पटना । ढाई हजार रुपया मे पांच सौ किलोमीटरक हवाइ यात्रा वला क्षेत्रीय संपर्क योजना ‘उड़ान’ मे पहिल चरणक बोली प्रक्रिया मे बिहार, हरियाणा आ केरल सन पैघ आठ राज्य आ केंद्रशासित प्रदेश लेल एकुहुटा प्रस्ताव नहि आयल अछि । नागरिक उड्डयन राज्य मंत्री जयंत सिन्हा पहिल चरणक बोली प्रक्रियाक जानकारी साझा करैत कहलिन जे योजनाक तहत कुल 190 रूट लेल प्रस्ताव आयल अछि । सबसं ज्यादा प्रस्ताव महाराष्ट्रक 14 शहर लेल आयल अछि । एकरा बाद गुजरातक आठ टा शहर लेल प्रस्ताव आयल अछि । ओना पाँच टा राज्य अर्थात केरल, अरुणाचल प्रदेश, बिहार, हरियाणा और सिक्किम आ तीनटा केंद्र शासित प्रदेश चंडीगढ़, दादर एवं नागर हवेली आ लक्ष्यद्वीप लेल कोनो प्रस्ताव नहि आयल अछि ।
उल्लेखनीय अछि जे देश मे एहि समय कुल 406 गोट एहन हवाई अड्डा/हवाई पट्टी अछि जतए सं कोनो शिड्यूल उड़ान नहि भरल जाइत अछि । एहि मे से बिहार मे 32 टा अछि । एकरा बावजूद कोनो विमान सेवा संचालक बिहारक विभिन्न रूट लेल बोली नहि लगौलक ।
खाली पड़ल हवाइ अड्डा/हवा पट्टी
आरा, बेगुसराय, भागलपुर, बिहार शरीफ, बिहटा, बक्सर, छपरा, दरभंगा, जहानाबाद, कटिहार, मधुबनी, मोतीहारी, मुंगेर, मुजफ्फरनगर, पूर्णिया आ सहरसा शामिल अछि । एकरा अतिरिक्त बिहारक पड़ोसी राज्य झारखंड, पश्चिम बंगाल, उत्तर प्रदेशक शहर स जोड़बा लेल कोनो विमान सेवा संचालक कंपनी प्रस्ताव नहि देलक अछि ।
क्षेत्रवार पश्चिमी क्षेत्र सं सबसं बेसी 32 टा शहर लेल प्रस्ताव भेटल अछि । उत्तरी क्षेत्र लेल 21, दक्षिणी क्षेत्र लेल 16, पूर्वी क्षेत्र लेल 12 तथा उत्तरपूर्वी क्षेत्र लेल 11 टा प्रस्ताव आयल अछि । एहि मे पूर्ण हवाई सेवा वला 30 टा पैघ शहर सेहो शामिल अछि । एकरा सभकए अंडरसर्व्ड या अनसर्व्ड हवाई अड्डा सं जोड़ल जायत । महाराष्ट्र आ गुजरातक बाद उत्तर प्रदेश, कर्नाटक आ मणिपुरक छह-छहटा, छत्तीसगढ़, पश्चिम बंगाल आ ओडिशाक पाँच-पाँचटा; पंजाब, आँध्र प्रदेश आ तमिलनाडुक चारि चारिटा, राजस्थान आ उत्तराखंडक तीन तीनटा आ दमन दिव आ मध्य प्रदेश, उत्तराखंड, हिमाचल प्रदेश तथा झारखंडक दू दू टा शहर लेल प्रस्ताव आयल अछि।