ढनढन एटीएम, बैंक शाखा मे सेहो नकदीक अभाव
समदिया
पटना । बिहार मे टका लेल हाहाकार मचल अछि। एक दिस राज्यक अधिकतर एटीएम ढन ढन क रहल अछि त दोसर दिस नकदी संकट एतबा बिकराल भ चुकल अछि जे छपरा मे नकदीक अभाव मे दू दिन स एकटा सरकारी बैंकक शाखा बंद अछि। बैंक पदाधिकारीक कहब अछि जे ओ नकदी देबा मे असमर्थ छथि। कईटा बैंक टका जमा भेला पर ग्राहक कए किछु राशि उपलब्ध करा रहल अछि। अधिकतर बैंक क हाल एहने अछि। एहि संबंध मे बैंक कर्मी टीपी सिंह क कहब अछि जे बिहार मे एक दिन मे करीब 30 करोड नकदीक लेन-देन होइत अछि, मुदा बैंक शाखा कए 5 करोड़ देल जा रहल अछि। एहन मे शाखा प्रबंधन सब कए टका कोना देत। जाहि ठाम नकद जमा कम आ निकासी बेसी अछि ओहि ठाम शाखा प्रबंधक लेल स्थिति आओर खराब अछि। शाखा बंद करब हुनकर मजबूरी अछि। इ स्थिति केवल छपरा मे नहि, बल्कि पूरा बिहार मे अछि। राजधानी पटना मे 75 फीसदी एटीएम खाली अछि। कईटा एटीएम मे पंजाब नेशनल बैंक समेत किछु बैंकक कार्ड स्वीकार नहि करबाक सूचना साटल अछि। लोक 12 स 14 टा एटीएम घुमला बाद जरुरतक राशि पाबि रहल छथि। जिला मुख्यालयक हालत त आओर खराब अछि। बेगूसराय क स्टेशन चौक, ट्रेफिक चौक आ विश्वनाथनगर रोड मे कई दिन स एटीएम खाली अछि। शहरक करीब 95 फीसदी एटीएम खाली अछि।
बेगूसरायक संतोष मिश्र कहैत छथि जे एक हफ्ता स विभिन्न स्थान पर बैंक क चक्कर लगा रहल छी मुदा टका नहि भेटल। कृषि व्यवसाय ब्रांच दलसिंहसराय मे भीड़ क कारण दूटा महिला बेहोश भ गेलीह। एटीएम मे टका अबैत अछि मुदा दस मिनट मे खतम भ जाइत अछि। पीएनबी क अधिकतर शाखा मे 10000 स बेसी नकद नहि देल जा रहल अछि। एक दिन एहन स्थिति एसबीआई मे सेहो छल।
एहने हाल छपरा, दरभंगा, महराजगंज, गया, गोपालगंज, नालंदा, भागलपुर आ मधुबनीक कहल जा रहल अछि। दू हजार आ सौ टकाक नोट बाजार स गायब भ रहल अछि। गोपालगंज क रंजीत क कहब अछि जे हुनका एक लाख टका निकालबाक अछि मुदा तीन दिन स बैंक टहला रहल अछि जे एतबा नकद नहि द सकैत छी। सिवानक सौरभ क कहब अछि जे बैंक दू हजार स बैसी टका नहि द रहल अछि। एहिना मधुबनी स राज झा एटीएम खाली रहबाक सूचना द रहल छथि।