशन लिमिटेड (बीएसबीसीएल) चलाउत, ओहिमें स्कॉच, व्हिस्की, रम क अलावा वाइन, टकिला, ब्रिजर सन अन्य किस्म क कम एल्कोहल वाला शराब सेहो भेटत।
शराबबंदी कए सख्ती स लागू करबा लेल उत्पादन आ मद्य निषेध विभाग सभ स्तर पर व्यापक तैयारी क लेलक अछि। उत्पाद विभाग आब शराब निषेध पर बेसी ध्यान रहत। शराब बंद करबा लेल जागरुकता अभियान चलाउल जायत। कला जत्था क टीम भोजपुरी, मगही, वज्जिका, मैथिली आ अंगिका समेत अन्य भाषा मे गीत क मंचन करत आ नुक्कड़ नाटक क जरिये शराब स नुकसान क जानकारी देत।